कुवैत सिटी
कुवैत सिटी (अरबी: مدينة الكويت, लिप्यन्तरण: मदीनत-अल-कुवैत) कुवैतक राजधानी होएके साथ-साथ हिमरके सबसँ पैग शहर सेहो छी । एकरा कुवैतक मुटु सेहो कहैत अछि । एहि शहरमे संसद भवन तथा अधिकांस सरकारी कार्यालयसभ स्थित अछि । देशक राजनीतिक राजधानी होएके साथ-साथ एकरा देशक सांस्कृतिक तथा आर्थिक राजधानी सेहो मानैत अछि । एकर अनुमानित जनसंख्या शहरीय सीमामे ६३,६०० (२००६) आ महानगरीय क्षेत्रमे २३.८ लाख अछि । शहरक क्षेत्रफल २०० वर्ग किलोमीटर अछि ।
कुवैत सिटी (शहर) مدينة الكويت मदीनत एल कुवैत |
|
---|---|
![]() |
|
निर्देशांक : २९°२२′११″उ॰ ४७°५८′४२″पू॰ / २९.३६९७२°N ४७.९७८३३°Eनिर्देशाङ्क: २९°२२′११″उ॰ ४७°५८′४२″पू॰ / २९.३६९७२°N ४७.९७८३३°E | |
देश | कुवैत |
राज्य | अल असीमाह |
क्षेत्र | |
• महानगर | 200 किमी2 (80 वर्गमाइल) |
जनसंख्या (2005 अनुमान) | |
• City | ९६,१०० |
• महानगर | २३,८०,००० |
समय मण्डल | EAT (यूटीसी +3) |
ई शहर फारसक खाडी तटमे स्थित अछि आ कुवैतक सम्सद (मजलिस अल-उम्मा), अधिकांश सरकारी कार्यालय, कुवैतक बहुत पैग कम्पनी अत स्थित अछि । निर्विवाद रूपसँ ई कुवैतक राजनैतिक, सांस्कृतिक आ आर्थिक केन्द्र छी । एहि साथ ई अरब जगतक एक महत्वपूर्ण पर्यटन स्थल सेहो छी । लिबरेशन टावर, कुवैत टावर, नेशनल म्यूजियम, फैलाका द्वीप, इन्टरटेनमेन्ट सिटी, साइन्स एण्ड नेचुरल हिस्ट्री म्यूजियम, लिबरेशन स्मारक, साइन्टिफिक सेन्टर, तारिक रजाब म्यूजियम, बयात अल- बदीर, जूलाजिकल पार्क, सङ्गीतमय फव्वारा आदि हिमरक प्रमुख दर्शनीय स्थल छी ।[१][२][३]
प्रमुख आकर्षणसंपादित करें
लिबरेशन टावरसंपादित करें
ई टावर कुवैतक मुक्ित तथा उसकर पुनरुत्थानका प्रतीक छी । ई विश्वक सबसँ उच्च टावरमध्ये एक छी । ई टावर ३७२ मीटर उच्च अछि । लिबरेशन टावर एफिल टावरसँ ४० मीटर बहुत उच्च अछि । ई टावरक नाम इराकी कब्जासँ मुक्ति पछा देने अछि । ई टावर इमारत सिरेमिक टाइलसँ बनाने अछि ।
कुवैत टावरसंपादित करें
ई कुवैत सिटीक प्रमुख दर्शनीय स्थलमध्ये एक छी । ई टावर दशमनमे अरब सागरक तटमे सिटी सेन्टरक पूर्वमे स्थित अछि । ई टावर १८७ मीटर उच्च अछि ।
नेशनल म्यूजियमसंपादित करें
ई म्यूजियम नेशनल एसेम्बलीको नजिक स्थित अछि । ई म्यूजियम परिसरमे चार भवन तथा एक तारामन्डल अछि । नेशनल म्यूजियममे इस्लामिक कलाक अल सबाह शैलीका सुन्दर सङ्ग्रह अछि । एकर अतिरिक्त एहिमे अरबी शैलीक हस्तशिल्पक सेहो अदभूत सङ्ग्रह अछि । ई म्यूजियममे इस्लामिक शैलीक वस्तुक सेहो प्रदर्शनक लेल राखने अछि । नेशनल म्यूजियमके इराकी आक्रमणकारिया जला देने छल ।
फैलाका द्वीपसंपादित करें
१२ किलोमीटर लम्बाइ ६ किलोमीटर चौडाइ ई द्वीप कुवैत सिटी सेन्टरसँ २० किलोमीटर उत्तर-पूर्वमे स्थित अछि । ई कुवैतक एक प्रमुख पुरातात्विक स्थल छी । ई द्वीपक सम्बन्ध काङ्स्य युगसँ जोडने अछि । ओहि समय अत लोगसभक निवास छल । एहि द्वीपमे ग्रीक आक्रमणकारियासँ अपन बस्ती बबसाने छल । एक प्राचीन मन्दिरक अवशेष प्पाणी देख सकैत अछि ।
इन्टरटेनमेन्ट सिटीसंपादित करें
ई कुवैत सिटीसँ २० किलोमीटर दुरिमे स्थित अछि । ई विश्वक प्रमुख मनोरन्जन केन्द्रमध्ये एक छी । एहि ठाम मनोरन्जनक पूरा बन्दोबस्त अछि। ई सिटी अरब वर्ल्ड, फ्यूचर वर्ल्ड तथा इन्टरनेशनल वर्ल्डरमे तीन भागमे बाड्ने अछि । एकर रेक-देख के. टी. ई. सी. करैत् अछि ।
