अनिता देसाई (जन्म: २४ जुन १९३७) एक भारतीय लेखिका छी।।[१] अनिता देसाई विश्वमे अङ्ग्रेजी साहित्यक एक जानल पहिचानल नाम छी। हिनकर सुपुत्री सेहो एक उपन्यासकार छी जिनकर नाम किरण देसाई छी। हिनकर लेखन कलाकें सम्मान करैत भारत सरकार हिनका पद्मश्री आ सन् २०१४ मे पद्म भूषण जविशिष्ट अलङ्करण सँ सम्मानित केनए अछि।

अनिता देसाई
Anita Desai
जन्मअनिता मजुमदार
(१९३७-०६-२४) २४ जुन १९३७ (उमर ८६)
मसुरी,भारत
पेशालेखिका, शिक्षिका
राष्ट्रियताभारतीय
मातृसंस्थादिल्ली विश्वविद्यालय
अवधिसन् १९६३–वर्तमान
शैलीउपन्यास
बाल-बच्चाकिरण देसाई

प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

अनिता देसाईक जन्म २४ जुन १९३७ कें मसुरीमे भेल छल। ओहि समयमे हिनकर नाम अनिता मजुमदार छल।[२] अनिताक माता जर्मनीक राजधानी बर्लिन शहरक रहनिहार छल आ पिता ढाका,बङ्ग्लादेशक वासी छल। ओ दिल्लीमे क्वीन म्यारी हायर सेकेन्डरी स्कुलमे अध्यन केलक आ बादमे सन् १९५७ मे दिल्ली विश्वविद्यालयक मिरान्डा कलेज सँ अङ्ग्रेजी साहित्यमे स्नातक केनए छल ।[३]

साहित्य जीवन सम्पादन करी

अनिताक पहिल उपन्यास क्राई द पिकक सन् १९६३ मे प्रकाशित भेल छल ।[४] ओ विशेष करि पारिवारिक सम्बन्ध आ मध्यम वर्गीय स्त्रीक बारेमे लिखैत अछि। सन् १९७७ मे हुनकर उपन्यास फायर अन द माउन्टेनक लेल विनिफ्रेड होल्टबी मेमोरियल पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल। तत्पश्चात ओ बहुत रास कथा पिहानीसभ लिखने छल आ हुनका बहुत रास पुरस्कारसभक लेल नामाङ्कन कएल गेल छल।

फायर अन द माउन्टेन नामक उपन्यासक लेखन करि ओ विश्वमे अपन एक अलग पहिचान बनाबैमे सफल भेल छल । अनिताक तीन बेर बुकर पुरस्कारक अन्तिम सूचीमे चयनित कएल गेल छल। अपन साहित्यक योगदानक दमपर हुनका पुरा दुनियामे लोकप्रियता भेटल अछि आ दुनिया भरिमे हुनका बहुत रास पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित कएल गेल अछि । भारत सरकार सेहो हुनकर लेखनकें सराहना करैत पद्मश्री अलङ्कार सँ सम्मानित केनए अछि । सन् १९९३ मे इस्माइल मर्चेन्ट हुनकर उपन्यास इन कस्टडी पर एक चलचित्र सेहो निर्माण केनए अछि ।[५]एखन अनिता देसाई साहित्यक राजकीय समाजक एक सदस्य छी। वर्तमान समयमे अनिता अमेरिकामे बसोबास करैत अछि आ मासाचुसेट्स इन्स्टिच्युट टेक्नोलोजीमे अध्यापन करबैत अछि।

प्रमुख कृतिसभ सम्पादन करी

सन् १९६३ मे प्रकाशित भेल हिनकर कृति 'क्राई, द पिकक', सन् १९६५ मे प्रकाशित भेल हिनकर कृति 'भोइसेज इन द सिटी' काफी लोकप्रिय भेल छल आ ई दुनू हिनकर प्रारम्भिक कृति छल।

पुरस्कार आ सम्मान सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Guardian children's fiction prize relaunched: Entry details and list of past winners". guardian.co.uk 12 मार्च 2001. Retrieved 2012-08-05.
  2. "Anita Desai". Kirjasto.sci.fi. Retrieved 2012-06-21.
  3. "A Brief Biography of Anita Desai". Melissa Culross '92 (EL 34, 1991). scholars.nus.edu.sg
  4. "Notes on the Biography of Anita Desai" सङ्ग्रहित २००७-०१-२० वेब्याक मेसिन. Elizabeth Ostberg. 12 फ़रवरी 2000. Haverford.edu. Retrieved 2012-06-21.
  5. इन्टरनेट चलचित्र भण्डारणमे Anita Desai

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी