मुक्काबाज (२०१८ चलचित्र)

मुक्काबाज २०१८ कऽ एकटा हिन्दी स्पोर्ट्स-ड्रामा चलचित्र छी, जेकर निर्देशक अनुराग कश्यप अछि। विनीत कुमार सिंह, जोया हुस्सैन, जिमी शेरगिल तथा रवि किशन चलचित्रमे मुख्य भूमिकासभमे अछि। फ्यान्टम चलचित्र, रिलायन्स इन्टरटेनमेन्ट तथा कलर येलो प्रोडक्शंस कऽ ब्यानर कऽ निचा बनल ई चलचित्र के निर्माता आनन्द एल राय, विक्रमादित्य मोटवाने, मधु मन्तेना तथा अनुराग कश्यप अछि। चलचित्र कऽ कहानी स्वयम् अनुराग कश्यप, विनीत कुमार सिंह, मुक्ति सिंह श्रीनेत, के. डी. सत्यम, रञ्जन चन्देल तथा प्रसून मिश्रा कऽ साथ मिलि कऽ लिखने अछि। चलचित्र कऽ कहानी श्रवण सिंह (विनीत कुमार सिंह द्वारा अभिनीत) कऽ बीचमे ही घूमैत अछि, जे एकटा निचला जाति कऽ मुक्केबाज छी, आ मुक्केबाजी कऽ दुनियामे अपन पहिचान बनावे कऽ लेल निरन्तर संघर्षरत रहैत अछि।

मुक्काबाज
Mukkabaaz
फाइल:Mukkabaaz poster.jpg
चलचित्र कऽ आधिकारिक पोस्टर
निर्देशकअनुराग कश्यप
निर्माताआनन्द एल राय
विक्रमादित्य मोटवाने
मधु मन्तेना
अनुराग कश्यप
लेखकअनुराग कश्यप
विनीत कुमार सिंह
मुक्ति सिंह श्रीनेत
के. डी. सत्यम
रञ्जन चन्देल
प्रसून मिश्रा
कलाकारविनीत कुमार सिंह
जोया हुस्सैन
जिमी शेरगिल
रवि किशन
सङ्गीतकारसङ्गीत:
न्यूक्लिया
रचिता अरोडा
पार्श्व सङ्गीत:
प्रशान्त पिल्लई
छायाँकनकर्ताराजीव रवि
शंकर रमन
जय पटेल
जयेश नायर
सम्पादनकर्ताआरती बजाज
अंकित विद्याधर
निर्माण
कम्पनी
फ्यान्टम चलचित्र
रिलायन्स इन्टरटेनमेन्ट
कलर येलो प्रोडक्शंस
द्वारा वितरितएरोस इन्टरनेशनल
प्रदर्शित तिथि
९ सितम्बर २०१७ (टोरन्टो अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सव)
१२ जनवरी २०१८ (विश्व भरि)
समयाविधि
१५५ मिनट
देशभारत
भाषाहिन्दी
बजेट८.६ करोड रुपैयाँ
बक्स अफिस१० करोड रुपैयाँ[१]

चलचित्र कऽ कहानी विनीत कुमार सिंह २०१३ मे मुक्ति सिंह श्रीनेत कऽ साथ मिलि कऽ लिखने छल। एकर बाद ओ अपन कहानी लके अनेकौं निर्मातासभ लऽ गेल, मुद्दा ओ सभ एहि पर काम करवाक सँऽ मना करि देलक। जुलाई २०१७ मे घोषणा भेल छल जे अनुराग कश्यप, आनन्द एल राय कऽ साथ मिलि कऽ मुक्काबाज नामक एकटा चलचित्र पर काम करत्। अनुराग चलचित्र कऽ कहानी फेर दोहरा कऽ लिखलक्। चलचित्र कऽ शूटिङ्ग बरेली, लखनऊ तथा वाराणसी मे २०१७ मे भेल। चलचित्र कऽ कहानी उत्तर प्रदेश कऽ बरेली जिला मे सेट अछि।

७ जुलाई २०१७ कऽ चलचित्र कऽ २१ सेकेन्ड लम्बा अडियो टीजर जारी कएल गेल, आ फेर ७ दिसम्बर २०१७ कऽ चलचित्र कऽ आधिकारिक पोस्टर तथा ट्रेलर जारी कएल गेल। ई चलचित्र कऽ सर्वप्रथम २०१७ कऽ टोरन्टो अन्तर्राष्ट्रीय चलचित्र महोत्सव आ मुम्बई चलचित्र महोत्सव कऽ विशेष प्रस्तुति अनुभागमे देखाएल गेल छल। ई चलचित्र कऽ समीक्षकसभ सँऽ सकारात्मक प्रतिक्रियासभ प्राप्त भेल, आ समीक्षकसभ विशेष करि कऽ कश्यप के निर्देशन आ विनीत कुमार सिंह कऽ अभिनय कऽ प्रशंसा केलक। ओकर बाद १२ जनवरी २०१८ मे एकरा विश्व भरि के सिनेमाघरसभमे प्रदर्शित कएल गेल। ८.६ करोड कऽ बजेट मे बनल ई चलचित्र बक्स अफिस पर केवल १० करोड रुपैयाँ ही कमा पावलक्, आ एकरा फ्लप घोषित करि देल गेल।

संक्षेप सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. हांडू, रितिका (२२ जनवरी २०१८)। "Mukkabaaz Box Office collections: Check out inside" [मुक्काबाज़ बॉक्स ऑफिस कलेक्शन: अंदर जाँचें] (अंग्रेजीमे)। ज़ी न्यूज़। अन्तिम पहुँच २७ जनवरी २०१८{{cite news}}: CS1 maint: unrecognized language (link)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी