श्वेता बासु प्रसाद
श्वेता बासु प्रसाद एक भारतीय अभिनेत्री छी। ओ अपन करियरक शुरुआत एकटा बाल कलाकारक रुपमे हिन्दी चलचित्र सँ केनए छल। एकर बाद ओ तेलुगु, बङ्गाली आ तमिल सिनेमामे सेहो मुख्य अभिनेत्रीक रुपमे अभिनय केनए अछि। सन् २००२ मे श्वेता बासु बलिउड चलचित्र मकडी मे एकटा बाल कलाकारक भूमिका निभेलक जकर प्रशंसा चलचित्र विशेषज्ञसभ सेहो केनए छल आ एहि चलचित्रक लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ बाल कलाकारक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सहो प्राप्त भेल छल।
श्वेता बासु प्रसाद Shweta Basu Prasad | |
---|---|
जन्म | श्वेता बासु प्रसाद जनवरी ११, १९९१ |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | अभिनेत्री |
सक्रिय वर्ष | २००२–वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | रोहित मित्तल (वि. २०१८) |
अभिभावक(सभ) | अनुज प्रसाद सर्मिस्था बासु |
सम्बन्धी | राहुल (भाए) |
प्रारम्भिक जीवन
सम्पादन करीश्वेता बासु प्रसादक जन्म जमशेदपुर, बिहारमे भेल छल (जे एखन झारखण्डमे अछि)। एकर बाद ओ अपन परिवारक सङ्ग वाल्यकालमे मुम्बई चलि गेल।[१] हुनकर पिता अनुज बिहार सँ अछि आ माता सरमिष्टा पश्चिम बङ्गाल सँ अछि।[२] श्वेताक दादा इन्टेलिजेन्स ब्युरोमे एक प्रमुख परिचालन अधिकारीक रूपमे सेवानिवृत्त भेल छल। हुनकर पिता अनुज श्रीराम केन्द्र, नयाँ दिल्ली सँ एक निर्देशन आ अभिनय डिप्लोमा धारक छी। श्वेता आरएन पोडार उच्च विद्यालय, सेन्टाक्रुज, मुम्बई सँ वाणिज्यकें अध्ययन केनए छल। ओ अपन माताक पहिल नाम 'बासु' सेहो अपन स्क्रीन नाममे जोड़लक। [३]
करियर
सम्पादन करी११[४] वर्षक आयुमे प्रसाद अपन अभिनय करियरक शरूआत केनए छल। हुनकाद्वारा अभिनित पहिल चलचित्र 'मकडी' छी। विशाल भारद्वाजद्वारा निर्देशित 'मकडी' चलचित्रमे ओ बहु भूमिका 'चुन्नी' आ 'मुन्नी' कें किरदार निभेलक, जकरा लेल हुनका सर्वश्रेष्ठ बाल कलाकारक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सेहो प्राप्त भेल छल। एकटा बाल कलाकारक रुपमे ओ 'करिश्मा का करिश्मा' आ 'कहानी घर घर की' जका टिभी धारावाहिकमे सेहो काज केनए छल।[५] सन् २००५ मे, ओ चलचित्र 'इकबाल' मे खदिजा नामक किरदारक रुपमे अभिनय केनए छल। ई चलचित्रमे हुनकर दमदार अभिनयक लेल हुनका ५म् कराची अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र उत्सवमे सर्वश्रेष्ठ सहायक अभिनेत्रीकें पुरस्कार सहित कयन पुरस्कार प्राप्त भेल।[६]सन् २००८ मे ओ तेलुगु सिनेमा 'कोठा बंगारू लोकं' सँ करियर शुरू केलक आ ई चलचित्र व्यावसायिक रुप सँ सफल रहल।
फिल्मोग्राफी
सम्पादन करीसन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
- ↑ "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
- ↑ Shweta Prasad's name games. Hindustan Times (2007-11-26). Retrieved on 2012-06-21.
- ↑ "Interview with Shweta Basu Prasad". www.idlebrain.com. Retrieved 2008-10-30.
- ↑ PIB Press Releases. Pib.nic.in (2003-07-26). Retrieved on 2012-06-21.
- ↑ 5th KaraFilm Festival – Karachi International Film Festival 2005. Karafilmfest.com. Retrieved on 2012-06-21.
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे श्वेता बासु प्रसादसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |