मेरठ
मेरठ भारतक उत्तर प्रदेश राज्यक एक शहर छी । एतय नगर निगम कार्यरत अछि । ई प्राचीन नगर भारतक राजधानी दिल्लीसँ ७२ किमी. (४४ माइल) उत्तर पूर्वमे स्थित अछि । मेरठ, राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र (एनसिआर) कऽ एक भाग छी । एतय भारतीय सेनाक एक छावनी सेहो अछि । ई उत्तर प्रदेशक सबसँ तीव्र गतिमे विकसित आ शिक्षित होमएवला जिलासभमे सँ एक छी ।
मेरठ
میرٹھ Meerut | |
---|---|
देश | भारत |
राज्य | उत्तर प्रदेश |
जिला | मेरठ |
क्षेत्रफल | |
• शहर | १४१.८९ किमी२ (५४.७८ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | २२४.६५९ मिटर (७३७.०७० फिट) |
जनसङ्ख्या (2011) | |
• शहर | १३,०९,०२३ |
• क्रम | 26 |
• घनत्व | ९२००/वर्ग किमी (२४०००/वर्ग माइल) |
• महानगर | १४,२४,९०८ |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
हुलाक कोड | २५० ०xx |
टेलिफोन कोड | ९१- १२१- XXXX XXXX |
सवारी दर्ता | UP-15 |
वेबसाइट | meerut.nic.in |
भूगोल
सम्पादन करीमेरठक भौगोलिक स्थिति 28.98° N 77.7° E[१] अछि | एहि ठामक औसत उचाई २१९ मीटर (७१८ फीट) अछि ।
निकटवर्ती शहर :
मिडिया
सम्पादन करीमेरठ एक महत्वपूर्ण मास मिडिया केन्द्र बनि रहल अछि । देशक विभिन्न क्षेत्रसभसँ पत्रकार तथा अन्य मिडियाकर्मी एतय कार्यरत अछि । वर्तमानमे, बहुतेक समाचार च्यानलसभ अपराधमे केन्द्रित कार्यक्रम देखाबैलेल आरम्भ केनए अछि । कियाकी मिडिया केन्द्र मेरठमे स्थित अछि, तब शहरके राष्ट्रिय स्तरमे बढिया प्रचार मिल रहल अछि । किछ वर्ष पहिने सँ नगरमे कानून व्यवस्थाक स्थितिमे बहुतेक सुधार आएल अछि । एहिमे मिडियाक बहुत पैग हात अछि ।
मेरठ वेब मिडियाक सेहो मुख्य केन्द्र बनैत जा रहल अछि । मेरठमे एक्सएन भ्यु न्युज आ अन्य बहुत रास मिडिया च्यानलसभ अछि ।
शिक्षा
सम्पादन करीनगरमे कुल चार विश्वविद्यालय अछि, चौधरी चरण सिंह विश्वविद्यालय, सरदार वल्लभ भाई पटेल कृषि आ प्राविधिक विश्वविद्यालय, शोभित विश्वविद्यालय आ स्वामी विवेकानन्द सुभारती विश्वविद्यालय । ई वाहेक नगरमे बहुतेक अन्य महाविद्यालय आ विद्यालय अछि ।
नौचन्दी मेला
सम्पादन करीएहि ठामक ऐतिहासिक नौचन्दी मेला हिन्दू – मुस्लिम एकताक प्रतीक छी । हजरत बाला मियाँक दरगाह आ नवचण्डी देवी (नौचन्दी देवी) क मन्दिर एक दोसरसँ निकटमे स्थित अछि । मेलाक समय मन्दिरक घण्टीसभ अजानक आवाज एक साम्प्रदायिक आध्यात्मक प्रतिध्वनि दैत अछि । ई मेला चैत्र मासक नवरात्रि पर्वसँ एक हप्ता पहिलेसँ लागैत अछि । होलीक लगभग एक सप्ताह बाद आ एक माहिनाधरि ई मेला चलैत अछि ।
पर्यटन स्थल
सम्पादन करी- पाण्डव किला
- शहीद स्मारक
- शाहपीर मकबरा
- हस्तिनापुर तीर्थ
- जैन श्वेताम्बर मन्दिर
- रोमन कैथोलिक चर्च
- सेन्ट जोन चर्च
- नङ्गली तीर्थ
- सुरज कुण्ड
- जामा मस्जिद
- द्रोपदीक भन्सा
- हस्तिनापुर अभयारण्य
आवागमन
सम्पादन करी- वायु मार्ग
पन्तनगर विमानस्थल आ इन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल मेरठक निकटतम विमानस्थल छी । पन्तनगरक विमानस्थल मेरठसँ ६२ किमी. क दूरीमे स्थित अछि ।
- रेल मार्ग
मेरठ जङ्क्सन देशक प्रमुख शहरसभसँ अनेक ट्रेनसभक माध्यमसँ जुडल अछि । दिल्ली, जम्मू, अम्बाला, सहारनपुर आदि स्थानसभ मेरठसँ जल्दीए पहुँचल जा सकैत अछि ।
- सडक मार्ग
मेरठ उत्तर प्रदेश आ आसपासक राज्यसभक अनेक शहरसभसँ सडक मार्गद्वारा जुडल अछि । राज्य परिवहन निगमक बससभ अनेक शहरसभसँ मेरठक लेल नियमित रूपसँ चलैत अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करीबाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे मेरठसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |