सिरार्पी देर नेर्सेसियन

सिरार्पी देर नेर्सेसियन (५ सितम्बर १८९६  – ५ जुलाई १९८९ ) एक अर्मेनियाई कला इतिहासकार, थे जे अर्मेनियाईबिजान्टिन अध्ययनमे विशिष्ट छल। डेर नेरेसियन एक प्रसिद्ध एकेडेमी आ अर्मेनियाई कला इतिहासमे अग्रणी छल। ओ संयुक्त राज्य अमेरिकाम बहुत रास संस्थासभम पढाब जाएत छल, जेहिम मासाचुसेट्सम वेलेस्ले कलेजहार्वर्ड विश्वविद्यालयम हेनरी फोकिलोन कला आ पुरातत्वक प्रोफेसरक रूपम सम्मलित अछि ।[१][२] ओ १९५४–५५ आ १९६१–६२ धरि वह डम्बर्टन ओक्सक वरिष्ठ उप-निर्देशक छल आ एकर बोर्ड अफ स्कलर्सक सदस्य सेहो छल। देर नेर्सेसियन बहुत रास अन्तराष्ट्रिय संस्थासभ जेना ब्रिटिश एकेडेमी (१९७५), एकेडेमी डेस इन्स्क्रिप्शंस एट बेल्स-लेट्रेस (१९७८) आ अर्मेनियाई एकेडमी अफ साइन्सेज (१९६६) क सदस्य सेहो छल [२]

सिरार्पी देर नेर्सेसियन
Sirarpie Der Nersessian
जन्म(१८९६-०९-०५)सितम्बर ५, १८९६
कोन्स्ट्याटिनोपल, ओट्टोमन साम्राज्य
मृतुजुलाई ५, १९८९(१९८९-०७-०५) (९२ वर्ष)
पेरिस, फ्रान्स
क्षेत्रअर्मेनियाई अध्ययन, बायजेनटाइन अध्ययन
संस्थासभडम्बर्टन ओक्स, वेलेस्ले कलेज, हार्वर्ड विश्वविद्यालय
अल्मा मेटरसोरबोन विश्वविद्यालय
डाक्टरेट सल्लाहकारग्याब्रिएल मिल्लेट
प्रभावआन्द्रे ग्राबर, चार्ल्स डिएल, हेनरी फोकिलोन, गेब्रियल बाजरा
उल्लेखनीय पुरस्कारओर्डर अफ सेन्ट ग्रेगरी द इलुमिनेटर (१९६०, प्रथम श्रेणी)
अनन्या शिरकात्सी अवार्ड (१९८१, अर्मेनियाई एकेडेमी अफ साइन्स)

प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

देर नेर्सेसियनक जन्म सन् १८९६ मे कान्स्टेन्टिनोपलमे अपन परिवारमे रहल तीन बच्चासभमे सँ सभ सँ छोट बच्चाकें रुपमे भेल छल। ओ एक सम्पन्न परिवार सँ अबैत छल आ हुनकर मामा मालासिया ओर्मेनियन, कान्स्टेन्टिनोपल अर्मेनियाई पैट्रिआर्क छल। मात्र नौ सालक उमरमे हुनकर माता अकाबी आ अठारह वर्षक उमरमे हुनकर पिता मिहरनकें मृत्यु भऽ गेल। युवावस्थामे माता-पिताकें मृत्यु भऽ गलाक बाद हुनकर जवानी कष्टकर छल। ओ यसयान पारोचियल स्कूल आ कान्स्टेन्टिनोपल अङ्ग्रेजी उच्च विद्यालय सँ स्नातकक उपाधि प्राप्त केनए छल। ओ बहुतेक कम उमरमे अर्मेनियाई, अङ्ग्रेजी आ फ्रेञ्च भाषामे निपुणता प्राप्त केनए छल। सन् १९१५ मे अर्मेनियाई नरसंहार अपन चरम पर भेलाक समय देर नेर्सेसियन आ हुनकर बहीन आराक्स युरोप छड़वाक लेल वाध्य भेल आ ओ जेनेभा जा बसोबास केनाए आरम्भ केलक। सन् १९१९ मे पेरिस जाए सँ पहिने किछ वर्षधरि ओ जेनेभा विश्वविद्यालयमे अध्ययन केनए छल।

शिक्षा सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Kouymjian, Dickran (2005). "Sirarpie Der Nersessian (1896-1989): Pioneer of Armenian Art History". In Jane Chance. Medievalists and the Academy. Madison: University of Wisconsin Press. आइएसबिएन 0-299-20750-1. 
  2. २.० २.१ Allen, Jelisaveta, Nina G. Garsoïan, Ihor Ševčenko, Robert W. Thomson (1989)। "Sirarpie Der Nersessian: 1896-1989"। Dumbarton Oaks Papers43: ix–xi। JSTOR 1291601{{cite journal}}: CS1 maint: multiple names: authors list (link)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी