बहु-खेल प्रतियोगिता

बहु-खेल प्रतियोगिता एक सङ्गठित खेल स्पर्धा छी, जे प्रायः एकाधिक दिनधरि चलैत अछि, जहिमे प्राय राष्ट्र-राज्यसभक सङ्गठित टिमसभक यथलिटसभक बीच विभिन्न खेलसभमे प्रतिस्पर्धा आयोजित होएत अछि । पहिल प्रमुख, आधुनिक, अन्तर्राष्ट्रिय महत्वक बहु-खेल प्रतियोगिता ओलम्पिक खेल छल । ओलम्पिक खेलक पश्चात बहुतेक प्रादेशिक बहु-खेल प्रतियोगितासभ स्थापित भऽ गेल अछि । अधिकतम प्रतियोगितासभक मूल संरचना समरूप अछि । खेल बहुतेक दिनक अवधिमे मेजबान शहर मे वा ओकर आसपास आयोजित होएत अछि, जे प्रत्येक प्रतियोगिताक लेल परिवर्तित होएत अछि । एक देश प्रत्येक प्रतियोगिताक लेल राष्ट्रिय टिमसभकें पठावैत अछि, जहिमे विविध प्रकारक खेलसभमे भाग लेनिहार व्यक्तिगत एथलिट आ टिमसभ शामिल होएत अछि ।[१]

२००६ एसियाली खेलक उद्घाटन समारोह

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "Information about sports events, Multi-Sport Event" (अङ्ग्रेजीमे)। sports-online.biz। मूलसँ 2014-01-06 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच नवम्बर 23, 2011{{cite web}}: CS1 maint: unrecognized language (link)