विज्ञान तथा प्राकृतिक इतिहास सङ्ग्रहालयसंपादित करें
ई साइन्स एण्ड नेचुरल हिस्ट्री म्यूजियम अब्दुल्लाह मुबारक गलीमा स्थित अछि । एहिमे म्यूजियममे प्राकृतिक इतिहास, तेल उद्योग, उड्यन उद्योग, वनस्पति शास्त्र, इलेक्टोनिक्स तथा अन्तरिक्ष सम्बन्धित वस्तुक प्रदर्शित कएल गेल अछि । ई म्यूजियम शनिवारसँ बुधवारतक बिहान आ साझके खुला रहैत अछि ।
लिबरेशन स्मारकसंपादित करें
ई स्माकर कुरेन हाउसिङ्ग क्षेत्रमे स्थित अछि । ई क्षेत्र इराक आ कुवैत बीच भेल युद्धक सबुत छी । आब ई क्षेत्रके स्मारकक रुपमे परिवर्तित कएल गेल अछि । ई स्मारकमे इ युद्ध सम्बन्धित वस्तुके प्रदर्शनीक लेल राखने अछि । एकर बाहेक ई स्मारकमे इराकी आधिपत्यके चित्रक माध्यमसँ प्रदर्शित कएल गेल अछि ।
साइन्टिफिक सेन्टरसंपादित करें
ई मध्य-पूर्वक सबसँ पैग एक्वेरियम छी । एकर निर्माण कुवैत फाउन्डेशन करने अछि । ई एक्वेरियममे समुद्री जीव तथा समुद्रमे पावैवला गाछ-बिरुक्ष प्रदर्शित करैत अछि ।
तारिक रजाब म्यूजियमसंपादित करें
ई एक रजाब परिवारक निजी म्यूजियम छी । ई म्यूजियमक निर्माण कार्य १९५० सँ दशक मे आरम्भ भेल छल । एकरा १९८० मे लोगसभक लेल खोल देने छल । ई म्यूजियम दुई भागमे बाटने अछि । एहिमे माइट वर्तन, सुलेखन, धातु शिल्प, लठ्ठीक हस्तशिल्प, हाथीक वस्तु, सिसाक सामान आदि देख सकैत अछि । ई म्यूजियमक भित्तामे कुरान उकेरा भेल छल । म्यूजियमक दोसर भागमे इस्लामिक शैलीक आभूषण, कपडा आदिके प्रदर्शनक लेल राखने अछि ।
बयात अलसंपादित करें
बदीर: ई एक पुराना भवन छी, जे अल-सादू भवन निकट स्थित अछि । ई इमारतक निर्माण १८३८ ई. सँ १८४८ ई. क बीच भेल छल ।
जूलाजिकल पार्कसंपादित करें
ई पार्क एयरपोर्टक नजिक ओमारियामे अछि । ई पार्क १८०००० वर्ग मीटरमे फैलल अछि । ई पार्कमे जानवरक ६५ प्रकार, पक्षिक १२९ प्रकार तथा ५ प्रकारक रेङ्गने वाला जीव देख सकैत अछि ।
सङ्गीतमय फव्वारासंपादित करें
ई फव्वारा रिङ्ग रोड १ मे आईस स्केटिङ्ग रिङ्कक छेउमे स्थित अछि । अतके प्रत्येक बेलुमे ६ बजेसँ रात १० बजेतक सङ्गीतमय फव्वाराक शो देखा वैत अछि ।
ई बाहेक कुवैत साइन्स क्लब, सादु हाउस, मस्जिद, पार्क, आर्ट आदि सेहो देख्न सकैत अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ "Constancy and Change in Contemporary Kuwait City: The Socio-cultural Dimensions of the Kuwait Courtyard and Diwaniyya", Mohammad Khalid A. Al-Jassar, २००९, पृ: ६४।
- ↑ Bell, Sir Gawain (1983). Shadows on the Sand: The Memoirs of Sir Gawain Bell. प॰ 222. आइएसबिएन 9780905838922. https://books.google.com/books?id=e2LLngEACAAJ&dq.
- ↑ ʻAlam-i Nisvāṉ – Volume 2, Issues 1–2. प॰ 18. https://www.google.com/search?q=kuwait+important+trading+port+pearl+merchants+import+export+goods&btnG=Search+Books&tbm=bks&tbo=1&gws_rd=ssl. "Kuwait became an important trading port for import and export of goods from India, Africa and Arabia."
बाह्य जडीसभसंपादित करें
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास कुवैत सिटीसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |
- कुवैत सिटी विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी