आशीष अनचिन्हार (अङ्ग्रेजी: Ashish Anchinhar) मैथिली गजल लेल जानल जाइ छथि। हिनक मूल नाम आशीष कुमार मिश्र (अङ्ग्रेजी: Ashish Kumar Mishra) छनि । अनचिन्हारजीक जन्म बिहारक मधुबनी जिलाक भटरा घाट नामक गाममे ०४ दिसम्बर १९८५ के भेल छनि।[१] आशीषजी वृतिसँ आपूर्ति शृङ्खला प्रबन्धन प्रोफेशनल छथि आ देश-विदेशक विभिन्न बहुराष्ट्रिय कम्पनीमे सम्भार तन्त्र केर सफल सञ्चालन कऽ रहल छथि ।

आशीष अनचिन्हार
Ashish Anchinhar
जन्म
आशीष कुमार मिश्र

(१९८५-१२-०४) ४ दिसम्बर १९८५ (उमर ३८)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसाय
  • मैथिली गजलकार
  • आलोचक
  • व्यंग्यकार
सक्रिय वर्ष२००१-वर्तमान
सम्बन्धीस्व.कृष्ण चन्द्र मिश्र (पिता)
श्रीमती गम्भीरा मिश्रा (माता)


पारिवारिक जीवन एवं शिक्षा सम्पादन करी

अनचिन्हारजी अपन परिवारक सभसँ छोट छथि। हुनकासँ नमहर दूटा भाय श्री गोविन्द मिश्र (पत्नी-श्रीमती ममता मिश्र), श्री मनोज कुमार मिश्र (पत्नी-श्रीमती हेमा मिश्र) आ बहीनि रिंकी झा (पति-श्री अरूण झा) छथिन। बाबा- स्व. अनिरुद्ध मिश्र (स्व. भुवनेश्वरी देवी)। मामा गाम- जजुआर, नाना- स्व. भाग्यनारायण ठाकुर, नानी-सोन दाइ, जेठ मामा- स्व. वशिष्ठ नारायण ठाकुर, छोट मामा- श्री घनश्याम ठाकुर। अनचिन्हारजीक प्रारंभिक शिक्षा गामक इस्कूलमे भेलनि तकरा बाद मैट्रिक बिस्फीक इस्कूलसँ। एकर बादक शिक्षा कलकत्तासँ पूर्ण भेलनि।

साहित्यिक जीवन एवं अन्य क्रियाकलाप सम्पादन करी

नेनपनेसँ तुकान्त जोड़बाक आदति सन् २००१ मे गजलक रूपमे बदलि गेलनि । प्रारम्भमे अनचिन्हारजी गीत, व्यङ्ग्य, कविता ओ कथा सेहो लिखलाह मुदा सन् २००१ मे ई पूर्ण रूपेण गजल सीखब शुरू केलनि आ सन् २००८ मे गजल केन्द्रित ब्लाग अनचिन्हार आखर केर निर्माण केला । एहि ब्लागसँ एखन धरि अनचिन्हारजी कुल ३०-३२ टा मैथिली गजलकारकेँ प्रशिक्षित कऽ मैथिली गजलकेँ विस्तार देलाह।[२] हिनक एक गीत रेकार्ड भऽ कऽ सेहो "बम-गोला" नामक एलबममे आएल अछि। [३]

प्रकाशित कृति सम्पादन करी

  • अनचिन्हार आखर (गजल, रुबाइ ओ कता सङ्ग्रह)[४]
  • मैथिली गजलक व्याकरण ओ इतिहास(ई भर्सन प्रकाशित)[५]
  • मैथिली वेब पत्रकारिताक इतिहास (ई भर्सन प्रकाशित)[६]
  • जंघाजोड़ी (गजल संग्रह, ई भर्सन प्रकाशित)[७]
  • मैथिली गजलक Ready Reckoner (मैथिली गजल व्याकरणक संक्षिप्त रूप, ई भर्सन प्रकाशित)[८]
  • कुमारि इच्छा (गजल संग्रह, ई भर्सन प्रकाशित)[९]
  • शब्द-अर्थ-शक्ति (स्वतंत्र रूपे मैथिली गजलक पहिल आलोचना पोथी, ई-भर्सन प्रकाशित)[१०]
  • संदर्भ सहित (गजल-आलोचना)[११]


संपादित पोथी-

1) स्वतंत्रचेता (अरविन्द ठाकुर: व्यक्तित्व-कृतित्व, विदेहक अरविन्द ठाकुर विशेषांक केर संशोधित रूप, बर्ष-२०२० शशि प्रकाशन, कालिकापुर, सुपौल)[१२][१३][१४]

2) नबोनारायण मिश्र समग्र (ई-भर्सन प्रकाशित)[१५]


गजेन्द्र ठाकुरक संगे सह-सम्पादित पोथी

  • मैथिली गजल:आगमन ओ प्रस्थान बिन्दु (गजलक आलोचना-समालोचना-समीक्षा), ई-भर्सन प्रकाशित [१६]
  • मैथिलीक प्रतिनिधि गजल (१९०५सँ २०१६ धरि), ई-भर्सन प्रकाशित [१७]

एकर अतिरिक्त विभिन्न पत्र-पत्रिकामे विभिन्न विधाक रचना सभ प्रकाशित। [१८][१९] [२०] [२१][२२] हिनक व्यंग्य केर हिंदी अनुवाद सेहो भेल अछि। [२३]

आलोचना सम्पादन करी

गजलक अतिरिक्त अनचिन्हार जी बहुत रास आलोचना लिखने छथि जे कि अपन एकटा खास शैली आ बेबाकीक कारणे विवादित भेल आ बहुसङ्ख्य मैथिलीक गुटबाज साहित्यकार सभ द्वारा अनचिन्हारजीक जानि बूझि कऽ बहिष्कार सेहो भेल मुदा अनचिन्हारजी पुरस्कार ओ गुटबाजीसँ प्रेरित संस्था सभकेँ दरकिनार करैत बेबाक भऽ अपन खास शैलीक आलोचना लिखैत रहला ।

सम्मान सम्पादन करी

बर्ष २०१४-१५ लेल विदेह भाषा सम्मान(समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान)सँ पोथी “अनचिन्हार आखर” (गजल संग्रह) लेल सम्मानित।[२४]

सन्दर्भ सामग्री सम्पादन करी

  1. http://sahitya-akademi.gov.in/sahitya-akademi/SASearchSystem/sauser/writerinfo.jsp?wrids=4719
  2. अनचिन्हार आखर(ब्लाग)
  3. छौ चढ़ल जवानी भरपूर
  4. अनचिन्हार आखर(पोथी)
  5. मैथिली गजलक व्याकरण ओ इतिहास[permanent dead link]
  6. मैथिली वेब पत्रकारिताक इतिहास
  7. जंघाजोड़ी
  8. मैथिली गजलक रेडी रेकोनर
  9. कुमारि इच्छा
  10. शब्द-अर्थ-शक्ति (स्वतंत्र रूपे मैथिली गजलक पहिल आलोचना पोथी, ई-भर्सन प्रकाशित)[१]
  11. संदर्भ सहित (गजल-आलोचना)[२]
  12. स्वतंत्रचेता (अरविन्द ठाकुर: व्यक्तित्व-कृतित्व)[३]
  13. स्वतंत्रचेता (अरविन्द ठाकुर: व्यक्तित्व-कृतित्व)
  14. स्वतंत्रचेता
  15. नबोनारायण मिश्र समग्र (ई-भर्सन प्रकाशित)[४]
  16. मैथिली गजल: आगमन ओ प्रस्थान बिंदु[permanent dead link]
  17. मैथिलीक प्रतिनिधि गजल[permanent dead link]
  18. "अनचिन्हारक कविता" (हिन्दीमे)। कविताकोश। अन्तिम पहुँच 2016-07-19
  19. http://www.mithiladainik.in/2009/06/blog-post_27.html%5B%5D
  20. http://biharidhamaka.blogspot.in/2017/04/maithili-gazals-of-ashish-anchinhar.html
  21. https://anchinharakharkolkata.blogspot.in/2017/06/blog-post_11.html
  22. https://anchinharakharkolkata.blogspot.in/2016/07/blog-post_30.html
  23. http://pahleebar.blogspot.in/2016/02/blog-post_15.html
  24. http://videha.co.in/aboutme.htm