नोबेल पुरस्कार
नोबेल पुरस्कारक स्थापना सन् १९०० मे स्विडेनक वैज्ञानिक तथा विस्फोटक पदार्थ डाइनेमाइटक आविष्कारक अल्फ्रेड नोबेलक नाममे भल अछि । नोबेल फाउण्डेशनद्वारा स्वीडेनक वैज्ञानिक अल्फ्रेड नोबेलक स्मरणमे सन् १९०१ मे आरम्भ करल गेल ई पुरस्कार भौतिक, रसायन, साहित्य, शान्ति, क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सा आ अर्थशास्त्र क्षेत्रमे प्रदान करल जाइवाला विश्वक सर्वोच्च पुरस्कार छी । ई पुरस्कारक रूपमे प्रमाण-पत्रक साथमे १२,००,००० (बारह लाख अमेरिकी डलर) प्रदान करल जाइत अछि । अल्फ्रेड नोबेल कूल ३५५ आविष्कारसभ करलक जहिमे सन् १८६७ मे कएल गेल डायनामाइटक आविष्कार सेहो अछि । नोबेलक डायनामाइट तथा एहि प्रकारक विज्ञानक विध्वंसक शक्तिसभक बारेमे पूरा ज्ञान छल । सन् १८९६ क दिसम्बर १० मे देहान्त भेलाक बाद हुनकर कोनो उत्तराधिकारी नै छल । ओ अपन शेषक बाद सम्पति ककरो देब नै चाहै छल । सन् १८९५ मे ओ एक इच्छापत्र तयार करैलेल लगौलक जाहिमे अपन सम्पत्तिसँ अक्षयकोष स्थापना करल जाए जाहि सँ कोषसँ प्राप्त आम्दानीसँ विज्ञानदिस भौतिकशास्त्र, रसायनशास्त्र आर क्रिया विज्ञान तथा चिकित्साशास्त्रमे महत्वपूर्ण खोज आ आविष्कार करल, साहित्यक क्षेत्रमे पैग योगदान देनिहार आ विश्वशान्ति कायम करि विशेष योगदान पहुचाएल व्यक्ति आ संस्थाक नगद राशिसहितक पुरस्कार प्रदान करक व्यवस्था मिलाएल गेल । अल्फ्रेडक इच्छा अनुसार ई सम्पत्तिके ब्याजसँ प्रत्येक बर्ष मानव जातिक कल्याणक निम्ति कार्य करेवला लोकसभक सम्मानित कएल जाइत । ई सम्पत्ति स्वीडिस बैंकमे राखल अछि आ प्राप्त ब्याजसँ नोबेल फाउन्डेसनद्वारा प्रत्येक वर्ष शान्ति, साहित्य, भौतिक, रसायन, चिकित्सा विज्ञान आ अर्थशास्त्रमे सर्वोत्कृष्ट योगदान देनिहार व्यक्तित्वके पुरस्कृत कएल जाइत अछि । नोबेल फाउन्डेसनक स्थापना २९ जुन १९०० मे भेल अछि आर १९०१ सँ नोबेल पुरस्कार प्रदान कएल जाइत अछि । अर्थशास्त्रक क्षेत्रमे नोबेल पुरस्कारक शुरुवात सन् १९६८ सँ कएल गेल । पहिल नोबेल शान्ति पुरस्कार सन् १९०१ मे रेडक्रसका संस्थापक ज्यां हेनरी ड्युना आर फ्रेञ्च पीस सोसाइटीक संस्थापक अध्यक्ष फ्रेडरिक पैसीक संयुक्त रूपमे प्रदान कएल गेल छल ।
नोबेल पुरस्कार | |
---|---|
पुरस्कृत (कारण) | उत्कृष्ट योगदान कारलाक बाद भौतिक, रसायन, साहित्य, शान्ति, क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सा आ अर्थशास्त्र |
प्रदानकर्ता | स्वीडिश एकेडमी नोबेल समितिक शाही स्वेडिस एकेडमी नोबेल समितिक कारोलिन्स्का संस्थान नर्वेजियन नोबेल समिति |
देश | स्वीडेन नर्वे (शान्ति पुरस्कार मात्र) |
प्रथम पुरस्कृत | १९०१ १९६९ (अर्थशास्त्रमे) |
वेबसाइट | नोबेल पुरस्कार समिति |
शान्तिदिसक पुरस्कार ओस्लो, नर्वेसँ आ अन्य पुरस्कारसभ स्टोकहोम, स्वीडेनसँ प्रदान कएल जाइत अछि । [१]
इतिहास
सम्पादन करीनोबेल पुरस्कार विजेतासभ
सम्पादन करीसन्दर्भ सामाग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "नोबेल पुरस्कार"। अन्तिम पहुँच November 2013।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help)
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे नोबेल पुरस्कारसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |