मङ्गलयान
मङ्गलयान, (औपचारिक नाम- मङ्गल कक्षित्र मिशन, अङ्ग्रेजी: Mars Orbiter Mission ; मार्स अर्बिटर मिशन), भारतक प्रथम मङ्गल अभियान छी । ई भारतक प्रथम ग्रहसभक बीचक मिशन छी । वस्तुत: ई भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनक एक महत्वाकांक्षी अन्तरिक्ष परियोजना छी । ई परियोजनाक अन्तर्गत ५ नवम्बर २०१३ के २ बजिके 38 मिनट पर मङ्गल ग्रहक परिक्रमा करैक हेतु छोड़ल गेल एक उपग्रह आन्ध्र प्रदेशक श्रीहरिकोटा स्थित सतीश धवन अन्तरिक्ष केन्द्र सँ ध्रुवीय उपग्रह प्रक्षेपण यान (पिएसएलभी) सी-२५ द्वारा सफलतापूर्वक छोड़ल गेल ।
मिसन प्रकार | मङ्गल कक्षीयान | ||||
---|---|---|---|---|---|
सञ्चालक | इसरो | ||||
कोसपर क्रम | 2013-060A | ||||
स्याटक्याट क्रम | 39370 | ||||
वेबसाइट | मार्स अर्बिटर मिशन | ||||
मिसन अवधि | योजना: ६ महिना [१] बितल:२ साल, ९ महिना, ३० दिन (०४/०९/१६ क अनुसार) | ||||
अन्तरिक्ष यानक गुणसभ | |||||
बस | आई-२के | ||||
निर्माता | भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठन उपग्रह केन्द्र | ||||
प्रक्षेपित तौल | १,३३७.२ किग्रा (२,९४८ पाउन्ड)[२] | ||||
बोल तौल | ≈५५० किग्रा (१,२१० पाउन्ड) | ||||
सुक्खा तौल | ४८२.५ किग्रा (१,०६४ पाउन्ड)[२] | ||||
पेलोड तौल | १३.४ किग्रा (३० पाउन्ड)[३] | ||||
आयामसभ | १.५ मी (४.९ फिट) घन | ||||
शक्ति | ८४० वाट सौर्य सेल[४] | ||||
मिसन आरम्भ | |||||
प्रक्षेपण तिथि | ५ नवम्बर २०१३, ०९:०८ युटिसी[५] | ||||
रकेट | ध्रुवीय उपग्रह प्रक्षेपण यान-एक्सएल सी25 [६] | ||||
प्रक्षेपण स्थान | सतीश धवन अन्तरिक्ष केन्द्र | ||||
निकाय | इसरो | ||||
कक्षीय मापदण्डसभ | |||||
सन्दर्भ प्रणाली | मङ्गलकेन्द्रिक | ||||
पेरी | ३७७ किमी (२३४ माइल) | ||||
एपो | ८०,००० किमी (५०,००० माइल) | ||||
प्रवृति | १७.८६४ डिग्री[७] | ||||
मङ्गल परिक्रमा | |||||
कक्षीय सम्मिलन | २४ सितम्बर २०१४ ०२:०० युटिसी[८] | ||||
कक्षा प्यारामिटर | |||||
पेरीएरियन | ४२१.७ किमी (२६२.० माइल)[९] | ||||
एपोएरियन | ७६,९९३.६ किमी (४७,८४१.६ माइल)[९] | ||||
प्रवृति | १५०.०° [९] | ||||
उपकरणसभ | |||||
मिथेन सेन्सर, थर्मल इन्फ्रारेड स्पेक्ट्रोमिटर, मार्स कलर क्यामरा, लमेन अल्फा फोटोमिटर, मङ्गल बहिर्मण्डल उदासीन संरचना विश्लेषक | |||||
----
|
एकर संगे भारत सेहो आब ओहि देशसभमे शामिल भ गेल अछि जे मङ्गल ग्रहपर अपन यान भेज्ने अछि । ओना आई धरि मङ्गल जाइक लेल शुरू कएल गेल दुई तिहाई अभियान असफल भेल अछि मुदा २४ सितम्बर २०१४ के मङ्गल पर पहुँचैक साथे भारत विश्वमे अपन प्रथम प्रयासमे सफल होमएवला पहिल देश तथा सोभियत रूस, नासा आ युरोपेली अन्तरिक्ष एजेन्सीक बाद दुनियाक चारिम देश बनि गेल अछि । एकर अतिरिक्त ई मङ्गल पर भेजल गेल सबसँ सस्ता मिशन सेहो छी । भारत एसियाक देशसभमे सँ ऐहन करैवला प्रथम देश बनि गेल । कियाकि एहिसँ पहिने चीन आ जापान अपन मङ्गल अभियानमे असफल रहल छल। [१०][११]
वस्तुतः ई एक प्राविधिक प्रदर्शन परियोजना छल जकर लक्ष्य अन्तरग्रहीय अन्तरिक्ष मिशनसभक लेल आवश्यक डिजाइन, नियोजन, प्रबन्धन तथा क्रियान्वयनक विकास करनाए अछि ।[१२] अर्बिटर अपन पाँच उपकरणसभक संग मङ्गल ग्रहक परिक्रमा करैत रहत तथा वैज्ञानिक उद्देश्यक प्राप्त करैक लेल तथ्याङ्क तथा चित्र पृथ्वी पर भेजत ।[१०] अन्तरिक्ष यान पर वर्तमानमे इसरो टेलिम्याट्री, ट्रयाकिङ आ कमाण्ड नेटवर्क, बेङ्गलोरक अन्तरिक्षयान नियन्त्रण केन्द्रसँ भारतीय डिप स्पेस नेटवर्क एन्टिनाक सहायतासँ नजर रखल जा रहल अछि ।[१३]
प्रतिष्ठित टाइम पत्रिका मङ्गलयानके सन् २०१४ के सर्वश्रेष्ठ आविष्कारसभमे शामिल केनए छल ।[१४]
इतिहास
सम्पादन करी२३ नवम्बर २००८ के, मङ्गल ग्रहक लेल एक मानव रहित मिशनक पहिल सार्वजनिक अभिस्वीकृतिक घोषणा इसरोक अध्यक्ष माधवन नायरद्वारा कएल गेल छल । [१५] मङ्गलयान मिशनक अवधारणा सन् २००८ मे चन्द्र उपग्रह चन्द्रयान-१क प्रक्षेपण बाद अन्तरिक्ष विज्ञान आ भारतीय प्राविधिक संस्थानद्वारा सन् २०१० मे एक व्यवहार्यता अध्ययनक साथ शुरू भेल । भारत सरकार परियोजनाके ३ अगस्त २०१२ मे मञ्जुरी देनए छल । [१६] एकर बाद भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठन १२५ करोड़ टाका (१९$ मिलियन) क अर्बिटरक लेल आवश्यक अध्ययन पूरा केलक । परियोजनाक कुल लागत ४५४ करोड़ टाका (६७$ मिलियन) भेल । [१७]
अन्तरिक्ष एजेन्सी २८ अक्टुबर २०१३ प्रक्षेपणक योजना बनौलक । मुदा प्रशान्त महासागरमे खराब मौसमक कारण इसरो अंतरिक्ष यान ट्रयाकिङ्ग जहाजसभके पहुँचैमे देरी भेल । जाहिसँ अभियानके ५ नवम्बर २०१३ धरि स्थगित करि देल गेल छल ।[१८]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Mars Orbiter Spacecraft completes Engine Test, fine-tunes its Course"। Spaceflight 101। 22 September 2014। मूलसँ 11 October 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 24 September 2014।
- ↑ २.० २.१ Arunan, S.; Satish, R. (25 September 2015)। "Mars Orbiter Mission spacecraft and its challenges"। Current Science। 109 (6): 1061–1069। doi:10.18520/v109/i6/1061-1069।
- ↑ "Mars Orbiter MIssion - Payloads" (पीडीएफ)। इसरो (अंग्रेज़ीमे)। इसरो। अक्टूबर 2013। अन्तिम पहुँच 5 नवम्बर 2013।
{{cite web}}
: Check date values in:|date=
(help)CS1 maint: unrecognized language (link) - ↑ "Mars Orbiter Mission Spacecraft"। ISRO। मूलसँ 25 December 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 23 December 2014।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "India to launch Mars Orbiter Mission on November 5"। The Times of India। Times News Network। 22 October 2013। अन्तिम पहुँच 22 October 2013।
- ↑ "Mars Orbiter Mission: Launch Vehicle"। ISRO। मूलसँ 25 November 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 23 December 2014।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Mars Orbiter Mission (MOM) - Manglayaan (15 अक्टूबर 2013)
- ↑ Tucker, Harry (25 September 2014)। "India becomes first country to enter Mars' orbit on their first attempt"। Herald Sun। Agence France-Presse। अन्तिम पहुँच 24 September 2014।
- ↑ ९.० ९.१ ९.२ "Mars Orbiter Spacecraft Successfully Inserted into Mars Orbit" (Press release)। ISRO। 24 September 2014। मूलसँ 25 September 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 24 November 2016।
{{cite press release}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ १०.० १०.१ "पहली ही कोशिश में मङ्गल तक पहुंचा भारत"। नवभारत टाईम्स। 24 सितंबर 2014। अन्तिम पहुँच 24 सितंबर 2014।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
आ|date=
(help)[permanent dead link] - ↑ "मार्स ऑर्बिटर मिशन: महत्वपूर्ण घटनाओं का क्रम"। नवभारत टाईम्स। 24 सितंबर 2014। अन्तिम पहुँच 24 सितंबर 2014।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
आ|date=
(help)[permanent dead link] - ↑ सन्दर्भ त्रुटि: अमान्य
<ref>
टैग;bs1
नामक संदर्भ की जानकारी नहीं है - ↑ "Mangalyaan successfully placed into Mars Transfer Trajectory"। Bihar Prabha। 1 December 2013। अन्तिम पहुँच 1 December 2013।
- ↑ "'टाइम' पत्रिका ने भारत के 'मङ्गलयान' को 2014 के सर्वश्रेष्ठ आविष्कारों में शामिल किया"। http://khabar.ndtv.com। 21 नवम्बर 2014। मूलसँ 2015-02-19 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 19 फ़रवरी 2015।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help); External link in
(help)|publisher=
- ↑ "After Chandrayaan, its mission to Mars: Madhavan Nair"। Oneindia। United News of India। 23 November 2008। अन्तिम पहुँच 1 April 2015।
- ↑ "Cabinet clears Mars mission"। The Hindu। 4 August 2012। अन्तिम पहुँच 10 August 2012।
- ↑ "India's Mars mission gets Rs. 125 crore"। Mars Daily। Indo-Asian News Service। 19 March 2012। अन्तिम पहुँच 4 February 2014।
- ↑ "India plans mission to Mars next year"। The Daily Telegraph। 16 August 2012। अन्तिम पहुँच 8 September 2012।
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे मङ्गलयानसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |