चन्दन तिवारी

भोजपुरी लोक गायिका


चन्दन तिवारी भारतीय राज्य बिहारक एक गोटे भारतीय लोक गायक छी।[१]ओ लोक गायिकाकें रूपमे जनल जाईत अछि आ भोजपुरी, नागपुरी, अवधीहिन्दी भाषासभमे गवैत अछि। हुनका संगीत नाटक एकेडेमी-बिस्मिल्ला खान सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल अछि। हुनका कोलकातामे भोजपुरी कोकिलाद्वारा सम्मानित कएल गेल छल। बीएजी फिल्म्स-न्यूज २४, हुनका सर्वश्रेष्ठ पारम्परिक लोक गायिकाकें पुरस्कार देने अछि। ओ भारतीय लोक संगीतमे अपन योगदानक लेल इण्डिया टुडे म्यागजिनक कभर स्टोरीमे नजर आएल। ओ लोक के विभिन्न विधासभ जेना पूरबी सोहर, पचरा गान्धी गीत, नदी गीत, छठ गीत कजरी आ ठुमरीमे गवैत रहल अछि। [२][३][४]

चन्दन तिवारी
Chandan Tiwari
जन्म
भोजपुर, बिहार
राष्ट्रियताभारतीय
शिक्षाविनोभा भावे विश्वविद्यालय, बीए (अनर्स) मनोविज्ञान
व्यवसायगायिका
प्रसिद्धि कारणलोक गीतकार
पुरस्कारसंगीत नाटक एकेडेमी अवार्ड


प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

चन्दन तिवारीकें जन्म भारतक बिहार राज्यकें भोजपुर जिलाक पैघ गाममे भेल छल। हुनकर पालनपोषण झारखण्ड जिलाक चास बोकारो मे भेल छलन्हि। ओ विनोभा भावे विश्वविद्यालय हजारीबाग सँ मानवशास्त्रमे बीए अनर्स केनए छथि । प्रयाग संगीत समिति इलाहाबादसँ छ वरिषक प्रभाकर सेहो केनए अछि। मैथिलीभोजपुरी एकेडेमी, दिल्ली सरकारक लेल दुर्लभ आ ग्रामीण भोजपुरी गीत पर शोध परियोजना कऽ रहल छथि ।

करियर सम्पादन करी

चन्दन तिवारी भोजपुरी, मैथिली, मगही, अवधी, नागपुरीमे गाबबला लोक गायिका छी।[५] ओ भारतीय टेलिभिजन च्यानल दूरदर्शन पर अनेकौं विशेष संगीत कार्यक्रम केने अछि, जाहिमे माई म्यूजिकल एफर्ट पर विशेष शो आ पुरबियाताननिमिया चिरैयाँ के बसेर जेहन श्रृंखलासभ सम्मिलित अछि। ओ महुआ टिभी पर जिला टप आ सुर संग्राममे भाग लेने छल। ओ ईटिभी फोक जलवा शोमे हिस्सा लेने छल आ सँगही बिग म्याजिक गंगा टिभी पर ओ भक्ति सागरकें अनेकौं खास शो केने अछि । अल-इण्डिया रेडियो पटनाक साथ ओ विशेष लोक आ गजल रेकर्डिङ शो केने अछि। ओ सदिखन लोकगीतसभमे महिलासभक सहभागिता आ महिला सशक्तिकरणक पक्षमे खाढ रहल।[६]

ओ अनेकौं प्रतिष्ठित निजी एफएम रेडियो च्यानलसभक साथ अनेकौं संगीत श्रृंखलासभ आ साक्षात्कार सेहो केने अछि। जेना रेडियो मिर्ची, रेडियो धूम, रेडियो सनेही आ मोबाइल रेडियो-ग्रामवाणी। चन्दन तिवारी बिग म्याजिक गंगा टिभी शो रङ्ग पुरवैया कऽ चयन टीम के सदस्य छल। चन्दन तिवारी गायनकें विभिन्न विधासभ, उत्सवसभ आ अनेकौं प्रकारक मुद्दासभ पर काज करैत रहल अछि । ओ सभदिनेसँ म्यूजिक इन्डष्ट्रीमे अश्लीलताक विरुद्ध रहल अछि।[७]

प्रदर्शन सम्पादन करी

गायन कार्य सम्पादन करी

सामाजिक संगीत कार्य सम्पादन करी

पुरस्कार सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Sangeet Natak Akademi"sangeetnatak.gov.in। 11 December 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 15 February 2020
  2. "गीतों के जरिये चंदन तिवारी ने जोड़ा 'लोक'"। 10 May 2017। 1 February 2020 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 9 July 2018
  3. "इंटरनेट पर छाई इनकी आवाज, बचपन में भजन अब भोजपुरी में कर रहीं कमाल"dainikbhaskar। 21 March 2014। 1 February 2020 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 9 July 2018
  4. "भोजपुरी की प्रतिभावान और तेजस्वी गायिका हैं चंदन तिवारी, सुनें कुछ लोक गीत, देखें वीडियो | No. 1 Indian Media News Portal"www.bhadas4media.com। 1 February 2020 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 9 July 2018
  5. "चंदन तिवारी ने बताया अपने पसंदीदा 11 भोजपुरी गानों के बारे में"। 11 July 2018 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 9 July 2018
  6. "पब्लिक डिमांड से अलग हटकर सोचना होगा : चंदन"Firstpost Hindi (हिन्दीमे)। 9 May 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 9 July 2018
  7. "लोकगायिका चंदन तिवारी की कलम से एम्स्टर्डम डायरी"। 9 May 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 9 July 2018


बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी