मधुबाला
मधुबाला (मूल नाम: मुमताज जहाँ देहलवी; सन् १९३३ फरबरी १४ - सन् १९६९ फरवरी २३) एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी जे की शास्त्रीय भारतीय हिन्दी चलचित्रमे अभिनय केनए छल। ओ मुख्यतया हिन्दी चलचित्रमे अभिनय करैत छल। ओकर अभिनयमे आदर्शवादी भारतीय महिला देखल गेल छल।
मधुबाला Madhubala | |
---|---|
जन्म | मुमताज बेगम जहाँ देहलवी १४ फरबरी १९३३ |
मृत्यु | २३ फरबरी १९६९ मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत | (३६ वर्ष)
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | अभिनेत्री, चलचित्र निर्माता |
जीवनसाथी(सभ) | किशोर कुमार (वि. १९६०–१९६९) |
प्रारम्भिक जीवन
सम्पादन करीमधुबाला कऽ जन्म सन् १९३३ फरबरी १४ मे दिल्ली कऽ एक पस्तुन मुस्लिम परिवारमे भेल छल। मधुबाला अपन माता-पिता कऽ ५म् सन्तान छल। हुनकर माता-पिता कऽ कुल ११ सन्तान छल। मधुबाला कऽ बाल्यकाल कऽ नाम मुमताज बेगम जहाँ देहलवी छल।
बलिउडमे प्रवेश
सम्पादन करीबलिउडमे ओ 'बेबी मुमताज' कऽ नामसँ केनए छल। ओ हिन्दी चलचित्र 'बसन्त' (१९४२) सँ अप्पन करियरक आरम्भ केनए छल। बसन्त चलचित्रमे मधुबालाक अभिनयसँ प्रभावित भऽ देविका रानी ओकर नाम मुमताजसँ बदलि 'मधुबाला' राखि देलक।
अभिनय यात्रा
सम्पादन करीमधुबालाक मुख्य भूमिका खेलवाक पहिल मौका केदार शर्मा अपन चलचित्र 'नील कमल' (१९४७) मे देनए छल। ई चलचित्रमे ओ राज कपूर कऽ साथ अभिनय केनए छल। ई चलचित्रमे ओ अभिनय केलाक बाद ओकरा 'सिनेमाक सौन्दर्य देवी' कहल जाए लगल छल। एकर २ सालक बाद बम्बे टकिजक चलचित्र 'महल' मे ओ अभिनय केलक। महल चलचित्रक गीत 'आएगा आनेवाला' दर्शकसभ बहुत पसन्द केलक।
विआह
सम्पादन करीमधुबालाक विआह कऽ लेल तीन अलग-अलग व्यक्तिसँ प्रस्ताव मिलल छल। मुदा मधुबाला किशोर कुमार कऽ चुनवाक निर्णय केलक। किशोर कुमार एक तलाक भेल व्यक्ति छल। सन्न १९६० मे किशोर कुमार विआह केलक। मुदा किशोर कुमारक माता-पिता कऽ मधुबाला स्वीकार नै छल। ओ लोकनि केर विचार छल जे मधुबालाक कारणसँ ओकरसभक बेटा कऽ पहिल विआह टूटल छल। किशोर कुमार माता-पिता कऽ खुश करवाक लेल हिन्दू रीति-रिवाजसँ पुनः शादी केलक, मुदा ओ अप्पन माए बाप केर नै मोनाए सकल।