मुख्य मेनु खोली

तिरुचिरापल्ली (tiruchirāppaḷḷi)[२] (About this sound उच्चारण ) तिरुची वा त्रिचीक नामसँ प्रसिद्ध, भारतक दक्षिणी राज्य तमिलनाडुक शहर आ तिरुचिरापल्ली जिलाक मुख्यालय छी । ई तमिलनाडु राज्यक चारिम पैग नगर निगम आ चारिम बेसी जनसङ्ख्या भेल नगर छी । ई चेन्नईसँ ३२२ किलोमिटर (२०० माइल) दक्षिणमे आ कन्याकुमारीसँ ३७९ किलोमिटर (२३५ माइल) उत्तरमे अवस्थित अछि । ई तमिलनाडु राज्यक मध्यमे अवस्थित रहल अछि । ई शहर कावेरी नदीक तटमे बैसाएल गेल अछि । ई स्थान विशेष रूपसँ विभिन्न मन्दिरसभ जना श्री रङ्गानाथस्वामी मन्दिर, श्री जम्बुकेश्‍वरा मन्दिर आ वरैयुर आदिक लेल प्रसिद्ध अछि । शहरक मध्य भाग अर्थात १६ किलोमिटर (९.९ माइल) पश्चिमसँ कावेरी नदी बहैत अछि । सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ९,१६,८५७ रहल अछि ।[३]

तिरुचिरापल्ली
திருச்சிராப்பள்ளி
त्रिची
Tiruchirappalli
शहर
शहरक धरोहरसभ
शहरक धरोहरसभ
नाम: रकफोर्ट सिटी
तिरुचिरापल्ली is located in तमिलनाडु
तिरुचिरापल्ली
तिरुचिरापल्ली
निर्देशाङ्क: १०°४८′१८″ उत्तर ७८°४१′०८″ पूर्व / १०.८०५००° उत्तर ७८.६८५५६° पूर्व / 10.80500; 78.68556निर्देशाङ्क: १०°४८′१८″ उत्तर ७८°४१′०८″ पूर्व / १०.८०५००° उत्तर ७८.६८५५६° पूर्व / 10.80500; 78.68556
देश भारत भारत
राज्य तमिलनाडु
क्षेत्र चोला नाडु
जिला तिरुचिरापल्ली
क्षेत्र केन्द्रीय
सरकार
 • प्रकार मेयर परिषद
 • अङ्ग तिरुचिरपल्ली नगर निगम परिषद
 • मेयर ए जया
क्षेत्रफल
 • शहर १६७.२३ किमी (६४.५७ वर्गमाइल)
 • मेट्रो १९८.५५ किमी (७६.६६ वर्गमाइल)
क्षेत्र क्रम ४अम
उँचाई ८८ मिटर (२८९ फिट)
जनसङ्ख्या (२०११)
 • शहर ९,१६,८५७
 • क्रम ४अम
 • घनत्व ५५००/किमी (१४०००/वर्ग माइल)
 • मेट्रो[१] १०,२२,५१८
मूलवासी नाम तिरुचाइट
भाषासभ
 • आधिकारिक तमिलअङ्ग्रेजी
समय क्षेत्र भारतीय मेनक समय (युटिसी+५:३०)
हुलाक कोड ६२० ०xx
टेलिफोन कोड ०४३१
गाडी दर्ता TN-45, TN-48, TN-81
वेबसाइट त्रिची शहर नगर निगम

विषय सूचीसभ

इतिहाससम्पादन

वर्तमान समयमे तिरूचिरापल्लीक एक महत्‍वपूर्ण भाग वरैयुर छी, इशापूर्व ३००० मे ई चोल साम्राज्‍यक राजधानी छल । तिरूचिरापल्लीमे किछ समय मुगल शासकसभ सेहो राज्य केलक । एकर पश्चात् एतय विजयनगरक शासकसभ कब्जा केलक ।

उत्पतिसम्पादन

पर्यटन स्थलसम्पादन

 
पहाड़पर बनल रकफोर्ट

श्री रङ्गानाथस्वामी मन्दिरसम्पादन

ई मन्दिर कावेरी नदीक मध्य स्थित श्री रङ्गम द्वीपमे अवस्थित अछि । ई मन्दिरक निर्मेण चेर, पाण्डेय, चोल, होयसल आ विजयनगरक शासकसभद्वारा कराएल गेल अछि । ई मन्दिरक निर्माण १३अम आ १८अम शताब्दीमे कराएल गेल छल ।

श्री जम्बुकेश्‍वरा मन्दिरसम्पादन

ई मन्दिर श्री रङ्गानाथस्वामी मन्दिरक पूर्वमे २.५ किलोमिटरक दूरीमे अवस्थित अछि । ई मन्दिरक वास्तुकला बहुतेक सुन्दर अछि । ई मन्दिरक मध्य प्राङ्गण भव्य आ विशाल अछि । ई मन्दिर सन् १६०० मे निर्माण कएल गेल अछि ।

तिरूवनैक्कवलसम्पादन

ई भगवान शिवक मन्दिर छी । ई मन्दिर श्रीरङ्गमक पूर्व सँ ६ किलोमिटरक दूरीमे अछि ।

वरैयुरसम्पादन

ई स्थान ऐतिहासिक दृष्टिसँ बहुतेक महत्वपूर्ण अछि । ई चोल वंशक राजधानी छल । त्रिची हाथसँ बनल सिगार आ साडीसभक लेल प्रसिद्ध अछि । वरैयुरक हातसँ बनल सिगार पुरै विश्‍वमे प्रसिद्ध अछि ।

विनायक मन्दिरसम्पादन

ई मन्दिर कावेरी नदीक किनारमे अवस्थित अछि । ई स्थान समुद्र सतहसँ २७२ फिटक उचाईमे अवस्थित अछि । ई मन्दिरमे ४३७ सिढीसभ रहल अछि । ई मन्दिर भगवान विनायक (पौराणिक कथाक अनुसार आधा पुरूष, आधा पक्षी गरूड, जे भगवान विष्णुक वाहन छी, एकर सङ्केत प्रसिद्ध महाकाव्यमे सेहो उल्लेखित अछि)के समर्पित अछि । ई मन्दिरक मार्गमे अन्य मन्दिरसभ स्थापित अछि ।

आवागमनसम्पादन

सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन

  1. "Primary Census Abstract - Urban Aglomeration" (XLS), Registrar General and Census Commissioner of India, अभिगमन तिथि १३ अक्टुबर २०१५ 
  2. "Welcome to Tiruchirappalli ... The RockFort City!", Tiruchirappalli City Municipal Corporation, अभिगमन तिथि १० अगस्त २०१३ 
  3. "Search PCA Data by District/SubDistrict/Town/Village Name: Tiruchirappalli (M Corp.)", Registrar General and Census Commissioner of India, अभिगमन तिथि २५ जनवरी २०१४ 

बाह्य लिङ्कसभसम्पादन

तिरुचिरपल्लीक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

  चित्र आ मिडीया कमन्ससँ

एहो सभ देखीसम्पादन