राम राजा प्रसाद सिंह


राम राजा प्रसाद सिंह(बि स १९९१ - २०६९) नेपालक पहिल गणतन्त्रवादी नेता छलाह। बि.स. १९९१मे जिमिन्दारक परिवारमे जन्मल सिंह २०४२ सालमे सिँहदरबारमे बम विस्फोट करौने छल। ओकर बाद हुनका पर नेपाल सरकार तखनक (श्री ५ सरकार) द्वारा मुद्दा चलाओल गेल आ गिरफ्तार करऽक लेल कहल गेल । राजा महेन्द्रक समयसँ ही गणतान्त्रिक आन्दोलनमे लागल हिनका पर सर्वस्व हरणसहित मृत्युदण्डक सजाय सुनाएल गेल छल । लेकिन तखन ओ भूमिगत भऽ गेल छल ।जब नेपालमे गणतन्त्रक स्थापना भेल तखन ओ नेपाल आएल छल। ओकर बाद राम राजा प्रसाद सिंह नेपालक पहिल रास्ट्रपति चुनावमे एकीकृत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी)क उम्मेदवार छलाह।[१]

राम राजा प्रसाद सिंह
जन्म१९३६
सप्तरी, नेपाल
मृत्यु१२ सेप्टेम्बेर २०१२
काठमान्डु, नेपाल
राष्ट्रियतानेपाली
व्यवसायनेता


प्रारम्भिक जीवन सम्पादन करी

सिंह भारतक बिहार राज्यअन्तर्गत दरभङ्गा स्थित अपन मामाघर रहि पढ़ने छल।भारत छोड़ो आन्दोलनकारी आ ओकर हतियार सप्तरी स्थित घरमे नेपाल प्रहरि द्वारा भेटलाक कारण हिनका ९ वर्षक छोट उमेरमे भाइ लक्ष्मणप्रसाद सिंह आ बाबु जयमङ्गल सिंह सँगे जेल भेजि देल गेल।[२]

राजनीती सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. Nepalnews.com, news from Nepal as it happens
  2. "Indian freedom fighters behind Nepal revolution?"मूलसँ 2019-05-28 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-03-21 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)