भारतीय रिजर्व बैंक
भारतीय रिजर्व बैङ्क (अङ्ग्रेजी: Reserve Bank of India ) भारतक केन्द्रीय बैङ्क थीक। ई भारतक सभ बैङ्कक सञ्चालक ओ विनियामक थीक। रिजर्व बैक भारतक अर्थव्यवस्था के नियन्त्रित करैत अछि। भारतक वित्त मंत्रालयक अधीन भारत सरकारक ई स्वायत्तशासी वित्तीय संस्थान भारतीय मुद्राक नियन्त्रण, निर्गमन, ओ एकर आपुर्तिक प्रबंधन लेल उत्तरदायी रहैत अछि। ई देसक मुख्य भुगतान प्रणाली के प्रबंधित करबाक संग एकर आर्थिक विकास केरि संवर्द्धन लेल सेहो काज करैत अछि। भारतीय रिजर्व बैङ्क नोट मुद्रण (बीआरबीएनएम), आरबीआइ केरि विशिष्ट संभाग थीक जकरा माध्यम सं ई भारतीय मुद्रा ओ सिक्का (भारतक राष्ट्रिय रुपिया किंवा आइएनआर) मैसुर (कर्नाटक; दक्षिण भारत) आओर सालबोनी (पश्चिम बङ्गाल, पूर्वी भारत) देवास, मध्यप्रदेश स्थित अपन तीन गोट पत्रमुद्रांकण छापाखाना ओ मुद्रा ढ़़लाई इकाई मे छपबैत ओ ढ़लबाबैत अछि।[6] भारतीय बैङ्किंग सङ्गठनक संग आरबीआइ भारत मे भुगतान प्रणाली ओ एकर समावेशन केरि संवर्धन ओ विनियमन करबा' लेल भारतीय भुगतान निगमक स्थापना केलक। जमा बीमा ओ ऋण प्रत्याभूति निगमक स्थापना आरबी आइ द्वारा अपन विशिष्ट संभागक रूप मे सभ भारतीय बैङ्क के जमा राशि प'र बीमाक सुविधा ओ ऋण सुविधाक प्रत्याभूति देबा' लेल कयल गेल छल।
| |||
मुख्यालय | सहिद भगत सिंह मार्ग, मुम्बई, महाराष्ट्र | ||
---|---|---|---|
स्थापना | अप्रैल १, १९३५ | ||
गवर्नर | रघुराम राजन | ||
मुद्रा | भारतीय रुपिया | ||
आरक्षित | युएस$ ३०२.१ बिलियन[१] | ||
वेबसाइट | https://www.rbi.org.in/hindi/Home.aspx |
एकर स्थापना १ अप्रैल सन् १९३५ क रिजर्व बैङ्क आफ इन्डिया एक्ट १९३४क अनुसार भेल छल। प्रारम्भ मे एकर केन्द्रीय कार्यालय कोलकाता मे छल जे सन् १९३७ मे मुम्बई मे विस्तारित ओ स्थानान्तरित कयल गेल। पहिने ई एकटा एहेन आरक्षित बैङ्क छल जकर नियन्त्रण सरकारक अधीन नहि वरन निवेशक सभक अधीन छल परन्तु सन् १९४९ सँ ई भारत सरकारक उपक्रम बनि गेल अछि। डा॰ रघुराम राजन भारतीय रिजर्व बैङ्कक पूर्व गभर्नर छलाह, जे सितम्बर २०१३ मे पदभार ग्रहण कयने छलाह। हुनका सं श्री ऊर्जित पटेल ओ तकर बाद हुनक पश्चवर्ती ओ 25म मुख्य कार्यकारी अधिकारी/गवर्नर श्री शक्तिकांत दास पदभार ग्रहण केलनि।
इतिहास
सम्पादन करीभारतीय रिजर्व बैङ्कक स्थापना १९३४ मे भारतीय रिजर्व बैङ्क अधिनियमक अन्तर्गत भेल छल। यद्यपि आरंभ मे निजी निवेशकगणक अधीन रहल अहि केन्द्रीय बैङ्कक राष्ट्रिय १९४९ मे भेल छल आ ताहि समय सं ई पूर्णत: वित्त मंत्रालय, भारत सरकारक अधीन स्वायत्तशासी निकायक रूप मे काज करैत आओर अछि।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "India's forex reserves slump by $4.67 billion", Mumbai: New Delhi Television Limited, २५ दिसम्बर २०११।
|access date=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)