ओलम्पिक खेल वर्तमानक प्रतियोगितासभमे अग्रणी खेल प्रतियोगिता छी जहिमे हजारोक सङ्ख्यामे एथेलिट बहुतेक प्रकारक खेलसभमे भाग लैत अछि । ओलम्पिकक शीतकालीन आ ग्रीष्मकालीन प्रतियोगितासभमे २०० सँ बेसी देश प्रतिभागीक रूपमे शामिल होएत अछि ।[१] ओलम्पिक खेल प्रत्येक चार वर्षक अन्तरालमे आयोजित कएल जाएत अछि । ओलम्पिक खेलक आयोजन अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति करैत अछि ।

ओलम्पिक खेल
Olympic Games
Olympic Rings.svg
सङ्गठन
खेल

इतिहाससम्पादन

ओलम्पिक खेलक (१८९६-२०१६) कऽ इतिहास बहुत पुरान अछि । प्राचीन ओलम्पिक खेलक आयोजन १२०० वर्ष पूर्व योद्धा-खेलाडीसभक बीच भेल छल ।[२] पुरान समयमे शान्तिपूर्ण समय अन्तरालक अवधिमे योद्धासभक बीच प्रतिस्पर्धाक सङ्गे खेलसभक विकास भेल । शुरुआती दौरमे दौड़, मुक्केबाजी, कुश्ती आ रथक दौड़ सैनिक प्रशिक्षणक हिस्सा होएत छल । एहिमे सँ सब सँ उत्तम प्रदर्शन केनिहार योद्धा प्रतिस्पर्धीकें खेलमे अपन दमखम दर्शावैक मौका मिलैत छल ।

सन्दर्भ सूचीसम्पादन

  1. "Overview of Olympic Games", एनसाइक्लोपीडिया ब्रिटानिका, अभिगमन तिथि २७ अक्टूबर २०१४ 
  2. "1896 से अबतकः ओलंपिक खेलों का इतिहास", आजतक, ३० अक्टूबर २०११, अभिगमन तिथि २७ अक्टूबर २०१४ 

बाह्य जडीसभसम्पादन


एहो सभ देखीसम्पादन