पाटलिपुत्र स्तम्भ-शीर्ष

पाटलीपुत्र स्तम्भ शीर्ष एक स्मारकीय आयताकार चतुर्भुजीय स्तम्भ शीर्ष छी जहिमे घुमाओदार आ कटावदार आभूषण जका आ शास्त्रीय ग्रीक डिजाइनसभ अछि जे पुरातन मौर्य साम्राज्यक राजधानी पाटलिपुत्र (आधुनिक पटना, उत्तरपूर्वी भारत) कऽ दरबारक खण्डहरक अवशेषसभमे खोजी कएल गेल छल। ई ईसापूर्व तेसर शताब्दीक संरचना छी।

पाटलिपुत्र स्तम्भ-शीर्ष
Pataliputra Capital
पाटलिपुत्र दरबार स्तम्भ-शीर्ष (आगु आ बामा कातक दृश्य), प्रारम्भिक मौर्य साम्राज्य अवधि, ईशापूर्व तेसर शताब्दी[१]
सामग्रीपालिस नै कएल बलुआ पाथर
आकारउचाइ: ८५ सेमी

चौडाइ: १२३ सेमी

ओजन: १,८०० लिब्रा (९०० किलो)
समयकाल/संस्कृतिईशापूर्व तेसर शताब्दी
खोज२५°२१′३९″N ८५°०६′१७″E / २५.३६०७°N ८५.१०४८°E / 25.3607; 85.1048निर्देशाङ्क: २५°२१′३९″N ८५°०६′१७″E / २५.३६०७°N ८५.१०४८°E / 25.3607; 85.1048
स्थानबुलन्दी बाग, पाटलिपुत्र, भारत.
वर्तमान स्थानपटना सङ्ग्रहालय, भारत
उत्खनन क्षेत्र (पटना, भारत) दक्षिण एसियापर अवस्थित
उत्खनन क्षेत्र (पटना, भारत)
उत्खनन क्षेत्र (पटना, भारत)

खोज सम्पादन करी

ई स्मारकीय स्तम्भ शीर्ष केर खोज सन् १८९५ मे भारतक प्राचीन पाटलिपुत्रक शाही महल अर्थात् वर्तमान पटनाक बुलन्दी बाग क्षेत्रसँ पुरातत्वविद् लौरेन्स वाडेलद्वारा खोज कएल गेल छल। ई लगभग १२ फिट (३.७ मिटर) कऽ गहिराइ पर पाएल गेल छल, आ ई सम्राट अशोकक शासनकाल या ओकर तुरन्त बाद ईसापूर्व तेसर शताब्दीक छी।[२] ई स्मारकक खोजक प्रतिवेदन सभसँ पहिने वाडेल एक पुस्तक 'रिपोर्ट अन द एक्सकेभेसन एट पाटलिपुत्र (पटना)'मे देल गेल छल।[३] ई स्मारक वर्तमान समयमे पटना सङ्ग्रहालयमे सुरक्षित अछि आ प्रदर्शित कएल जाइत अछि।[४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Pillar capital from Maurya palace in Pataliputra, Patna, Bihar, India, ca. 3rd century B.C."digitalcollections.lib.washington.edu (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2023-12-23
  2. "Report on the excavations at Pataliputra (Patna)" Calcutta, 1903, page 16 [१]
  3. "Report on the excavations at Pataliputra (Patna)" Calcutta, 1903, pages 16, 17, 40 and 59 [२]
  4. "A Companion to Asian Art and Architecture" by Deborah S. Hutton, John Wiley & Sons, 2015, p.438 [३]

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी