भीमराव आम्बेडकर
डा. भीमराव रामजी आम्बेडकर ( १४ अप्रिल , १८९१ -- ६ दिसम्बर , १९५६ ) एक भारतीय विधिवेत्ता तथा सुधारवादी छी। ओ एक राजनीतिक नेता, सुधारवादी बौद्ध गुरु तथा भारतीय संविधानक निर्माता सेहो छल। हुनका बाबासाहेब आम्बेडकर नामसँ सेहो चिन्हल जाइत अछि। 'बाबासाहेब'क अर्थ मराठी भाषामे पिता होइत अछि। हुनकर जन्म एक गरीब अस्पृश्य (अछूत) परिवारमे भेल छल। बाबासाहेब आम्बेडकर अपन सम्पूर्ण जीवन हिन्दू धर्मक हिन्दू वर्ण व्यवस्था, आ भारतीय समाजमे व्याप्त जातीय व्यवस्थाक विरुद्धक सङ्घर्षमे बितौलक। हिन्दू धर्ममे मानव समाजक चारि वर्णसभमे वर्गीकृत कएल गेल अछि। आम्बेडकरकें बौद्ध महाशक्तिसभक दलित आन्दोलन प्रारम्भ करवाक श्रेय सेहो जाइत अछि। बाबासाहेब आम्बेडकरकें भारत रत्नसँ सेहो सम्मानित कएल गेल अछि, जे भारतक सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार छी।
भीमराव रामजी आम्बेडकर Bhimrao Ramji Ambedkar | |
---|---|
![]() युवा अवस्थामे बाबासाहेब आम्बेडकर | |
जन्म | महू, सेन्ट्रल प्रोभिन्स, ब्रिटिश भारत (वर्तमान मध्य प्रदेशमे) | अप्रैल १४, १८९१
मृत्यु | ६ दिसम्बर १९५६ दिल्ली, भारत | (६५ वर्ष)
राष्ट्रियता | भारतीय |
अन्य नाम | महान बोधिसत्त्व, बाबासाहेब |
शिक्षा | बी.ए., एम.ए., पी.एच.डी., एम.एससी., डी. एससी., एलएल.डी., डी.लिट., बार-एट-ल (जम्मा ३२ डिग्री अर्जीत) |
अल्मा मेटर | मुम्बई विश्वविद्यालय कोलम्बिया विश्वविद्यालय लण्डन विश्वविद्यालय लण्डन स्कूल अफ इकनमिक्स |
संस्थान | समता सैनिक दल, स्वतन्त्र लेबर पार्टी, अनुसूचित जाति फेडरेशन, भारतक बौद्ध सोसायटी |
उपाधि | भारतक प्रथम कानूनमन्त्री, संविधान मसौदा समितिक अध्यक्ष |
राजनीतिक दल | भारतीय रिपब्लिकन पार्टी |
क्रियाकलाप | आम्बेडकर बौद्ध धर्म |
धर्म | बौद्ध धर्म |
जिवनसाथी | रमाबाई आम्बेडकर (विवाह १९०६), सविता आम्बेडकर (विवाह १९४८) |
पुरस्कार | भारत रत्न (१९९०) |
ओ तखन अछूतसभ मानल गेल दलितमेसँ पहिल व्यक्ति छल जे बहुतरास सामाजिक आ वित्तीय बाधासभ पार करि, भारतमे कलेजक शिक्षा प्राप्त केलक। आम्बेडकर कानूनक उपाधि प्राप्त करवाक सङ्गे विधि, अर्थशास्त्र आ राजनीतिक विज्ञानमे अपन अध्ययन आ अनुसन्धानक कारण कोलम्बिया विश्वविद्यालय आ लण्डन स्कूल अफ इकनमिक्ससँ बहुतरास डक्टरेट डिग्रीसभ सेहो अर्जित केनए छल।