ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय
भारत में विश्वविद्यालय
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय (LNMU), जे पहिने मिथिला विश्वविद्यालय, भारतक एकटा सार्वजनिक विश्वविद्यालय छल। सन् १९७२ मे शुरू भेल, विश्वविद्यालय शुरूमे दरभंगा-सकरी मार्गकें सारा मोहनपुर गामकें मोहनपुर हाउससँ सचालित होईत छल। सन् १९७५ मे एकरा राज दरभंगा के परिसरमे स्थानान्तरित करि देल गेल।
प्रकार | सार्वजनिक |
---|---|
स्थापना | १९७२ |
कुलपति | बिहारक गभर्नर |
उप-कुलपति | प्रोफेसर संजय कुमार चौधरी |
स्थान | , |
क्याम्पस | शहरी |
वेबसाइट | lnmu.ac.in |
विश्वविद्यालय मिथिला क्षेत्रक दरभंगा शहरमे अछि, जे उत्तर भारतकें एकटा प्राचीन सांस्कृतिक क्षेत्र छी आ, जे हिमालय आ गङ्गा नदीकें निचला श्रृंखलाक बीचमे स्थित अछि। विश्वविद्यालय स्नातक आ स्नातकोत्तर दुनु पाठ्यक्रमसभक सँगे मानविकी, सामाजिक विज्ञान, जीवन विज्ञान, वाणिज्य आ चिकित्सा जेहन क्षेत्रसभमे शिक्षा प्रदान करैत अछि। ४०० सँ अधिक संकाय शिक्षण आ अनुसन्धानमे लगल अछि।