बिपिन चंद्र पाल (बांग्ला:বিপিন চন্দ্র পাল) (७ नवंबर, १८५८ - २० मई १९३२) एक भारतीय क्रांतिकारी छल। भारत के स्वतंत्रता आंदोलनक बुनियाद तैयार करै मे प्रमुख भूमिका निभावे वाला लाल-बाल-पाल क तिकडी मे सँ एक विपिनचंद्र पाल राष्ट्रवादी नेता होए के साथ-साथ शिक्षक, पत्रकार, लेखक आ बेहतरीन वक्ता सेहो छल आ उनका भारत मे क्रांतिकारी विचारक जनक सेहो मानल जाइत अछि।

बिपिन चन्द्र पाल
बिपिन चंद्र पाल
जन्म - स्थान: हबीबगंज जिला, (वर्तमान बांग्लादेश)
आंदोलन: भारतीय स्वतंत्रता संग्राम
प्रमुख संगठन: भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस, ब्रह्म समाज

लाला लाजपत राय, बालगंगाधर तिलक एवं विपिनचन्द्र पाल (लाल-बाल-पाल) क ई तिकडी १९०५ मे बंगाल विभाजनक विरोधमे अङ्ग्रेजी शासनक विरुद्ध आंदोलन केलक जेकरा पैग मात्रा पर जनताक समर्थन मिलल। 'गरम' विचार के लेल प्रशिद्ध ई नेतासभ अपन बात तत्कालीन विदेशी शासक तक पहुँचावे के लेल कतेक एहन तरीकासभ पैदा केलक जे एकदम नव छल। ई तरीका मे ब्रिटेन मे तैयार उत्पादक बहिष्कार, मैनचेस्टर क मिल मे बनल कपडा सँ परहेज, औद्योगिक तथा व्यावसायिक प्रतिष्ठान मे हडताल आदि शामिल अछि।

ओ महसूस केलक कि विदेशी उत्पादक कारणसँ देशक अर्थव्यवस्था खस्ताहाल भ रहल अछि आ एतय के लोग क काम सेहो छिन रहल अछी। ओ अपन आंदोलन मे ई विचारक सेहो आगा रखलक। राष्ट्रीय आंदोलन के दौरान 'गरम धडे' के अभ्युदयक महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि किया कि एहीसँ आंदोलनक एक नयाँ दिशा मिलल आ एहीसँ लोग के बीच जागरुकता बढल।


जीवनी सम्पादन करी

रचनासभ सम्पादन करी

पत्रिकासभक सम्पादन सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी