यश राज फिल्म्स
यशराज फिल्म्स (वाइआरएफ) एक भारतीय फिल्म निर्माण आ वितरण कम्पनी छी जे हिन्दी सिनेमा क्षेत्रमे काज करि रहल अछि। सन् १९७० कऽ दशकमे एकर स्थापना भेल छल। ई कम्पनी भारतक सभसँ पैग फिल्म स्टुडियोमे परिणत भेल अछि।[१]
आधिकारिक नाम | वाइआरएफ |
---|---|
निजी | |
स्थापना | १९७० |
संस्थापक | यश चोपड़ा |
विभाग | निर्माण वितरण स्टुडियो मार्केटिङ मर्केन्डाइजिङ इजाजत पत्र घरेलू भिडियो सङ्गीत डिजिटल वेब सिरिज प्रतिभा प्रबन्धन ब्रान्ड साझेदारी सञ्चार तकनीकी दृश्यात्मक प्रभाव वाइआरएफ इन्टरटेनमेन्ट |
वेबसाइट | यश राज फिल्म्स |
इतिहास
सम्पादन करीवाइआरएफक स्थापना सन् १९७० मे भारतीय चलचित्र उद्योगक दिग्गज यशराज चोपड़ा केनए छल। यश चोपड़ा अपन जेठ भाए बिआर चोपड़ाक सहयोगीक रूपमे काज शुरू केलक आ अपन भाएक लेल ५ फिल्म निर्देशित केनए छल। वाइआरएफ प्रोडक्सन पोस्ट प्रोडक्सन, घरेलु आ अन्तर्राष्ट्रिय वितरण, सङ्गीत, घरेलू मनोरञ्जन, मार्केटिङ डिजाइन, डिजिटल इजाजतपत्र, व्यापारिक कारोबार, प्रतिभा प्रबन्धन, ब्रान्ड साझेदारी, सङ्गीत स्टुडियो आ फिल्म स्टुडियोक मूल्य श्रृङ्खलाक लगभग सम्पूर्ण अंश नियन्त्रण करैत अछि। मुम्बई मुख्यालय रहल वाइआरएफ कम्पनीकें अपन पूर्ण इन्टिग्रेटेड स्टुडियो अछि जतय चलचित्र छायाँकनक चरणसभ आ ध्वनि स्टुडियो अछि। सन् २०१२ मे संस्थापक यश चोपडाक मृत्यु भेलाक बाद ओकर बेटा आदित्य चोपड़ा कम्पनीक अध्यक्ष आ प्रबन्ध निर्देशकके पदभार लेलक।
कार्यालय
सम्पादन करीभारतमे, वाइआरएफकें मुम्बई, दिल्ली, जालन्धर, जयपुर, अमरावती, इन्दौर, बेङ्गलोरमे वितरण कार्यालयसभक सञ्जाल अछि। तहिना हैदराबाद, कोलकाता, चेन्नई आ कोचीमे एकर कार्यालय अछि। अन्तर्राष्ट्रिय स्तरमे एकर संयुक्त अधिराज्य, संयुक्त राज्य अमेरिका, आ संयुक्त अरब इमिरेट्समे कार्यालयसभ अछि।[२]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Producers Who Scored at the Box Office"। Forbes India (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 5 December 2018।
- ↑ "Contact Us – Yash Raj Films"। yashrajfilms.com। अन्तिम पहुँच 2018-04-27।