फिफा विश्वकप
फिफा विश्वकप फुटबल प्रतियोगिता प्रारम्भक कथा अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल महासङ्घ फिफासँ जुड़ल अछि तहिने फिफाक कथा विभिन्न देशमे स्थापना भेल राष्ट्रिय फुटबल सङ्घसभक विकाससँ जुड़ल अछि । सन् १८६६ मे विश्वक पहिल राष्ट्रिय फुटबल सङ्घक रूपमे इङ्गल्यान्ड फुटबल एसोसिएसन (एफए) गठन भऽ गेल छल । किछ वर्षबाद अन्य देशसभमे सेहो धमाधम राष्ट्रिय फुटबल सङ्घसभक स्थापना होमए लागल । अहिना फुटबल खेल आ ओकर राष्ट्रिय सङ्घसभक विस्तार भऽ गेलाक बाद एकटा अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल सङ्घक आवश्यकता सर्वत्र महसुस होमए लागल । अहि जरुरतक निकास खोजवाक क्रममे फ्रान्स, बेल्जियम, नेदरल्यान्ड्स, डेनमार्क, स्पेन, स्वीडेन आ स्विजरल्यान्ड समेत सात देशक प्रतिनिधि फ्रान्सक राजधानी पेरिसमे जम्मा भेल । अहि सभाद्वारा २९ मई १९०४ मे फुटबलक सर्वोच्च संस्था अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल महासङ्घ -फेडरेसन इन्टरनेशनल डे फुटबल एसोसिएसन, फिफाक औपचारकि गठन केलक । इङ्गल्यान्ड दुई वर्षबाद फिफा सदस्य बनल । एकरबाद आर बहुतेक देशसभ सेहो एकर सदस्य होमएक क्रम चलल, जे अखनो जारी अछि । अखन दुई सय सँ बेसी देश फिफा सदस्य अछि । नेपाल सन् १९७० मे फिफाक पूर्ण सदस्य बनल छल ।
स्थापना | १९३० |
---|---|
समुह सङ्ख्या | ३२ (फाइनल) २०४ (२०१० कऽ चुनावसँ) |
सब सँ सफल टिम | ब्राजिल (५ उपाधि) |
वेबसाइट | आधिकारिक वेबसाइट |
२०१४ फिफा विश्वकप |
विश्वकप फुटबल प्रतियोगितासभ | |
---|---|
विश्वकप फुटबल प्रतियोगिताक आरम्भक श्रेय आधुनिक ओलम्पिक खेलकुद प्रतियोगिताक सफल सुरूवातके जाइत अछि । सन् १९०० मे भेल दोसर ओलम्पिक खेलकुदमे फुटबल पहिल बेर समावेश कएल गेल छल । ओलम्पिक फुटबलक सफलतासँ उत्साहित भऽ फिफा पदाधिकारीसभ अन्तर्राष्ट्रिय फुटबल प्रतियोगिता ओलम्पिकक घेराभितर सीमित नै राखैक निष्कर्ष निकाललक । वार्ता आरम्भ भेलाक बाद अन्ततः २६ मई १९२८ मे बैसल फिफा एम्स्टर्डम कङ्ग्रेसद्वारा युगान्तकारी निर्णय कएल गेल, जाहिमे हरेक चारि-चारि वर्षक अन्तरालमे फिफा सदस्य देशसभ बीच विश्वकप प्रतियोगिता आयोजना आरम्भ केनाए आ पहिल विश्वकप सन् १९३० मे करेबाक निचोड़ निकालल गेल । ताहि स्वरूप ओकर एक वर्षक बाद, सन् १९२९ कऽ बार्सिलोना फिफा कङ्ग्रेस ई ऐतिहासिक जिम्मेवारी पूरा करवाक दायित्व उरूग्वेके प्रदान केलक । फलस्वरूप, राजधानी मोन्टेभिडियोमे एक लाख दर्शक क्षमताक नवनिर्मित रङ्गशाला स्टेडियम डेल सेन्टेनारियोमे १३ जुलाई १९३० मे फ्रान्स आ मेक्सिकोबीच पहिल विश्व कपक पहिल म्याच विधिवत् उद्घाटन खेलक रूपमे सम्पन्न भेल छल ।
पहिल विश्वकप आयोजना होमएत काल फिफा सदस्य देश सङ्ख्या कूल ४१ छल । विश्वकप फुटबलसभ सँ बेसी देखल जाइवाला खेलकुद छी ।[१][२][३][४]
इतिहास
सम्पादन करीनतिजा
सम्पादन करी- अ.स.: अतिरिक्त समय बाद
- पे: पेनाल्टी शुटआउट बाद
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "2006 FIFA World Cup broadcast wider, longer and farther than ever before"। FIFA.com। Fédération Internationale de Football Association। 6 February 2007। अन्तिम पहुँच 11 October 2009।
- ↑ Tom Dunmore, Historical Dictionary of Soccer, page 235, quote "The World Cup is now the most-watched sporting event in the world on television, above even the Olympic Games."
- ↑ Stephen Dobson and John Goddard, The Economics of Football, page 407, quote "The World Cup is the most widely viewed sporting event in the world: the estimated cumulative television audience for the 2006 World Cup in Germany was 26.2 billion, an average of 409 million viewers per match."
- ↑ Glenn M. Wong, The Comprehensive Guide to Careers in Sports, page 144, quote "The World Cup is the most-watched sporting event in the world. In 2006, more than 30 billion viewers in 214 countries watched the World Cup on television, and more than 3.3 million spectators attended the 64 matches of the tournament."
- ↑ "1930 फिफा विश्वकप"। FIFA.com। Fédération Internationale de Football Association। अन्तिम पहुँच 5 March 2009।
- ↑ ६.० ६.१ "1950 फिफा विश्वकप"। FIFA.com। Fédération Internationale de Football Association। अन्तिम पहुँच 5 March 2009।
- ↑ "फिफा विश्वकप फाइनलs since 1930" (PDF)। FIFA.com। Fédération Internationale de Football Association। अन्तिम पहुँच 5 March 2009।
- टिप्पणी
- ↑ There was no official World Cup Third Place match in 1930; The United States and Yugoslavia lost in the semi-फाइनलs. FIFA now recognises the United States as the third-placed team and Yugoslavia as the fourth-placed team, using the overall records of the teams in the tournament.[५]
- ↑ Austria withdrew after the draw as a result of the Anschluss with Germany: some Austrian players subsequently joined the German squad, leaving the tournament with 15 teams.
- ↑ ३.० ३.१ There was no official World Cup फाइनल match in 1950.[६] The tournament winner was decided by a फाइनल round-robin group contested by four teams (Uruguay, Brazil, Sweden, and Spain). Coincidentally, one of the last two matches of the tournament pitted the two top ranked teams against each other, with Uruguay's 2–1 victory over Brazil thus often being considered as the de facto फाइनल of the 1950 World Cup.[७] Likewise, the game between the lowest ranked teams, played at the same time as Uruguay vs Brazil, can be considered equal to a Third Place match, with Sweden's 3–1 victory over Spain ensuring that they finished third.
- ↑ Only 13 teams played the 1950 फिफा विश्वकप.[६] 16 teams entered the seeding groups draw. However, Turkey and Scotland both withdrew before the draw; France (eliminated in qualifying) was invited as a replacement, leaving the tournament to be held with 15 teams. After the draw, India and France both withdrew, so only 13 teams participated in the tournament.