स्थानीय तहक एक महत्वपूर्ण अङ्ग कार्यपालिका छी । स्थानीय तहमे कार्यपालिका अन्तर्गत गाउँपालिकामे गाउँ कार्यपालिकानगरपालिकामे नगर कार्यपालिका होइत अछि । गाउँपालिका आ नगरपालिकाक शासन व्यवस्थाक सामान्य निर्देशन, नियन्त्रण आ सञ्चालन करैक जिम्मा गाउँ कार्यपालिका आ नगर कार्यपालिकाक होएत अछि । गाउँपालिकाक अध्यक्षक अध्यक्षतामे गाउँ कार्यपालिका गठन होएत अछि । जहिमे उपाध्यक्ष, प्रत्येक वडासँ निर्वाचित वडा अध्यक्ष, ४ गोट महिला सदस्य आ दलित या अल्पसंख्यकसँ २ जना सदस्य रहैत अछि । गाउँ सभाक निर्वाचनक नतिजा आएल १५ दिनपछा गाउँ सभाका सदस्यसभ स्वयसभमध्येसँ गाउँसभाक सदस्यसभ निर्वाचित कएल ४ गोट महिला आ २ गोट दलित या अल्पसंख्यक समुदायसँ २ गोटके सदस्यमे चयन करैत अछि । गाउँपालिकाक आकार कते पैग होएत अछि माने वडा सङ्ख्यामे भर परैत अछि । गाउँपालिका तथा नगरपालिकाक वडाक सङ्ख्या निर्धारण ऐन, २०७३ गाउँपालिकामे कम्तीमा ५ सँ बेसीमे २१ वडा रहल सकैत व्यवस्था केने अछि। हिसाब करैत गाउँपालिका कम्तीमे १३ सँ बेसीमे २९ सदस्यीयसम्म बन्नै सकैत अछि ।[१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "यसरी चुनिँदै छन् स्थानीय प्रतिनिधि, कार्यपालिकाभन्दा व्यवस्थापिका ठूलो"सेतोपाटी। १३ चैत्र २०७३। {{cite news}}: Check date values in: |date= (help); External link in |ref= (help)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी