पोर्ट मोरेस्बी (/ˌpɔːrt ˈmɔːrzbi/; टोक:पोट मोस्बी), लाई पोम सिटी या मात्र मोरेस्बी, पपुवा न्युगिनीराजधानी तथा सबसँ पैग आ लोकप्रिय शहर छी । ई न्यू गिनी द्वीपक किनारा द्वीप पापुआन पेनिनसुला क दक्षिण-पूर्वी समुद्री-तट मे अवस्थित अछि । १९ अम शताब्दीक मध्य भागमे शहर एक व्यापारिक केन्द्रक रूपमे प्रकट भेल । द्वितीय विश्वयुद्धक दौडान ई १९४२–४३ क समयमे शाही जापानी सेना द्वारा विजयक लेल एक प्रमुख उद्देश्य बनल छल । पोर्ट मोरेस्बी द्वितीय विश्वयुद्धक समयमे दक्षिण पूर्व एशिया आ अमेरिकासँ अष्ट्रेलियाके अलग लावैल अाधार सेहो बनल छल ।

पोर्ट मोरेस्बी
Port Moresby
पोर्ट मोरेस्बी मूख्य बजार
पोर्ट मोरेस्बी मूख्य बजार
पोर्ट मोरेस्बीक झण्डा
राष्ट्र पपुवा न्युगिनी
विभाजनराष्ट्रिय राजधानी जिला
स्थापित१८७३
सरकार
 • शासकपोवेस पारकोप (२००७-)
क्षेत्रफल
 • कुल२४० किमी (९० वर्गमाइल)
उन्नतांश
३५ मिटर (११५ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११ जनगणना)
 • कुल४,१०,९५४
 • घनत्व१७००/वर्ग किमी (४४००/वर्ग माइल)
भाषा
 • मुख्य भाषामोटु, टोक, अंग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+१० (अष्ट्रेलियाक प्रमाणिक समय)
हुलाक कोड
१११
वेबसाइटncdc.gov.pg

सन् २००० मे एकर जनसंख्या २५४,१५८ छल ।[१] २०११ कऽ अनुसार ई नौ वर्षक अवधिमे २.१% कऽ वार्षिक वृद्धि दरसँ एकर जनसंख्या ३६४,१४५ पुगल । शहर स्थापना भेल ठाउँमे शताब्दी अगासँ मोटुआन-कोइटाबु लोगसभक बसोबास रहल छल । १८७३ मे , पोर्ट मोरेस्बी देखैल पहिल ब्रिटेनक कप्तान जोन मोरेस्बीछल । ई नाम उनकर पिता, एडमिरल सर फेयरफाक्स मोरेस्बी कऽ सम्मानमे देने छल । यद्यपि पोर्ट मोरेस्बी केन्द्रीय प्रदेशसँ घेरिएल राजधानी भेलवादो ओ प्रदेशक भाग नै भऽ, राष्ट्रिय राजधानी जिला छी ।

इतिहास सम्पादन करी

वर्तमान समयमे पोर्ट मोरेस्बीक रूपमा चिनल क्षेत्रक मोटुआन लोगसभ सागो, अन्य खाद्य आ क्यानो लगसभ, हनुआबाडा सँ जलयात्रा करै अपन भाँडा-बर्तनक कारोबार केलक ।[२] ओसभक भाषा, मोटु, हिरि मोटु, पपुवा न्यू गिनी क आधिकारिक भाषाक आधार छल । १९६० दशकसँग ई मोटु भाषाक गिरावट आएल आ टोक भाषाक लोकप्रियता बढ्त गेल । हिरी यात्रीसभ पैग मात्रामे छल ।[३] प्रत्येक ६०० टा पुरुष २० टा बहु-सङ्ख्यक समुद्री डुङ्गा वा लाकातोई कऽ प्रयोगसँ प्रत्येक यात्रामे २०,००० माइटक भाँडा-बर्तनक कारोबार केलक । मोटुआनसभक लेल , हिरी एक आर्थिक उद्यम छल आ एकर लाम्बा आ खतरनाक यात्राक माध्यमसँ अपन आदिवासी पहिचानक पुष्टि करैत छल ।[४]

स्वतन्त्रता सम्पादन करी

सितम्बर १९७५ मे, पोर्ट मोरेस्बीके राजधानी बना पपुवा न्यू गिनी एक स्वतन्त्र देश भेल ।[५]

जलवायु सम्पादन करी

पोर्ट मोरेस्बीक जलवायु उष्णदेशीय चक्रवात कऽ अछि आ वर्षभर ई प्रकारक जलवायु रहैत अछि। पोर्ट मोरेस्बीक औसत वार्षिक वर्षा मात्र १,००० मिलिमिटर वा ३९.३७ इन्च अछि । जेकर फलस्वरूप न्यू गिनी के एक सुख्खा स्थान छी ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "citypopulation.de"। citypopulation.de। अन्तिम पहुँच 2010-04-25
  2. "March of Civilisation"The Argus। The Argus Office, Melbourne Victoria। 7 September 1909। p. 5। अन्तिम पहुँच 29 November 2009 {{cite news}}: Cite has empty unknown parameter: |coauthors= (help)
  3. "Progress in Papua"The Argus। The Argus Office, Melbourne Victoria। 5 September 1925। p. 12। अन्तिम पहुँच 29 November 2009 {{cite news}}: Cite has empty unknown parameter: |coauthors= (help)
  4. "Department of the Interior: Tenders"The Argus। The Argus Office, Melbourne Victoria। 25 January 1941। p. 18। अन्तिम पहुँच 29 November 2009 {{cite news}}: Cite has empty unknown parameter: |coauthors= (help)
  5. "Prince of Wales and Duchess of Cornwall to make Australian visit", The Telegraph, 19 September 2012, अन्तिम पहुँच 21 September 2012

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी


एहो सभ देखी सम्पादन करी