वाङ्गारी माथाई
वाङ्गारी माथाई (उच्चारण: /wænˈɡɑːriː/ /mɑːtˈaɪ/) (१ अप्रैल १९४० – २५ सितम्बर २०११) एक अन्तर्राष्ट्रिय जानल मानल केन्याक वातावरणीय विज्ञ राजनैतिक समाजसेवी आ नोबेल पुरस्कार विजेता छल । हुनकर प्रारम्भिक शिक्षा संयुक्त राज्य अमेरिकाक माउन्ट सेन्ट कोलास्टिका आ पिट्सबर्ग विश्वविद्यालय आ केन्याक नैरोबी विश्वविद्यालयमे भेल छल । अफ्रिकामे मामा मिति (वृक्षक माता) नामसँ माथाई चर्चित छल जकर जन्म सन् १९४० मे केन्याक नायरीमे भेल छल । ओ ग्रीन बेल्ट आन्दोलनक संस्थापक आ महिला अधिकारक लेल लड़निहार प्रसिद्ध केन्याली राजनितिज्ञ आ समाजसेवी छल । ओ साल सन् २००४ मे नोबेल पुरस्कार प्रदान कएल गेल छल । ओ नोबेल पुरस्कार प्राप्त केनिहार पहिल अफ्रिकी महिला छल |
वाङ्गारी माथाई Wangari Maathai | ||||
---|---|---|---|---|
![]() पुरस्कार सहित वाङ्गारी माथाई | ||||
जन्म | नायरी, केन्या, केन्या कोलोनी | १ अप्रैल १९४०|||
मृत्यु | २५ सितम्बर २०११ नैरोबी, केन्या | (७१ वर्ष)|||
नागरिकता | केनियाली | |||
शिक्षा | बिएससी: वायोलोजी आकृति:Breakएमएससी: वायोलोजी आकृति:Break पिएचडी: भेटेनरी एनाटोमी | |||
रोजगार | Environmentalist, political activist, writer | |||
प्रसिद्धी कारण | ग्रीन बेल्ट परियोजना | |||
धर्म | रोमन क्याथोलिक | |||
पुरस्कार | नोबेल शान्ति पुरस्कार | |||
|
जीवनसम्पादन
ओ अमेरिका आ केन्यामे उच्चशिक्षा अर्जित केनए छल । सन् १९७० क दशकमे माथाई ग्रीन बेल्ट आन्दोलन नामक गैर सरकारी सङ्गठनक आरम्भ करि पौधरोपण, पर्यावरण संरक्षण आ महिलासभक अधिकारक लेल ध्यान देनए छल । सन् २००४ मे सतत विकास, लोकतन्त्र आ शान्तिक लेल अपन योगदानल कारण ओ नोबेल शान्ति पुरस्कार प्राप्त केनिहार पहिल अफ्रिकी महिला आ पहिल पर्यावरणविद् बनल । वर्ष २००५ मे हिनका भारत सरकार जवाहर लाल नेहरू पुरस्कारसँ सम्मानित केनए छल ।
ओ सन् २००२ मे केन्याक सांसद बनल आ केन्याक सरकारमे मन्त्री सेहो रहल ।[१][२]
सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन
- ↑ "नोबेल पुरस्कार विजेता वंगारी मथाई का निधन", लाइव हिन्दुस्तान, २६ सितम्बर २०११, अभिगमन तिथि २८ अप्रैल २०१४।
- ↑ ए जमाल (२६ सितम्बर २०११), अनवर अशराफ़, सम्पादक, "नोबेल विजेता वंगारी मथाई का निधन", वर्ल्ड न्यूज़, अभिगमन तिथि २८ अप्रैल २०१४।
|shortlink=
प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता)
वाह्य जडीसभसम्पादन
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास वाङ्गारी माथाईसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |