भिमबेटका चट्टान आश्रय

भिमबेटका चट्टान आश्रय (भिमबैठका) भारतक मध्य प्रदेश राज्यक रायसेन जिलामे स्थित एक पुरापाषाणिक आवासीय पुरास्थल छी । ई आदि-मानवद्वारा बनाएल गेल चट्टान चित्रसभ आ शैलाश्रयक लेल प्रसिद्ध अछि । ई चित्रसभके पुरापाषाण काल सँ मध्यपाषाण कालक समयक मानल जाएत अछि ।

युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र
भिमबेटका चट्टान आश्रय
विश्व सम्पदा सूचीमे उल्लेख कएल अनुसारक नाम
भिमबेटका चट्टान कलाकृति
प्रकारसांस्कृतिक
मापदण्ड(iii)(v)
सन्दर्भ९२५
युनेस्को क्षेत्रदक्षिण एसिया
सूचीकृत इतिहास
सूचीकृत२००३ (३६अम शत्र)
भिमबेटका चट्टान आश्रय मध्य प्रदेशपर अवस्थित
भिमबेटका चट्टान आश्रय
भिमबेटका चट्टान आश्रयक नक्सा मध्य प्रदेशमे ।

अन्य पुरावशेषसभमे प्राचीन किलाक दीवार, लघुस्तूप, पाषाण निर्मित भवन, शुङ्ग-गुप्त कालीन अभिलेख, शङ्ख अभिलेख आ परमार कालीन मन्दिरक अवशेष सेहो एतेक मिलल अछि । भिमबेटका क्षेत्रके भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण, भोपाल मण्डल अगस्त १९९०मे राष्ट्रिय महत्त्वक स्थल घोषित केनए छल । एकर बाद जुलाई २००३मे युनेस्को एकर विश्व सम्पदा क्षेत्र घोषित केनए छल ।

ई भारतमे मानव जीवनक प्राचीनतम चिह्न छी । एहन मानल जाएत अछि कि ई स्थान महाभारतक चरित्र भीम सँ सम्बन्धित अछि आ अहि सँ एकर नाम भिमबैठका पडल । ई गुफासभ मध्य भारतक पठारक दक्षिणी किनार पर स्थित विन्ध्याचलक पहाडीसभक निचला छोर पर अछि ।[१]एकर दक्षिणमे सतपुडाक पहाडीसभ आरम्भ भ जाएत अछि ।[२] एकर खोज वर्ष १९५७-१९५८मे डाक्टर विष्णु श्रीधर वाकणकरद्वारा कएल गेल छल ।

इतिहाससंपादित करें

चित्रदीर्घासंपादित करें

दूर सँ देखला पर भिमबेटका गुफाक दृष्य 
भिमबेटकाक प्रवेशद्वार 
गुफाक भितरक दृष्य 
घोडा पर सवार आदमी 
शैल कच्छप 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 
 

सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें

  1. "भीमबेटका की गुफ़ाएँ" (एचटीएम) (हिन्दीमे), इन्क्रेडिबल इण्डिया, पृ: ०१, अन्तिम पहुँच १८ जुलाई २००९ 
  2. "भीमबेटका की पहाड़ी गुफाएं" (पीएचपी), राष्ट्रीय पोर्टल विषयवस्तु प्रबंधन दल (हिन्दीमे), भारत सरकार, पृ: ०१, अन्तिम पहुँच १८ जुलाई २००९ 

बाह्य लिङ्कसभसंपादित करें

एहो सभ देखीसंपादित करें

  1. विश्व सम्पदा क्षेत्र
  2. विश्व सम्पदा क्षेत्रसभक सूची