रायपुर
रायपुर (/ˈraɪp[invalid input: 'oor']/ उच्चारण (सहायता जानकारी)) भारतीय राज्य छत्तिसगढमे अवस्थित रायपुर जिलाक एक शहर छी । ई शहर राजधानी होमएक संगे रायपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय छी । ई छत्तिसगढक सभसँ पैग शहर सेहो छी । सन् २००० नवम्बर १ मे छत्तिसगढ राज्य स्थापना होमएसँ पहिने ई मध्य प्रदेशक भाग छल ।
रायपुर Raipur | |
---|---|
महानगर | |
स्वामी विवेकानन्द विमानस्थल, रायपुर | |
निर्देशाङ्क: २१°१५′N ८१°३८′E / २१.२५°N ८१.६३°Eनिर्देशाङ्क: २१°१५′N ८१°३८′E / २१.२५°N ८१.६३°E | |
देश | भारत |
राज्य | छत्तिसगढ |
जिला | रायपुर |
सरकार | |
• मेयर | प्रमोद दुबे |
क्षेत्र क्रम | २२६ |
उँचाई | २९८.१५ मिटर (९७८.१८ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०१६)[१] | |
• महानगर | १४,५६,४०६ |
• क्रम | ४५अम |
• मेट्रो[२] | १५,४६,०७६ |
मूलवासी नाम | रायपुरिया |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | हिन्दी, छत्तिसगढ़ी आ अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०) |
पोस्टल कोड | ४९२००१ |
गाडी दर्ता | CG-04 |
वेबसाइट | raipur.gov.in |
इतिहाससंपादित करें
पुरान भवन आ किलाक अवशेषमे आधारित किछ इतिहासविद्क मान्यतानुसार ई शहर ९आम शताब्दीसँ अस्तित्वमे अछि । मुदा प्राय लोकक माननाए अछि कि ई शहर १४आम शताब्दीमे बैसाएल गेल छल ।
जनसाङ्ख्यिकीसंपादित करें
सन् २०११ क भारतक जनगणनाक अनुसार रायपुरक जनसङ्ख्या १०,१०,०८७ अछि । एतयक लिङ्गानुपात ९४६ महिलासभ प्रति १००० पुरुषक अछि । रायपुरक साक्षरता दर ८६.९०% अछि, पुरुषसभक साक्षरता दर २९.३९% आ महिलासभक साक्षरता दर ८१.१०% अछि ।
भूगोल आ जलवायुसंपादित करें
रायपुर खारुन नदीक तटमे बैसल छत्तिसगढक सबसँ पैग शहर छी । रायपुर एक पैग मैदान (छत्तिसगढक मैदान) क मध्यमे अवस्थित अछि जे धान का कटोरा क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । रायपुरक पूर्वमे महानदी नदी बहैत अछि। उत्तर-पश्चिमममे मैकालक पहाडी अछि । उत्तरी तरफ छोटा नागपुरक पठार आ दक्षिणमे बस्तरक पठार अछि । रायपुर मुम्बई-हावडा रेल लाइनमे अवस्थित अछि आ ई सम्पूर्ण महत्वपूर्ण शहरसभसँ जुडल अछि । राष्ट्रिय राजमार्ग ६ एहो शहर भऽ गुजरैत अछि आ अन्तिममे ४३ शहरसभ भऽ विशाखापट्नमधरि जाइत अछि । रायपुर मुम्बई, दिल्ली आ अन्य शहरसभसँ हवाई मार्गद्वारा जुडल अछि । रायपुरक हवाई अड्डा माना मे अछि ।
तापक्रम: गर्मीमे ४५ सँ २९ सेल्सियस जाडमे २७ सँ १० सेल्सियस वर्षा लगभग १२० मिमी (जुलाईसँ सितम्बर)
नव रायपुरसंपादित करें
सन् २००० मे स्थापना भेल छत्तिसगढ राज्यक राजधानी रायपुरक प्रशासनिक केन्द्र नव रायपुर मे स्थानान्तरण करैलेल प्रस्ताव कएल गेल अछि । ई एक विश्व स्तरीय परियोजना छी जाहिमे वर्तमान रायपुरसँ २५ किमी दूर एक नव शहरक सृजन होइत । एकर लेल एक पैग क्षेत्रक भूमिक अर्जन कएल जा रहल अछि । नव रायपुरक लेल समग्रमे ८०,००० हेक्टेयर भूमि अर्जित कएल जाइत । नव रायपुरमे २२५ किमी पक्की सडक अछि । नव रायपुरक परसदा क्षेत्रमे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट स्टेडियम बनाएल केल गेल अछि ।[३]
अर्थव्यवस्थासंपादित करें
रायपुर सम्पूर्ण छत्तिसगढ आ उडिसाक लेल थोकक मन्डी छी ई वाहेक एतय एक उद्योगिक शहर अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ "Cities having population 1 lakh and above, Census 2011" (PDF), The Registrar General & Census Commissioner, India, अन्तिम पहुँच २५ जून २०१४।
- ↑ "Urban Agglomerations/Cities having population 1 lakh and above" (PDF), censusindia, The Registrar General & Census Commissioner, India, अन्तिम पहुँच २५ जून २०१४।
- ↑ नया रायपुर विकास प्राधिकरण
बाह्य जडीसभसंपादित करें
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास रायपुरसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |