अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस
अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस २१ फरबरीक मनाएल जाइत अछि । १७ नवम्बर, १९९९कें दिन युनेस्कोद्वारा एकरा स्वीकृति देल गेल छल । इ दिवस मनेबाक उद्देश्य ई अछि कि विश्वमे भाषासभ तथा सांस्कृतिक विविधता आ बहुभाषिताकऽ बढ़ावा भेंट सकए ।
अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस International Mother Language Day | |
---|---|
आधिकारिक नाम | अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस |
महत्व | भाषासभ आ सांस्कृतिक विविधता आ बहुभाषावादक बारेमे जागरूकताक बढ़ावा देबाक। |
तिथि | २१ फरबरी |
मानाएल | वार्षिक |
युनेस्कोद्वारा अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसक घोषणासँ बङ्गलादेशक भाषा आन्दोलन दिवस (बङ्गला: ভাষা আন্দোলন দিবস / भाषा आन्दोलोन दिबॉश)कऽ अन्तर्राष्ट्रिय स्वीकृति मिलल, जे बङ्गलादेशमे सन् १९५२सँ मनाएल जाऽ रहल अछि । बङ्गलादेशमे एहि दिन एक राष्ट्रिय अवकाश होइत अछि । सन् २००८ऽक अन्तर्राष्ट्रिय भाषा वर्ष घोषित करैत, संयुक्त राष्ट्र महासभाद्वारा अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके महत्वके पुनः दोहराओल गेल अछि ।
समय क्रम
सम्पादन करी- २००० : अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसक उद्घाटन उत्सव
- २००१ : द्वितीय वार्षिक उत्सव
- २००२ : भाषा विविधता : खतरामे ३००० भाषासभ (नारा : भाषासभक आकाशगङ्गामे, हरेक शब्द एक सितारा छी )
- २००३ : चारिम वार्षिक उत्सव
- २००४ : बच्चासभक जानऽके लेल शिक्षा
- २००५ : ब्रेल तथा अन्य भाषासभमे 'साइन इन' करी
- २००६ : भाषासभ आर साइबरस्पेस
- २००७ : बहुभाषी शिक्षा
- २००८ : अन्तर्राष्ट्रिय भाषा वर्ष
- २००९ : दशम वार्षिक उत्सव
- २०१० : मैत्री संस्कृतिक लेल अन्तर्राष्ट्रिय वर्ष
- २०११ : सूचना आर सञ्चार प्राविधिक
- २०१२ : मातृभाषा शिक्षा आर समावेशी शिक्षा
- २०१३ : मातृभाषामे शिक्षाके लेल पुस्तसभ
- २०१४ : वैश्विक नागरिकताके लेल स्थानीय भाषासभ तथा विज्ञान पऽ बल
- २०१५ : शिक्षाके माध्यमसँ शिक्षामे समावेश : भाषा महत्वपूर्ण अछि (पेरिसमे कार्यक्रम)
- २०१६ : गुणवतापूर्ण शिक्षा, शिक्षणक भाषा तथा सीखिके परिणाम
- २०१७ : बहुभाषी शिक्षाके माध्यमसँ टिकाउ भविष्यकऽ दिस
अन्तर्राष्ट्रिय स्तर पर
सम्पादन करी- लिङ्गुआपाक्स पुरस्कार, अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसक अवसर पर प्रतिवर्ष प्रस्तुत कएल जाइत अछि।
- युनेस्को प्रत्येक अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसकऽ लेल विषय सेट फरवरी २१ कें अगल बगल पेरिसमे अपन मुख्यालयके लेल सम्बन्धित घटनासभ रखैत अछि।
- सन् २००८ मे , अन्तर्राष्ट्रिय भाषा वर्ष औपचारिक रूपसँ अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके अवसर पर शुरू कएल गेल छल।
एहो सभ देखी
सम्पादन करीबाह्य जडीसभ
सम्पादन करी- अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके लेल यूनेस्कोक जालघर सङ्ग्रहित २००७-०२-२४ वेब्याक मेसिन
- खतराक सामना करि रहल विश्वक भाषासभक मानचित्र
- सन्राष्ट्र सूचना सन्साधन
- बांग्लादेश से आधिकारिक सम्बन्धित पृष्ठ सङ्ग्रहित २००७-०५-२० वेब्याक मेसिन
- यूनेस्को शिक्षा (पूर्वके आईएमएलडी अनुपालनसभक जानकारीके कड़िसभ समेत)
- २१ फरवरी - अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस[permanent dead link]
- मातृभाषाके लेल कि हम आधा रातिमे जागि सकैत छी?
- मातृभाषा हमर मानव अधिकार (समय अलाइव)'