भारतीय रिजर्व बैंक

(भारतीय रिजर्भ बैंकसँ पुनर्निर्देशित)

भारतीय रिजर्व बैंक (अङ्ग्रेजी: Reserve Bank of India) भारतक केन्द्रीय बैंक थीक । ई भारतक सभ बैंकक सञ्चालक ओ विनियामक थीक । रिजर्व बैक भारतक अर्थव्यवस्था के नियन्त्रित करैत अछि। भारतक वित्त मंत्रालयक अधीन भारत सरकारक ई स्वायत्तशासी वित्तीय संस्थान भारतीय मुद्राक नियंत्रण, निर्गमन, ओ एकर आपुर्तिक प्रबंधन लेल उत्तरदायी रहैत अछि । ई देसक मुख्य भुगतान प्रणाली के प्रबंधित करबाक संग एकर आर्थिक विकास केरि संवर्द्धन लेल सेहो काज करैत अछि । भारतीय रिजर्व बैंक नोट मुद्रण (बीआरबीएन‌एम), आरबीआइ केरि विशिष्ट संभाग थीक जकरा माध्यम सं ई भारतीय मुद्रा ओ सिक्का (भारतक राष्ट्रीय रुपिया किंवा आइएन‌आर) मैसुर (कर्नाटक; दक्षिण भारत) आओर सालबोनी (पश्चिम बंगाल, पुर्वी भारत) देवास, मध्यप्रदेश स्थित अपन तीन गोट पत्रमुद्रांकण छापाखाना ओ मुद्रा ढ़़लाई इकाई मे छपबैत ओ ढ़लबाबैत अछि ।[6] भारतीय बैंकिंग संगठनक संग आरबीआइ भारत मे भुगतान प्रणाली ओ एकर समावेशन केरि संवर्धन ओ विनियमन करबा' लेल भारतीय भुगतान निगमक स्थापना केलक । जमा बीमा ओ ऋण प्रत्याभूति निगमक स्थापना आरबी आइ द्वारा अपन विशिष्ट संभागक रूप मे सभ भारतीय बैंक के जमा राशि प'र बीमाक सुविधा ओ ऋण सुविधाक प्रत्याभूति देबा' लेल कयल गेल छल ।

भारतीय रिजर्व बैंक
Reserve Bank of India
भारतीय रिजर्व बैंकक प्रतीक-मुद्राय
भारतीय रिजर्व बैंकक प्रतीक-मुद्राय
रिजर्व बैंक भवनक {टावर-मीनारक)मुख्यालयक समक्ष}
रिजर्व बैंक भवनक {टावर-मीनारक)मुख्यालयक समक्ष}
मुख्यालयशहीद भगत सिंह मार्ग, मुम्बई, महाराष्ट्र
स्थापनाअप्रैल १, १९३५ (८९ वर्ष आगा) (१९३५-०४-01)
गवर्नररघुराम राजन
मुद्राभारतीय रुपिया
आरक्षितयुएस$ ३०२.१ बिलियन[१]
वेबसाइटhttps://www.rbi.org.in/hindi/Home.aspx

एकर स्थापना १ अप्रैल सन् १९३५ क रिजर्व बैंक आफ इन्डिया एक्ट १९३४क अनुसार भेल छल । प्रारम्भ मे एकर केन्द्रीय कार्यालय कोलकाता मे छल जे सन् १९३७ मे मुम्बई मे विस्तारित ओ स्थानान्तरित कयल गेल। पहिने ई एकटा एहेन आरक्षित बैंक छल जकर नियंत्रण सरकारक अधीन नहि वरन निवेशक सभक अधीन छल परन्तु सन् १९४९ सँ ई भारत सरकारक उपक्रम बनि गेल अछि । डा॰ रघुराम राजन भारतीय रिजर्व बैंकक पूर्व गभर्नर छलाह, जे सितम्बर २०१३ मे पदभार ग्रहण कयने छलाह । हुनका सं श्री ऊर्जित पटेल ओ तकर बाद हुनक पश्चवर्ती ओ 25म मुख्य कार्यकारी अधिकारी/गवर्नर श्री शक्तिकांत दास पदभार ग्रहण केलनि ।

इतिहास सम्पादन करी

भारतीय रिजर्व बैंकक स्थापना १९३४ मे भारतीय रिजर्व बैंक अधिनियमक अन्तर्गत भेल छल । यद्यपि आरंभ मे निजी निवेशकगणक अधीन रहल अहि केन्द्रीय बैंकक राष्ट्रीय १९४९ मे भेल छल आ ताहि समय सं ई पूर्णत: वित्त मंत्रालय, भारत सरकारक अधीन स्वायत्तशासी निकायक रूप मे काज करैत आओर अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "India's forex reserves slump by $4.67 billion"। Mumbai: New Delhi Television Limited। 25 दिसम्बर 2011। {{cite web}}: Unknown parameter |access date= ignored (|access-date= suggested) (help)

एहो सभ देखी सम्पादन करी