डा. बिधान चंद्र राय
जन्म तारीख: १ जुलाई, १८८२
म्रुत्यु तारीख: १ जुलाई, १९६२
पं॰ बंगाल के द्वितीय मुख्यमंत्री
कार्यकाल: १४ जनवरी १९४८ -
१ जुलाई १९६२

डा. बिधान चंद्र राय (जुलाई १, १८८२ - जुलाई १, १९६२) चिकित्सक तथा स्वतंत्रता सेनानी छल। ओ पश्चिम बंगाल के द्वितीय मुख्यमंत्री छल, १४ जनवरी १९४८ से उनकर म्रत्यु तक १४ वर्ष तक ओ ई पद पर छल। उनकर जन्मदिन १ जुलाईभारत मे 'चिकित्सक दिवस' के रुप मे मनाएल जाएत अछि। ओ वर्ष १९६१ मे भारत रत्न सँ सम्मनित कएल गेल।

परिचय सम्पादन करी

 
बिधान चन्द्र राय

उनकर जन्म खजान्ची रोड बन्कीपुर, पटना, बिहार मे एक प्रवासी बंगाली परिवार मे भेल छल। उनकर जन्म स्थान क वर्तमान मे अघोर प्रकाश शिशु सदन नामक विद्यालय मे परिवर्तित करि देल गेल अछि।

मात-पिता के ब्रह्मसमाजी होए सँ डाक्टर राय पर ब्रह्मसमाज क बाल्यावस्था से ही अमिट प्रभाव पडल छल। उनकर पिता प्रकाशचंद्र राय डिप्टी मजिस्ट्रेट छल, पर अपन दानशीलता एवं धार्मिक वृत्ति के कारण कहियो अर्थसंचय नै करि सकल। अत: विधानचंद्र राय क प्रारंभिक जीवन अभावसभ के मध्य ही बीतल। बी. ए. परीक्षा उत्तीर्ण करि ओ सन् १९०१ मे कलकत्ता चलि गेल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी