भोजपुर नगरपालिका

(भोजपुर जिलासँ पुनर्निर्देशित)

भोजपुर नगरपालिका (English:  Bhojpur Municipality) नेपालक कोशी अञ्चलक भोजपुर जिलाक एक नगरपालिका छी। भोजपुर नगरपालिका भोजपुर जिलामे अवस्थित नगरपालिका छी । ई नगरपालिका २०६८ साउन १ सँ लागू भऽ बनाइएल अछि। एकरा नगरपालिका घोषणा करैत खन भोजपुर, बोखिम, टक्सार आ भैसीपंखा गाउँ विकास समितिसभ समावेश कएल गेल अछि। आर्थिक वर्ष २०६८/६९क बजेटमार्फत् मुलुकमे ४१ नयाँ नगरपालिका थपैत खन भोजपुर सेहो नगरपालिका बनल अछि। महानगरपालिका, उपमहानगरपालिका आ नगरपालिका करि अखन मुलुकमे कूल ९९ भेल अछि आ गाविसक संख्या ३ हजार ९ सय १२ सँ घटि ३ हजार ७ सय ५२ भेल अछि।

भोजपुर नगरपालिका
Bhojpur, Nepal
देश नेपाल
अञ्चलकोशी
जिलाभोजपुर
जनसङ्ख्या
 (१९९१)
 • कुल५,८२३
समय क्षेत्रयुटिसी+5:45 (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०२९


जनसंख्या संपादित करें

नेपालक सन् १९९१ के जनगणना अनुसार भोजपुर नगरपालिकाक जनसंख्या ५,८२३ अछि।[१]

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत भोजपुर नगरपालिका कऽ नक्सा संपादित करें

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत भोजपुर नगरपालिका कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]


बाह्य जडीसभ संपादित करें

सन्दर्भ सामग्रीसभ संपादित करें

  1. Central Bureau of Statistics (CBS)
  2. निर्वाचन आयोग नेपाल, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.

एहो सभ देखु संपादित करें