मैसूर
मैसूर[५] (/maɪˈsʊər/ ( सुनी)), आधिकारिक रूपमे मैसूरू, कर्नाटक राज्यक तेसर सभसँ पैग शहर छी । ई शहर कर्नाटक राज्यक राजधानी बेङ्गलोर आ हुब्लीक बाद तेसर सभसँ बेसी आबादी आ पैग शहर छी । राजधानी बेङ्गलोरसँ लगभग १४६ किमी (९१ माइल) दक्षिण-पश्चिममे चामुण्डी पहाड़क तलहटीमे स्थित ई १२८.४२ किमी२ (५० वर्ग माइल) कऽ क्षेत्रमे फैलल अछि । भारतक राष्ट्रिय जनगणना २०११ अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ९,२०,५५० अछि । मैसूर शहर निगम शहरक नागरिक प्रशासनक लेल जिम्मेदार निकाय छी, जे मैसूर जिला आ मैसूर प्रमण्डलक मुख्यालय सेहो छी ।
मैसूर Mysore | |
---|---|
मैसुरू | |
उपनाम: चन्दन सिटी[२] | |
निर्देशाङ्क: १२°१६′N ७६°३६′E / १२.२६°N ७६.६°Eनिर्देशाङ्क: १२°१६′N ७६°३६′E / १२.२६°N ७६.६°E | |
देश | भारत |
राज्य | कर्नाटक |
भाग | मैसूर मण्डल |
जिला | मैसूर जिला |
सरकार | |
• प्रकार | मेयर परिषद |
• मेयर | एमजे रविकुमार |
• उप-मेयर | रत्नाम्मा |
क्षेत्रफल | |
• महानगरपालिका[१] | १५२ किमी२ (६०.१२ वर्गमाइल) |
उन्नतांश | ७६३ मिटर (२५०३ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११)[३] | |
• महानगरपालिका[१] | ९,२०,५५० |
• क्रम | ५३ |
• घनत्व | ६१००/वर्ग किमी (१५०००/वर्ग माइल) |
• महानगर | ९,९०,९०० |
वासिन्दा | मैसूरियन |
समय क्षेत्र | युटिसी+०५:३० (भारतीय मानक समय) |
डाक कोड | ५७० ०xx |
सवारी दर्ता | KA ०९, KA ५५ |
टेलिफोन | ९१-(०)८२१-XXX-XXXX |
आधिकारिक भाषा | कन्नड |
UN/LOCODE | IN MYQ |
वेबसाइट | mysorecity.gov.in |
मैसूर लगभग छ शताब्दी (सन् १३९९ सँ सन् १९५६ धरि) मैसूर राज्यक राजधानी शहरक रूपमे स्थापित छल । ई शहर उपर वाडियार राजवंशक शासन छल । सन् १७६० आ सन् १७७० क दशकमे हैदर अली आ टिपु सुल्तान सत्तामे छल । कला आ संस्कृतिक संरक्षक, वाडियारसभ शहर आ राज्यक सांस्कृतिक विकासमे बहुतेक विशिष्ट योगदान देलक । मैसूरक सांस्कृतिक माहौल आ उपलब्धिसभ एकरा कर्नाटकक सांस्कृतिक राजधानी बनेबामे सफल भेल ।
इतिहास
सम्पादन करीमैसूरक प्रामाणिक इतिहास भारत पर सिकन्दरक आक्रमण (इशा पूर्व ३२७) कऽ बादसँ प्राप्त होइत अछि । ओ आक्रमणक पश्चात मैसूरक उत्तरी भाग पर सातवाहन वंशक अधिकार भेल छल आ ई अधिकार २०० ईसवी धरि चलल । मैसूरक ई राजा सातकर्णी कहलावैत छल । एकर बाद उत्तर कशचमी क्षेत्र पर कदम्ब वंशक आ उतर पूर्वी भाग पर पल्लवसभक शासन भेल । कदम्बसभक राजधनी वनवासीमे तथा पल्लवसभक कांचीमे छल । याह बीच उतरसँ इक्ष्वाकु वंशक सातम् राजा दुर्विनीतद्वारा पल्लवसभसँ किछ क्षेत्र छीन अपन अधिकारमे करि लेलक । आठम् शासक श्रीपुरूषद्वारा पल्लवसभकें हारए परमनदि कऽ उपाधि धारण केलक, जे गङ्ग वंशक परवर्ती शासकसभक सेहो उपाधि कायम रहल ।
उत्तर पश्चिमी क्षेत्र पर पाँचम शताब्दीमे चालुक्यद्वारा आक्रमण कएल गेल । छठम शताब्दीमे चालुक्य नरेश पुलिकैशिनद्वारा पल्लवसभसँ वातादि (वादामी) छीन लेलक आ ओकरे राजधानी स्थापित केलक । आठम शताब्दीक अन्तमे राष्ट्रकूट वंशक ध्रूव या धारावर्ष नामक राजा पल्लव नरेशसँ कर वसूल केलक आ गङ्ग वंशक राजाकें सेहो कैद करि लेलक मुदा बादमे गङ्ग राजा मुक्त करि देल गेल । राचमल (लगभग सन् ८२०) कऽ बाद गङ्ग वंशक प्रभाव पुन: वृद्धि होमए लागल । सन् १००४ मे चोलवंशीय राजेन्द्र चोल गङ्गसभकें हराए दक्षिण तथा पूर्वी हिस्सा पर अपना अधिकार करि लेलक ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ http://timesofindia.indiatimes.com/city/mysuru/Mysuru-first-city-with-1-million-people-to-be-free-of-open-defecation/articleshow/54504652.cms
- ↑ http://articles.latimes.com/1989-07-16/travel/tr-5516_1_indian-cities
- ↑ "Table 2: PR cities 1 lakh and above" (XLS)। Provisional Population Totals, Census of India 2011। Registrar General and Census Commissioner of India। अन्तिम पहुँच 3 March 2012।
- ↑ "Table 3: PR UAs/ cities 1 lakh and above" (XLS)। Provisional Population Totals, Census of India 2011। Registrar General and Census Commissioner of India। अन्तिम पहुँच 3 March 2012।
- ↑ "Mysore or Mysuru, pak tastes the same"। 4 November 2014। अन्तिम पहुँच 9 August 2015।
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे मैसूरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- मैसूर विकिभोएज सँ यात्रा सहयोगी
- मैसूर दरबार सङ्ग्रहित २०१२-०४-०१ वेब्याक मेसिन
- मैसूर शहर परिषद सङ्ग्रहित २०१९-०१-०५ वेब्याक मेसिन
- मैसूर जिला परिषद सङ्ग्रहित २०१९-०८-१० वेब्याक मेसिन