राम नाथ कोविन्द
राम नाथ कोविन्द (जन्म: १ अक्टुबर १९४५) भारतीय राजनीतिज्ञ आ भारतक १४म पुर्व राष्ट्रपति छलाह । हुनका २५ जुलाई २०१७ में उच्चतम न्यायालयक मुख्य न्यायाधीश जे.एस.खेहर भारतक राष्ट्रपति पदक शपथ ग्रहण करौने छल।[२] ओ राज्यसभा सदस्य तथा बिहार राज्यक राज्यपाल रहि चुकल छथि ।[३]
राम नाथ कोविन्द Ram Nath Kovind | |
---|---|
भारतक १४हम राष्ट्रपति | |
कार्यकाल २५ जुलाई २०१७ – २५ जुलाई २०२२ | |
उप राष्ट्रपति | मोहम्मद हामिद अन्सारी |
पूर्वाधिकारी | प्रणब मुखर्जी |
३५अम बिहारक गवर्नर | |
कार्यकाल १६ अगस्त २०१५ – २० जुन २०१७[१] | |
पूर्वाधिकारी | केशरी नाथ त्रिपाठी |
उतराधिकारी | केशरी नाथ त्रिपाठी |
राज्य सभा, सांसद | |
कार्यकाल ३० अप्रिल १९९४ – २ अप्रिल २००६ | |
व्यैक्तिक विवरण | |
जन्म | परौंख गाम, डेरापुर, कानपुर,उत्तर प्रदेश | १ अक्टुबर १९४५
राजनैतिक दल | भारतीय जनता पार्टी |
जीवनसाथी | सविता कोविन्द (वि. १९७४) |
बाल बच्चा | २ |
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठान | कानपुर विश्वविद्यालय |
व्यवसाय | वकालत, राजनीतिज्ञ, सामाजिक कार्यकर्ता |
प्रारम्भिक जीवनी
सम्पादन करीराम नाथ कोविन्दक जन्म उत्तर प्रदेशक कानपुर जिला (वर्तमान मे कानपुर देहात जिला)क तहसील डेरापुरक एक छोट गाम परौंख मे भेल छल । कोविन्दक सम्बन्ध कोरी (डोम) जाति सँ अछि जे उत्तर प्रदेश मे अनुसूचित जातिक अन्तर्गत अबैत अछि । वकालतक उपाधि प्राप्त केलाक पश्चात ओ दिल्ली उच्च न्यायालय मे वकालत प्रारम्भ केने छलाह ।[४] ओ सन् 1977 सँ सन् 1979 धरि दिल्ली उच्च न्यायलय मे केन्द्र सरकारक वकील रहलाह । 8 अगस्त 2015 के बिहारक राज्यपाल पद पर हुनकर नियुक्ति भेलनि । ओ सङ्घ लोक सेवा आयोग परीक्षा सेहो तेसर प्रयास मे उत्तीर्ण कऽ लेने छलाह ।[५]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Press Releases Detail – The President of India"। presidentofindia.nic.in।
- ↑ https://www.bhaskar.com/news/NAT-NAN-oath-taking-ceremony-of-ram-nath-kovind-who-swears-5653902-PHO.html?ref=ht
- ↑ "रामनाथ कोविंद होंगे BJP के राष्ट्रपति उम्मीदवार"। http://www.besthindinews.com। Best Hindi News।
{{cite web}}
:|first1=
missing|last1=
(help); External link in
(help)|website=
- ↑ PTI (19 June 2017)। "What you should know about BJP's presidential candidate Ram Nath Kovind"। मूलसँ 18 July 2017 कऽ सङ्ग्रहित – The Economic Times माध्यमसँ।
- ↑ "सीएम एण्ड गवर्नर्स 2017, कैपिटल्स ऑफ़ इण्डियन स्टेट्स"। मूलसँ 2015-07-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 20-06-2017।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help)
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करी- राम नाथ कोविन्द सँ सम्बन्धित मिडिया विकिमिडिया कमन्समे सेहो अछि।