बर्लिन
बर्लिन(अङ्ग्रेजी: Berlin,/bərˈlɪn/; जर्मन उच्चारण: [bɛɐ̯ˈliːn] ( सुनी)) जर्मनीक राजधानी शहर तथा जर्मनीक १६ राज्यसभमे सँ एकटा राज्य छी। बर्लिन जर्मनीक सबसँ पैग शहर छी ।
ई बर्लिन-ब्र्यान्डनबर्ग मेट्रोपोलिटन क्षेत्रक मध्यमे, जर्मनीक उत्तर-पूर्वी भागमे अवस्थित अछि । ई शहरक जनसङ्ख्या ३४ लाख अछि । ई युरोपेली सङ्घक दोसर सबसँ पैग शहर छी । बर्लिन युरोपक राजनीति, संस्कृति आ विज्ञानक महत्त्वपूर्ण केन्द्र छी । युरोपक यातायातक लेल ई एक धुरीक समान अछि । एहि शहरमे बहुतेक महत्त्वपूर्ण विश्वविद्यालय, सङ्ग्रहालय आ शोध केन्द्र अछि । ई शहर बहुत तेजी सँ विकास करि रहल अछि आ एतय होमएवला समारोह, उत्सव, अग्रणी कला, वास्तुशिल्प आ रात्रि-जीवन बहुत प्रसिद्ध अछि । बर्लिन १३हम शताब्दीमे स्थापित भेल आ ई क्षेत्र बहुत राज्यसभ आ साम्राज्यसभक राजधानी रहल- प्रुशिया राज्य (सन् १७०१ सँ), जर्मन साम्राज्य (सन् १८७१-१९१८), वेइमार गणतन्त्र (सन् १९१९-१९३२) आ तेसर राइख (सन् १९३३-१९४५) । द्वितीय विश्वयुद्धक बाद ई शहरक विभाजन भऽ गेल । पूर्वी बर्लिन जर्मन लोकतान्त्रिक गणराज्य (पूर्वी जर्मनी) कऽ राजधानी बनल आ बर्लिन दीवार सँ घेरल पश्चिमी बर्लिन पश्चिमी जर्मनीक हिस्सामे आएल । सन् १९८९ मे बर्लिन दीवार टुटलाक बाद बर्लिन शहर फेर एक भऽ गेल आ जर्मनी एकीकरणक बाद पुरा जर्मनीक राजधानी बनल ।
बर्लिन Berlin | |||
---|---|---|---|
State of Germany | |||
![]() | |||
| |||
![]() नक्शामे युरोपियन युनियन आ जर्मनी | |||
निर्देशाङ्क: ५२°३१′उ॰ १३°२३′पू॰ / ५२.५१७°N १३.३८३°Eनिर्देशाङ्क: ५२°३१′उ॰ १३°२३′पू॰ / ५२.५१७°N १३.३८३°E | |||
Country | Germany | ||
सरकार | |||
• Governing Mayor | (SPD) | ||
• Governing parties | SPD / CDU | ||
• Bundesrat votes | 4 (of 69) | ||
क्षेत्रफल | |||
• City | ८९१.८५ किमी२ (३४४.३५ वर्गमाइल) | ||
उँचाई | ३४ मिटर (११२ फिट) | ||
जनसङ्ख्या (३१ अगस्त २०१३)[१] | |||
• City | ३,०४,०१,१४७ | ||
• घनत्व | ३४०००/किमी२ (८८०००/वर्ग माइल) | ||
समय क्षेत्र | CET (युटिसी+1) | ||
• ग्रीष्म (युटिसी) | CEST (युटिसी+2) | ||
Postal code(s) | 10115–14199 | ||
Area code(s) | ०३० | ||
आइएसओ ३१६६ कोड | DE-BE | ||
गाडी दर्ता | B | ||
GDP/ Nominal | €१०१.४ billion (२०११) [२] | ||
NUTS Region | DE3 | ||
वेबसाइट | berlin.de |


अवस्थितिसंपादित करें
५२° ३२' उत्तरी अक्षांश तथा १३° २४' पूर्वी देशान्तरमे बर्लिन शहर अवस्थित अछि । ई उत्तर-पूर्वी जर्मनीमे बाल्टिक सागरक तटसँ ११० माइल भीतर दिस एल्ब आ ओडर नदीसभक बीच स्प्री नदीक दुनू किनार पर बसल अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभसंपादित करें
- ↑ "Fortgeschriebene Bevölkerungszahlen vom 31. Juli 2013", Amt für Statistik Berlin-Brandenburg (Germanमे), २०१३, अन्तिम पहुँच १६ दिसम्बर २०१३।
- ↑ "Bruttoinlandsprodukt (nominal) in BERLIN seit 1995" (Germanमे), ३० मार्च २०१०, अन्तिम पहुँच १५ मई २०११।
बाह्य जडीसभसंपादित करें
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास Berlinसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |