मिथिला मखान
मिथिला मखान नितिन चन्द्रद्वारा निर्देशित एकटा मैथिली भाषाक फिल्म छि जाहिमे अनुरिता झा, क्रान्ति प्रकाश झा आ पंकज झा अछि।[१]
मिथिला मखान | |
---|---|
निर्देशक | नीतिन नीरा चन्द्र |
निर्माता | नीतु चन्द्र
समिर कुमार नीतिन चन्द्र |
लेखक | नीतिन नीरा चन्द्र |
कलाकार | क्रान्ति प्रकाश झा
अनुरित्ता झा पंकज झा अरुण कुमार झा |
छायाँकनकर्ता | जस्टिन जे. च्याम्बर्स , संजय खानजोडे |
प्रदर्शित तिथि | २ अक्टुबर २०२० |
उदित नारायण, हरिहरन, सुरेश वाडकर आ सोनू निगम जकाँ महान गीतकारसभ फिल्ममे गीतक लेल पार्श्व आवाज देने अछि।
ई फिल्म ६३म् राष्ट्रिय फिल्म पुरस्कारमे भाषा अनुभागक अन्तर्गत सर्वश्रेष्ठ मैथिली फिल्मक पुरस्कार जीतने छल। ई फिल्म एहन किसिमसँ राष्ट्रिय पुरस्कार पाब बला बिहार आ झारखण्डक पहिल मैथिली फिल्म छि।[२] मैथिलीमे सर्वश्रेष्ठ फिल्मक पुरस्कार जीतए के बाहेक, "मिथिला मखान" केर आधिकारिक रुपसँ मई, २०१६ मे टोरन्टोमे दक्षिण एसिया के अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सव (आईएफएफएसए), जागरण फिल्म महोत्सव - २०१६ मे सूचना आ प्रसारण मन्त्रालय, नयाँ दिल्ली आ एनएफएआई, पुणेद्वारा आयोजित राष्ट्रिय फिल्म महोत्सव - २०१६ के लेल सेहो नामांकन कएल गेल छल। ई फिल्म अमेरिका, क्यानाडा, भारत आ नेपाल मे फिल्माएल गेल उच्च बजेट बला फिल्म छि।[३] एकरा क्यानाडा मे माइनस ३५ डिग्री सेल्सियस आ भारत आ नेपाल मे प्लस ४५ डिग्री सेल्सियस तापमानमे शूट कएल गेल छल।[४]
कलाकारसभ
सम्पादन करी- क्रान्ति प्रकाश झा क्रान्ति प्रकाश केर रूपमे
- अनुरीता झा मैथिली के रूपमे
- पंकज झा ब्रह्मा के रूपमे
- प्रशान्त राणा
- साकेत कुमार मिश्रा मैथिली के भाई के रूपमे
प्रोडक्सन
सम्पादन करीमिथिला मखानका निर्माण समीर कुमार (आईआईटी, आईआईएम, पूर्व आईएएस-सहयोगी, निवेश बैंकर) आ चम्पारण टकीज, अभिनेत्री-उद्यमी नीतू चन्द्रा आ हुनकर भाई नितिन नीरा चन्द्राक प्रोडक्सन हाउसद्वारा कएल गेल छल, जे फिल्मक निर्देशक छि। फिल्मक प्रारम्भिक विचार निर्देशक केर मोनमे तखन आएल जखन ओ सन् २००८ केर कोशी बाढि के समयमे एकटा एनजीओ के सँगमे काज करि रहल छल आ ओ लोगसभक दोसर देशसभमे काज खोजबाक आवश्यकता केर बारेमे सोचि रहल छल।
अप्रैल २०५ मे, बिहार मे शूटिङ समाप्त करलाक बाद टिम वास्तवमे हतोत्साहित छल। निर्देशक आ डीओपी केर सल्लाह छल जे फिल्म केर बक्समे छोडि देल जाए। निर्माता, समीर कुमार आगा निवेश करबाक आ मूल योजनाक अनुसार फिल्मके पूरा करबाक साहसिक निर्णय लेलक। एकर बाहेक ओ आवश्यक सेन्सर प्रमाणपत्र प्राप्त करबाक पश्चात फिल्म के राष्ट्रिय पुरस्कारसभक लेल प्रस्तुत करबाक समय सीमा निर्धारित केने छल। फिल्म राष्ट्रिय पुरस्कार जीतलक।
पुरस्कार आ ख्याति
सम्पादन करी- राष्ट्रिय फिल्म पुरस्कार मैथिली फिल्म के लेल[५]
- टोरन्टो मे दक्षिण एसिया के अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सवक लेल आधिकारिक चयन
- पटना अन्तर्राष्ट्रिय फिल्म महोत्सवमे प्रदर्शित[६]
- एनएफएआई, पुणेमे प्रदर्शित कएल गेल[७][८][९] [१०][११]
- ↑ timesofindia.indiatimes.com सङ्ग्रहित २०१६-०४-०२ वेब्याक मेसिन
- ↑ thehansindia.com सङ्ग्रहित २०१६-०६-२४ वेब्याक मेसिन
- ↑ boxofficeindia.co.in सङ्ग्रहित २०१६-०६-२४ वेब्याक मेसिन
- ↑ "National Awards 2016: Here is the complete List of Winners"। The Indian Express। 22 September 2020। 28 March 2016 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित।
- ↑ "National Awards 2016: Here is the complete List of Winners"। The Indian Express। 22 September 2020। 28 March 2016 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित।
- ↑ bollywooddhamaka.in सङ्ग्रहित २०१६-०३-२२ वेब्याक मेसिन
- ↑ nfaipune.nic.in सङ्ग्रहित २०१६-०९-२३ वेब्याक मेसिन
- ↑ newsgram.com सङ्ग्रहित २०१६-०५-३० वेब्याक मेसिन
- ↑ bollywooddhamaka.in सङ्ग्रहित २०१६-०३-२२ वेब्याक मेसिन
- ↑ nfaipune.nic.in सङ्ग्रहित २०१६-०९-२३ वेब्याक मेसिन
- ↑ newsgram.com सङ्ग्रहित २०१६-०५-३० वेब्याक मेसिन