सिलेट (बङ्गाली: সিলেট) पूर्वोत्तर बङ्गलादेशमे अवस्थित एक महानगरीय शहर छी । ई सिलेट विभागक प्रशासनिक शहर छी । ई शहर बङ्गालक उत्तरपश्चिममे सुरमा नदीक दहिना किनारमे अवस्थित अछि । ई शहरमे पाँच लाख सँ बेसी जनसङ्ख्या रहल अछि । सिलेट बङ्गलादेशक सभ सँ महत्त्वपूर्ण आध्यात्मिक आ सांस्कृतिक केन्द्रक रुपमे रहल अछि । ई बङ्गलादेशमे ढाकाचिटागोङक बाद सभ सँ महत्त्वपूर्ण शहरसभमे सँ एक छी कियाकी ई शहर देशक अर्थतन्त्रमे बहुत पैग सहयोग पहुँचाबैत अाएल अछि ।

सिलेट
ꠍꠤꠟꠐ
সিলেট, বাংলাদেশ
शीर्ष सँ: भवनसभ, ओसमानी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल, सिलेट केन्द्रीय रेलवे स्टेसन, सिलेट सर्कस गृह, सुफी शाह जलाल प्रतिमा, सिलेट अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट ग्राउन्ड
सिलेट ꠍꠤꠟꠐ बंगलादेशपर अवस्थित
सिलेट ꠍꠤꠟꠐ
सिलेट
ꠍꠤꠟꠐ
बङ्गलादेशक नक्सामे सिलेट
निर्देशाङ्क: २४°५४′उ॰ ९१°५२′पू॰ / २४.९००°N ९१.८६७°E / 24.900; 91.867निर्देशाङ्क: २४°५४′उ॰ ९१°५२′पू॰ / २४.९००°N ९१.८६७°E / 24.900; 91.867
देशबङ्गलादेश
प्रदेशसिलेट विभाग
जिलासिलेट
नगरपालिका विभागक स्थापनासन् १८६७
सिलेट शहर निगमक स्थापना९ अप्रैल २००१
महानगरीय शहर धोषणा३१ मार्च २००९[]
सरकार
 • प्रकारमेयर परिषद
 • अङ्गसिलेट शहर निगम
 • मेयरअरिफल हक चौधरी (बङ्गलादेश राष्ट्रिय पार्टी)
क्षेत्रफल
 • शहर२६.५० किमी (१०.२३ वर्गमाइल)
 • महानगर
११० किमी (४० वर्गमाइल)
उन्नतांश
३५ मिटर (११५ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • शहर५,२६,४१२
 • घनत्व२००००/वर्ग किमी (५१०००/वर्ग माइल)
वासिन्दासिलेटी
समय क्षेत्रयुटिसी+६ (बङ्गलादेशी समय)
डाक कोड
३१००
पोलिससिलेट महानगरीय प्रहरी[]
अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलअोसमानी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल
टेलिफोन कोड+८८०८२१
वेबसाइटscc.gov.bd

सिलेट उपत्यका बङ्गलादेशक सभ सँ पैग तेल आ ग्याँस उत्पादन केनिहार शहरी क्षेत्र छी । ई शहर बङ्गलादेशमे चाय उत्पादन करवाक प्रमुख केन्द्रस्थल छी । ई शहरक प्रमुख अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल अोसमानी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल छी जे नाम बङ्गलादेशक कमान्डर एमएजी अोसमानीक नाम सँ रखल गेल अछि ।

उत्पत्ति

सम्पादन करी

सिलेट शहरक नाम श्रीहाट्टा सँ उत्पत्ति भेल छल ।[] ई शब्दक अनुसार 'श्री' कऽ अर्थ प्रतिष्ठा या सौन्दर्य होएत अछि तँ 'हट्टा' कऽ अर्थ बजार होएत अछि । मुगल साम्राज्यक अभिलेखमे श्रीहाटा बङ्गाल सभा जिलाक नामक रूपमे प्रयोग कएल गेल छल । ब्रिटिश भारतमे श्रीहट्टा आ अङ्ग्रेजीमे एकरा सिलेटक रूपमे कहल जाए लागल ।[]

मैसम आ भूगोल

सम्पादन करी

सिलेट बङ्गलादेशक २४°५३′३०″N ९१°५३′००″E / २४.८९१७°N ९१.८८३३°E / 24.8917; 91.8833मे रहल अछि । ई शहर सिलेट विभाग अन्तर्गत सिलेट जिलाक भितर अबैत अछि । सिलेटमे उष्ण वर्षा भेल मौसम अछि । वर्षाक समय अप्रैल सँ अक्टुबर धरि गरम आ बहुत भारी वर्षा आ हिमपात होएत अछि तँ नवम्बर सँ फरबरी धरि कनिक ठण्डा आ हल्का गरम आ दिनसभ छोट होएत अछि । मई सँ सितम्बर धरि ४२.०० मिलिमिटर वार्षिक वर्षा होएत अछि जे सम्पूर्ण समयकें वर्षाक पानिकें ८० % छी ।

जनसाङ्ख्याकी

सम्पादन करी

सन् २०११ बङ्गलादेशक जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ५३१,६६३ रहल अछि । सन् १९९१ मे शहरक जनसङ्ख्या वार्षिक १.९० % सँ वृद्धि भेल छल जे सन् २०११ मे १.७२% मे घटल अछि ।[] सन् २००१ कऽ जनगणना अनुसार शहरक साक्षरता दर ६९.७३ % रहल अछि तँ शहरमे उच्च साक्षरता दर वार्ड नम्बर २२ मे रहल अछि जे ८४.२४ अछि आ न्यून साक्षरता दर वार्ड नम्बर १० मे रहल अछि जे ४८.१५ % अछि । ई शहरमे ५५,५१४ टा घरसभ रहल अछि । []

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. "बङ्गलादेशी शहर"बिबिसी न्युज। २ अप्रिल २००९। अन्तिम पहुँच २ अप्रिल २००९ {{cite news}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help)
  2. "सिलेट नगरपालिका प्रहरी"अाधिकारिक वेबसाइटमामूलसँ 2024-01-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-11-10
  3. https://global.britannica.com/place/Sylhet
  4. Tanweer Fazal (2013). Minority Nationalisms in South Asia. Routledge. pp. 53. आइएसबिएन 978-1-317-96647-0. https://books.google.com/books?id=6bGMAQAAQBAJ&pg=PA53. 
  5. "राष्ट्रिय: शहरी क्षेत्रको तथ्याङ्क" (PDF)सन् २०११ क राष्ट्रिय जनगणना। बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग। August 2014। pp. २५, ४८। मूल (PDF)सँ 2015-05-18 कऽ सङ्ग्रहित। {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  6. "Area, बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग ३० मई २००९" (PDF)मूल (PDF)सँ 2008-12-17 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-11-10

बाह्य लिङ्कसभ

सम्पादन करी