मानस बिहारी वर्मा


मानस बिहारी वर्मा (२९ जुलाई १९४३ – ४ मई २०२१) भारतीय हल्का लड़ाकू विमान तेजस केर विकासमे सहायक वैमानिकी वैज्ञानिक छल। सन् २०१८ मे, हुनका भारतक राष्ट्रपतिद्वारा पद्म श्रीसँ सम्मानित कएल गेल छल।

मानस बिहारी वर्मा
वर्मा सन् २०१८ मे
जन्म(१९४३-०७-२९)२९ जुलाई १९४३
मृत्यु४ मई २०२१(२०२१-०५-०४) (७७ वर्ष)
संस्कार स्थलदरभंगा, भारत
पुरस्कारपद्म श्री

प्रारम्भिक जीवन

सम्पादन करी

वर्माक जन्म सन् १९४३ जुलाई २९ कऽ दिन दड़िभङ्गा जिला, बिहारमे स्थित घनश्यामपुर ब्लकक बोर गाममे यशोदा देवी आ आनन्द किशोर लाल दास कऽ घर भेल छल। हुनकर तीन भाए आ चारि बहीन अछि। ओ ब्रज किशोर वर्मा मणिपद्मसँ सम्बन्धित अछि, जे एक प्रसिद्ध मैथिली साहित्यकार छी।[][]

ओ अप्पन विद्यालय शिक्षा मधेपुरक जवाहर हाई स्कूलसँ पूरा केनए छल। ओकर बाद ओ राष्ट्रिय प्रौद्योगिकी संस्थान, पटना आ कलकत्ता विश्वविद्यालयमे अध्ययन केनए छल।[][]

ओ ३५ वर्षधरि वैमानिकी धारामे रक्षा अनुसन्धान विकास सङ्गठनमे एक वैज्ञानिक केर रूपमे काज केनए छल। ओ बेङ्गलोर, नयाँ दिल्ली आ कोरापुटमे स्थापित विभिन्न वैमानिकी विभागसभमे काज केनए छल। एकर बाद हुनका तेजस विमान यान्त्रिक प्रणाली कऽ डिजाइनक लेल जिम्मेदार बनाएल गेल छल। ओ वैमानिक विकास अभिकरणमे हल्का लड़ाकू विमान दल डिजाइन दलक हिस्सा छल। ओ तेजस विमानक पूर्ण स्तर पर इन्जिनियरिङ विकासक लेल जिम्मेदार दलक नेतृत्व केनए छल।[] हुनका पूर्व प्रधानमन्त्री अटल बिहारी वाजपेयीद्वारा 'वर्ष वैज्ञानिक' पुरस्कार आ पूर्व प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंहद्वारा 'प्रौद्योगिकी नेतृत्व पुरस्कार' देल गेल छल।[] ओ सन् २००५ मे एयरोनटिकल डेभलपमेन्ट एजेन्सीक निदेशकक रूपमे सेवानिवृत्त भेल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. "बिहार: 'तेजस' विमान की नींव रखने वाले दरभंगा के डॉ मानस बिहारी वर्मा को मिला पद्म श्री", लाइव हिन्दुस्तान (हिन्दीमे), मूलसँ २३ नवंबर २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-११-१७ 
  2. २.० २.१ २.२ "रिटायरमेंट के बाद समाजसेवा में व्यस्त हैं 'तेजस' बनाने वाले डॉ वर्मा, मिलेगा पद्मश्री सम्मान– News18 हिंदी", News18 India (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच १७ नवम्बर २०१८ 
  3. "Mentored by Kalam, This Unsung Scientist's Brilliant Ideas Brought Science to Rural Bihar!", The Better India (en-USमे), २०१८-११-०९, मूलसँ २९ जनवरी २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-११-१७ 
  4. "Former aide of Dr. APJ Abdul Kalam imparts science education to Dalit children in Bihar", India Today (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ २८ जनवरी २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१८-११-१७