कालिदास डीह
कालिदास डीह भारतक बिहारराज्य केर मधुबनी जिलाक उच्चैठ स्थान ग्राममे स्थित एकटा ऐतिहासिक आ पवित्र स्थान थिक्। ई संस्कृत विद्वान, नाटककार आ नाटककार कालिदाससँ सम्बन्धीत अछि।[१]ई गाममे एकटा माटि केर ढेर अछि जेकरा कालिदास डीह केर नामसँ पहचानल जाइत् छैक्। एतय कालिदास आ हिनक कृतिसभक साँचसभ अछि। एहन मानल् जाइत अछि जे कालिदास अपन बहुतरास पुस्तकसभ एतय लिखने छल। ई कालिदासक स्मृति स्मारकसभमे सँ एक छि। एतय उच्चैठ भगवतीक कृपासँ हुनका ज्ञानक प्राप्ति भेल। ओ अपन प्रारम्भिक जीवन एही स्थल केर निकट एकटा गुरुकुलमे बितौने छल।[२]प्रत्येक वरिष अक्टूबर महिनामे बिहार सरकार कालिदासक यादमे एकटा सरकारी उत्सव केर आयोजन करैत अछि जेकरा महाकवि कालिदास महोत्सव केर नामसँ जानल् जाइत् अछि। ई स्थानके हिन्दू तीर्थयात्रीसभक लेल एकटा पर्यटन केन्द्रक रूपमे मान्यता देल गेलअछि ।[३]
कालिदास डीह Kalidas Dih | |
---|---|
धर्म | |
आवद्धता | Hinduism |
District | मधुबनी |
देवता | Kalidasa |
पावनि | Mahakavi Kalidas Mahotsva |
Governing body | बिहार सरकार |
स्थान | |
प्रदेश | बिहार |
राष्ट्र | भारत |
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "MITHILA, THE NATIVE PLACE OF KALIDASA"। www.bihartimes.in। अन्तिम पहुँच 20 अगस्त 2021।
- ↑ csts.org.in। "Mithila and Kalidas"। csts.org.in (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 21 अगस्त 2021।
- ↑ "बिहार के मधुबनी में महाकवि कालिदास को मां भगवती से मिला था ज्ञान का वरदान"। Dainik Jagran (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 21 नवम्बर 2021।