नासिक
नासिक या नाशिक भारतक महाराष्ट्र राज्यमे अवस्थित एक शहर छी। नासिक महाराष्ट्रक उत्तर पश्चिममे, मुम्बई सँ १५० किमी आ पुणे सँ २०५ किमीक दुरीमे अवस्थित अछि। ई शहर मुख्य रूपसँ हिन्दू तीर्थयात्रिसभक प्रमुख केन्द्र छी। नासिक पवित्र गोदावरी नदीक सतह पर स्थित अछि। समुद्रक मानक अनुसार एकर ऊँचाई ५६५ मीटर अछि। गोदावरी नदीक किनार पर बहुत सुन्दर-सुन्दर सन घाट अवस्थित अछि। ई शहरक सभसँ प्रमुख भाग पञ्चवटी छी। एही ठाम बहुतो मन्दिर सेहो अछि। नासिकमे पावनिसभक समयमे बहुत बेसी सङ्ख्यामे भीड़ देखल जाएत अछि।
— नगर — | |
निर्देशांक: (निर्देशांक ताकू) | |
जिला | नासिक |
महापौर | |
सांसद | |
विभिन्न कोड
| |
आधिकारिक जालस्थल: www.nashik.com |
इतिहाससम्पादन
नाशिक शक्तिशाली सातवाहन वंशक राजासभक राजधानी छल। मुगल कालक समयमे नासिक शहरक गुलशनबादकें नामसँ सेहो जानल जाएत छल। एकर अतिरिक्त नाशिक शहर भारतीय स्वतन्त्रता सङ्घर्षमे सेहो अपन एक महत्वपूर्ण भूमिका निभौने अछि। डॉ॰ भीमराव अम्बेडकर द्वारा १९३२मे नाशिककें कालाराम मन्दिरमे अस्पृश्योंकसभ प्रवेश करिकें आन्दोलन चलौने छल।
मुख्य आकर्षणसम्पादन
नाशिक आस्थाक शहर छी। एही ठाम पर बहुतो रास सुन्दर मन्दिर आ घाट देखबाक लेल मिलैत अछि। एतय विभिन्न पावनिसभ बहुत उत्साहक सङ्ग मनाओल जाएत अछि।
कुम्भ मेलासम्पादन
नाशिकमे होमए बला कुम्भ मेला, जे एहि ठाम सिंहस्थकें नामसँ प्रख्यात अछि, शहरक आकर्षण कऽ सभसँ पैग केन्द्र छी। भारतीय पञ्चाङ् अनुसार सूर्य जखन कुम्भ राशीमे होएत अछी ओहि समय इलाहाबादमे कुम्भ मेला लगैत अछि आ जखन सिंह राशीमे होएत अछि, तखन नाशिकमे सिंहस्थ कुम्भ मेला होएत अछि।
पञ्चवटीसम्पादन
पञ्चवटी नाशिकके उत्तरी भागमे अवस्थित अछि। एक मान्यताक अनुसार भगवान राम, सीता आ लक्ष्मणक सङ्ग किछ समयकें लेल पञ्चवटीमे रहल छल ताही कारण सेहो पञ्चवटी प्रसिद्ध अछि। वर्तमान समयमे पञ्चवटीमे जाहि स्थानसँ सीताक अपहरण कएल गेल छल ओ स्थान पाँचटा बड़हड़क गाछक लगमे अछि।
सीता गुम्फासम्पादन
सुन्दरनारायण मन्दिरसम्पादन
मोदाकेश्वर गणेश मन्दिरसम्पादन
रामकुण्डसम्पादन
कालाराम मन्दिरसम्पादन
शिरड़ीसम्पादन
शिरड़ी एकटा छोट गाम छी जे कोपरगाव तालुकामे अवस्थित अछि। शिरड़ी भारतक प्रमुख धार्मिक स्थानसभमे सँ एक छी।
सोमेश्वर मन्दिरसम्पादन
सोमेश्वर मन्दिर नाशिकमे स्थित सभसँ पुरान मन्दिरसभमे सँ एक छी। ई मन्दिरमे महादेव सोमेश्वरक प्रतिमा स्थापित अछि।
सन्दर्भ सामग्रीसभसम्पादन
बाह्य जडीसभसम्पादन
विकियात्रामे Nashikसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। - Official Website of Nashik
- Nasik
- Nashik @ Information Technology - Publish Local News of Nashik and Nashik Business Directory.
- Programme Guide of Nasik
- Yellow Pages of Nashik
- Real Estate Information on Nashik
- Nashik City
- Overview of Nashik on Wikimapia
- Nasik district Gazetteers
- About Nasik
एहो सभ देखीसम्पादन