बाबुराम भट्टराई
बाबूराम भट्टराई (जन्म १ जून १९५४) एक नेपाली राजनीतिज्ञ आ जनता समाजवादी पार्टी, नेपालक सङ्घिय परिषदक अध्यक्ष छी, ओ अगस्त २०११ सँ मार्च २०१३ धरि नेपालक प्रधानमन्त्री छल। भट्टराई नयाँ शक्ति पार्टीक स्थापना सँ पहिने एकीकृत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी अग्रणी भूमिका निर्वाह केनिहार पार्टीक सदस्य आ नेता छल।
डा. बाबुराम भट्टराई Dr. Baburam Bhattarai | |
---|---|
![]() | |
३६अम नेपालक प्रधानमन्त्री
| |
कार्यकाल २९ अगस्त २०११ – १४ मार्च २०१३ | |
राष्ट्रपति : | रामवरण यादव |
सहायक | बिजयकुमार गच्छदार |
अग्रज : | झलनाथ खनाल |
उतराधिकारी : | खिलराज रेग्मी |
नयाँ शक्ति पार्टी नेपालक अध्यक्ष
| |
कार्यकाल जुन २०१६ – ६ मई २०१९ | |
अग्रज : | स्थिति यथावत कएल गेल |
उतराधिकारी : | कार्यालय (पार्टी) भङ्ग |
गोरखासँ नेपालक संसद सदस्य (सांसद)
| |
बहालवाला | |
पद बहाली २७ मई २००८ | |
अग्रज : | चिरन्जीवी वागले |
व्यक्तिगत जानकारी | |
जन्म | [१] खोप्लाङ, गोर्खा, नेपाल | १८ जुन १९५४
नागरिकता | नेपाली |
राष्ट्रियता | नेपाली |
राजनीतिक दल | जनता समाजवादी पार्टी, नेपाल |
अन्य राजनैतिक संलग्नता |
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र) (२०१५ सँ पहिने) नयाँ शक्ति पार्टी, नेपाल (२०१६-२०१९) |
जीवनसाथी | हिसिला यमी (विवाह १९८०–हाल) |
बच्चा | मानुषी यमी भट्टराई |
सम्बन्धी |
|
अलमा मेटर | अमृत साइन्स कलेज चण्डिगढ कलेज अफ् आर्किटेक्चर स्कूल अफ प्लानिङ एण्ड आर्किटेक्चर जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय |
वेबसाइट | Official Website |
सन् १९९६ मे माओवादीसभ द्वारा नेपाली गृहयुद्धक शुरुआत कएने छल जकर नेपालमे राजनीतिक व्यवस्था पर व्यापक प्रभाव पड़ल। एक दशक धरि चलल गृहयुद्ध जाहिमे १२००० सँ बेसी नेपाली मारल गेल आ नेपालकें राजतन्त्र अन्त्य करि एक गणतन्त्र देश स्थापित कारबामे ओ प्रमुख भूमिका निभौने छल। भट्टराई २००८ गोर्खासँ माओवादी उमेदवारक रूपमे संविधान सभाक सदस्य चुनल गेल आ चुनाओक बाद बनल क्याबिनेटमे अर्थमन्त्री बनल।
२०११ मे भट्टराई नेपालक ३६अम प्रधानमन्त्री बनल आ मई २०१२ मे पहिल नेपाली संविधान सभा विघटनक बादमे राजनीतिक गतिरोधक रूपमे हुनका द्वारा मुख्य न्यायाधीश खिलराज रेग्मीकें अन्तरिम सरकारक प्रमुखक रूपमे प्रतिस्थापित कएने छल जिनका अभिवारा २१ जुन २०१३ मे चुनाओ सम्पन्न करबाक छल।[२] हुनका द्वारा २६ सितम्बर २०१५ मे अपन पद आ पार्टीक सम्पूर्ण दाइत्वसभसँ त्यागपत्र देलासँ पहिने एकीकृत नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी माओवादीक स्थायी समितिक सदस्य आ एक वरिष्ठ उपाध्यक्ष छल। ओकर बाद २०१९ धरि ओ नयाँ शक्ति पार्टीक समन्वयक छल। वर्तमानमे ओ एक नवगठित पार्टी जनता समाजवादी पार्टी नेपालक सङ्घिय परिषदक अध्यक्ष छी जे पार्टी नयाँ शक्ति पार्टी नेपाल, सङ्घीय समाजवादी फोरम, नेपाल आ राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपालक विलयसँ बनल अछि।
बाल्यकालसम्पादन
नेपालक मध्य पहाडी क्षेत्रमे रहल गोर्खा जिलामे बाबुराम भट्टराईक जन्म भेल हिनकर पिता भोजप्रसाद भट्टराई आ माँता धर्मकुमारी भट्टराईक ओ दोसर सन्तान छी। हुनकर एक दिदी, एक भाइ आ एक बहिन सेहो अछि।[३]
अध्ययनसम्पादन
एहो सभ देखीसम्पादन
बाह्य जडीसभसम्पादन
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास बाबुराम भट्टराईसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |
सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन
- ↑ "शब्दचित्रमा बाबुराम भट्टराई", www.baburambhattarai.com, मूलसँ २२ नवम्बर २०१०-के सङ्ग्रहित।
|url-status=
प्यारामिटर नै ग्रहण केलक (सहायता) - ↑ "Nepal's Chief Justice takes the oath", Deccanherald.com, १४ मार्च २०१३, अभिगमन तिथि २० नवम्बर २०१४।
- ↑ "We did the right thing by leaving Prachanda-Hisila Yami", The Wire, अभिगमन तिथि १३ दिसम्बर २०१७।