कैलाली जिला
कैलाली नेपालक सुदूरपश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक सेती अञ्चलमे अवस्थित समथर भूभाग तथा पहाड मिश्रित जिला छी । ई जिलाक क्षेत्रफल ३,२३५ वर्ग किलोमिटर आ जनसङ्ख्या (२०६८) ७,७५,७०९ रहल अछि । कैलाली जिलाक सदरमुकाम धनगढी छी। ई जिलामे छ टा नगरपालिका अछि :लम्की चुहा नगरपालिका, टीकापुर नगरपालिका, अत्तरिया नगरपालिका, घोडाघोडी नगरपालिका, भजनी-त्रिशक्ती नगरपालिका आ धनगढी उपमहानगरपालिका । टीकापुरमे अवस्थित टीकापुर वृहत उद्यान नेपालक सबसँ पैग मानव निर्मित उद्यान छी तहिने कैलाली जिलामे रहल घोडाघोडी तालके विश्व सम्पदा सूचीक संरक्षित सिमसार क्षेत्रमे राखल गेल अछि ।
कैलाली जिला Kailali District | |
---|---|
जिला | |
![]() | |
देश | ![]() |
प्रदेश | सुदूरपश्चिमाञ्चल |
अञ्चल | सेती |
भौगोलिक अवस्थिति | तराई |
गाउँपालिका सङ्ख्या | ३१ |
नगरपालिका सङ्ख्या | ६ |
उपमहानगरपालिका सङ्ख्या | १ |
सदरमुकाम | धनगढी |
क्षेत्रफल | |
• सम्पूर्ण | ३२३५ किमी२ (१२४९ वर्गमाइल) |
उँचाई(अधिकतम) | १९५० मिटर (६४०० फिट) |
उच्चतम उँचाई | १९५० मिटर (६४०० फिट) |
न्युनतम उँचाई | १०९ मिटर (३५८ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०६८[१]) | |
• सम्पूर्ण | ७,७५,७०९ |
• घनत्व | २४०/किमी२ (६२०/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५) |
टेलिफोन कोड | ०९१ |
मुख्य भाषासभ | नेपाली |
प्रमुख जातिसभ | बाहुन, क्षेत्री आदि |
वेबसाइट | www.ddckailali.gov.np |
जिलाक नामाकरणसंपादित करें
कैलाली जिलाक नामाकरण सम्बन्धमे बहुतेक रास मतसभ विद्यमान अछि। ओहीमे सँ प्रमुख मतसभ एहिप्रकार अछि। परापूर्व कालमे कैलाली जिलामे कालाबञ्जारक राज्य छल आ ओसभ सदरमुकाम आजुक कैलाली नाम कएल गाउँमे छल । ओहि ठामके पहिने कालापानी कहल जाइत छल । पहिनेके समयमे जे कियो अपराध करैत छल ओ अपराधीसभके याह ठाममे पठाए सजाय देल जाइत छल । उपरमे कालापानी नामसँ बहैवला नदी नीचा आबि खुटिया खोलाक नामसँ प्रसिद्ध अछि । सम्भवत याह कारणसँ सेहो शब्दक अपभ्रंस होइत होइत एकर नाम कैलाली रहल भऽ सकैक अनुमान कएल जाइत अछि ।
भौगोलिक अवस्थासंपादित करें
- विकासक्षेत्र: सुदूर पश्चिमाञ्चल
- अञ्चल: सेती
- अक्षांस: २८.२२" उत्तर सँ २९.५" उत्तरधरि
- देशान्तर: ८०.३०" पूर्व सँ ८१.१८" पूर्वधरि
- सिमाना: पूर्व-कर्णाली नदी, बर्दिया आ सुर्खेत, पश्चिम-कञ्चनपुर आ डडेलधुरा, उत्तर-डोटीडडेलधुरा आ सुर्खेत, दक्षिण- मोहना नदी आ भारतक उत्तर प्रदेश राज्य
- क्षेत्रफल: ३,२३५ वर्ग किलोमिटर (पहाड ४०.३% आ तराई ५९.७%)
- सबसँ उँच स्थान: १,९५० मिटर
- सबसँ गहीर स्थान: १०९ मिटर
- धरातल: चुरे पहाडी प्रदेश आ तराई प्रदेश
प्रमुख नदीसभसंपादित करें
कर्णाली, मोहना, खुटिया, पथरैया, शिवगंगा, गौरी, गंगा, वनरा, गुलरा, गोदावारी, जमरा,आदी
प्रमुख तालसभसंपादित करें
घोडाघोडी ताल, जोखर ताल, तिलेक, कोईलही, लौकाभौका, वेहडावावा
प्रमुख धार्मिक स्थलसभसंपादित करें
धनगढी ४ उत्तरवेहडी शिवपुरीधाम, शमैजी (गोला देउ) फूलवस्ती, गोदावरीगंगा, ग्वाशी, बेहडाबाबा, लक्ष्मीनारायण मन्दिर, नैनादेवी मन्दिर, पशुपति मन्दिर, वेङ्कटेश्वर मन्दिर, वनदेवी मन्दिर, गोदावरीस्थित शिव मन्दिर
प्रमुख पर्यटक स्थलसभसंपादित करें
टीकापुर पार्क, घोडाघोडी ताल, लम्किक चिसापानि स्थित कर्णाली पुल, खैराला दरबार, गोदावरी, खानीडाडा, धनगढी स्थित जोखर ताल, धनगढी पार्क आ राजकाँडा
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ "नेपालको राष्ट्रिय जनगणना २०६८ (गाविस तह)", नेपाल सरकार, राष्ट्रिय योजना आयोग, अन्तिम पहुँच २०१२ नवम्बर १२।