वास्तुक
वास्तुक, वास्तुविद् या आर्किटेक्ट (Architect) ओ व्यक्ति छी, जे भिन्न-भिन्न भवन आ इमारतसभक व्यापक संकल्पना आ दूरगामी कल्पनायुक्त अभिकल्पना (डिजाइन) सँ सम्बन्धित कला आ विद्यामे दक्ष होए तथा नक्साद्वारा या मापकद्वारा प्रतिरूप बनाए त्रिविमितीय दृश्य वास्तु सम्बन्धी अपन विचार व्यक्त करवाक लेल समर्थ होए आ फेर अपन अभिकल्पित इमारतसभक निर्माण कार्यक यथोचित रूपसँ निरीक्षण करैत होए, अथवा जे उत्कृष्ट कोटिक भवन आ ओकर पर्यावरण तैयार करवाक आस्था रखैत वास्तुकलाक यथोचित रूपमे काममे आनैत होए तथा भवनसभक अभिकल्पन आ ओकर रचनाक निर्देशनकें बड्ड नीकसँ व्यवसाय करैत होए ।[१]
पेशा | |
---|---|
नामसभ | वास्तुक |
व्यवसाय प्रकार | व्यवसाय |
गतिविधि क्षेत्रसभ | वास्तुकला दीवानी इन्जिनियरिङ निर्माण परियोजना प्रबन्धन शहरी नियोजन आन्तरिक सज्जा दृश्य कला |
विवरण | |
सक्षमता | इन्जिनियरिङ, प्राविधिक ज्ञान, भवन सज्जा, नियोजन आ प्रबन्धन कौशल |
आवश्यक शिक्षा | देखी व्यावसायिक आवश्यकतासभ |
परिचय
सम्पादन करीएकर अतिरिक्त वास्तुकक पवित्र कर्तव्य अछि की ओ भवन निर्माणक काल, स्थान तथा युगक प्रवृत्तिकें चित्रण करै । ओकर समस्त सृजनात्मक क्रियाकलापक फलस्वरूप कीछ नवीन, कीछ असाधारण, कीछ भावनापूर्ण तथा उपयुक्त सृष्टि होइत अछि, जकर विषयमे ओकर अनुमान स्पष्ट आ कल्पनाचातुर्य प्रत्युत्पन्न तथा प्रत्यक्ष होवाक चाही, वास्तुकक उद्यम सँ उत्साह, समृद्धि, न्यूनतम पुनरावृत्तिक सङ्ग अधिकतम सौन्दर्य आ वास्तविक उपयोगिताक सङ्ग स्वरूपक पवित्रता प्रकट होइत अछि । ई नेतृत्वपूर्ण नैष्ठिक सृजनात्मकताक कारण वास्तुककें मूर्तिमान सृष्टाक औचित्यपूर्ण नाम देल जाइत अछि ।
व्यावसायिक आवश्यकतासभ
सम्पादन करीसन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ The Nova Scotia Legislature सङ्ग्रहित जुलाई २१, २०११ वेब्याक मेसिन
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिक्वोट पर वास्तुक सँ सम्बन्धित उद्धरण अछि। |