औरङ्गाबाद, महाराष्ट्र
छत्रपति सम्भाजीनगर भारतक महाराष्ट्र राज्यक एक महानगर छी । अजन्ता गुफा आ एलोरा गुफा विश्व सम्पदा क्षेत्रमे सूचीवद्ध भेला कारणसँ ई एक महत्वपूर्ण पर्यटक केन्द्र छी । छत्रपति सम्भाजीनगर शहर एक प्रमुख उद्योगिक शहर तथा शिक्षाक केन्द्र छी । ई एक जिला तथा क्षेत्रीय मुख्यालय सेहो छी । छत्रपति सम्भाजीनगर विश्वमे बौद्ध गुफा अजन्ता आ एलोरा गुफाक कारण प्रसिद्ध अछि । ई गुफासभक निर्माण २०० ईसा पूर्व सँ ६५० ईसा पूर्वमे भेल छल ।
छत्रपति सम्भाजीनगर
छत्रपति सम्भाजीनगर Chhatrapati Sambhajinagar, Maharashtra | |
---|---|
महानगरीय क्षेत्र | |
देश | भारत |
राज्य | महाराष्ट्र |
क्षेत्र | मराठवाडा |
जिला | छत्रपति सम्भाजीनगर |
क्षेत्रफल | |
• महानगरीय क्षेत्र | ३०० किमी२ (१०० वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• महानगरीय क्षेत्र | ११,७१,३३० |
• क्रम | ३१ |
• घनत्व | ३९००/वर्ग किमी (१००००/वर्ग माइल) |
• सहरी | १७,१०,२८५+ |
• महानगर | ११,८९,३७६ |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | मराठी, हिन्दी, उर्दु |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
डाक कोड | ४३१ XXX |
टेलिफोन कोड | ०२४० |
सवारी दर्ता | MH 20 |
मध्यकलमे छत्रपति सम्भाजीनगर भारतमे अपन महत्वपूर्ण स्थान राखैत अछि । औरङ्गजेब अपन जीवनको उत्तरार्द्ध एतय व्यतीत केनए छल आ औरङ्गजेबक मृत्यु सेहो याह स्थानमे भेल छल । औरङ्गजेबक पत्नी रबिया दुरानीक मकबरा एतय अवस्थित अछि । ई मकबराक निर्माण ताजमहलक प्रेरणासँ लेल गेल अछि । ताहिकारण एकरा पश्चिमक ताजमहल सहो कहल जाइत अछि ।
पर्यटन स्थल
सम्पादन करीबीबीक मकबरा
सम्पादन करीई सुन्दर इमारतके स्थानीय लोक ताजमहलक जुड़वा रुप मानैत अछि। मुदा बाहरक लोकसभ एकरा ताजमहलक गलत नक्कल मानैत अछि । एकरा औरङ्गजेबक बेटा आजमशाह अपन माता रबिया दुर्रानीक यादमे बनेनाए छल । ई इमारत अखनो पूर्णत: सुरक्षित अवस्थामे अछि । याह शहरमे दोसर भवन अछि जकरा सुनहरी महल कहल जाइत अछि ।
पनचक्की
सम्पादन करीई पनचक्कीक निर्माण राजा मलिक अम्बरद्वारा कराएल गेल अछि । ई पनचक्कीमे पानि ६ किलोमिटरक दूरीसँ माटिक पाइपसँ आबैत छल । एकर च्याम्बरमे लोहाक पङ्खा घुमैत छल जाहिसँ ऊर्जा उत्पन्न होइत छल । ई ऊर्जाक उपयोग आटाक मिलके चलानमे कएल जाइत छल । ई मिलमे तीर्थयात्रीसभक लेल अनाज पिसल जाइत छल । याह स्थानमे कुम नदीक बामा तटमे बाबा शाह मुसाफिरक मजार अछि । औरङ्गजेब बाबा शाहको बहुत आदर करैत छल । ई मकबरा लाल रङ्गक साधारण पत्थरसँ बनाएल गेल छल । ई मकबरा सन्तक सादगीक प्रतीक छी ।
ध्वंस अवशेष
सम्पादन करीऔरङ्गाबाद शहरमे बहुतेक दरवाजासभ कऽ अवशेष अखनो बाँकी अछि । ई ध्वंस अवशेषसभमे दिल्ली, जालान, पैठान तथा मक्क रा॓शन दरवाजा शामिल अछि । ई वाहेक बहुते भवनसभक अवशेष सहो अछि । नकोन्डा दरबार, किला अर्क तथा दामरी महल आदिक अवशेष एतय अछि ।
पूजास्थल
सम्पादन करीपुरानो शहरमे फैलल ई मस्जिद आ दरगाह लगातार उपयोगमे आबैक करण बढिया अवस्थामे अछि । ई भवनसभमे जामा मस्जिद प्रमुख अछि जे निजाम आ मुगल दुनूक शासन कालमे अपन महत्व राखैत छल । जामा मस्जिद वाहेक शाह गञ्ज मस्जिद, चौकीक मस्जिद (ई मस्जिदक निर्माण औरङ्गजेबक काकाद्वारा कराएल गेल छल) आदि इमारतसभ सहो देख योग्य अछि । शहरक उत्तरमे पीर इस्लामक दरगाह अछि । ई दरगाहमे औरङ्गजेबक शिक्षकक समाधि अछि ।
बानी बेगम बाग
सम्पादन करीई सुन्दर बाग औरङ्गाबादसँ २४ किलोमिटर दूर अवस्थित अछि । ई बागमे बनल बेगमक समाधि बनल अछि । बानी बेगम औरङ्गजेबक पत्नी छल । ई मकबरमे भव्य गुम्बद अछि । ई मकबरा डेक्कन प्रभावित मुगल वास्तुशैलीक सुन्दर नमूना छी ।
औरङ्गाबादक गुफासभ
सम्पादन करीई गुफासभ शहरसँ किछ किलोमिटर दूर उत्तरमे अवस्थित अछि । ई गुफासभमे बौद्ध धर्म सम्बन्धित चित्रकरी कएल गेल अछि । एतय कुल दस गुफासभ अछि जे कि पूर्व आ पश्िचमी भागमे बटल अछि । ई गुफासभमे चौथी गुफा सबसँ पुरान छी । ई गुफाक बनावट हिनयान सम्प्रदायसँ सम्बन्धित वास्तुशैलीमे कएल गेल अछि । ई गुफासभमे जातिक कथासभ सम्बन्धित चित्रकरी कएल गेल अछि । गुफामे बुद्धके एक जैन तीर्थङ्करक रुपमे दर्शाएल गेल अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करीबाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे औरङ्गाबाद, महाराष्ट्रसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |