नउगाँ (बङ्गाली: নওগাঁ জেলা) बङ्गलादेशक उत्तरी क्षेत्रमे परैवाला एक जिला छी । ई जिला राजशाही विभागमे परैत अछि । नउगाँ सहर ई जिला प्रमुख सहर छी । [१]

नउगाँ जिला
নওগাঁ জেলা
उपरसँ घडिक दिशा तर्फ: बिलिहाल राज दरबार, जोगोडोल बिहार , दुवालहाटि राज दरबार, गाजा समाज कार्यलय, स्मारक मुर्ति
उपरसँ घडिक दिशा तर्फ: बिलिहाल राज दरबार, जोगोडोल बिहार , दुवालहाटि राज दरबार, गाजा समाज कार्यलय, स्मारक मुर्ति
Location of नउगाँ जिला in Bangladeshक अवस्थिति
Location of नउगाँ जिला in Bangladesh
देशबङ्गलादेश बंगलादेश
विभागराजशाही
सरकार
 • संसदनउगाँ-१, नउगाँ-२, नउगाँ-३, नउगाँ-४, नउगाँ-५, नउगाँ-६
क्षेत्रफल
 • कुल३४३५.६५ किमी (१३२६.५१ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल२६,००,१५७
 • घनत्व७६०/वर्ग किमी (२०००/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+६ (बङ्गलादेशी समय)
हुलाक कोड
६५००
वेबसाइटdcnaogaon.gov.bd

भूगोल सम्पादन करी

ई जिला २४°३२' सँ २५°२३' उत्तर अक्षांश आ ८८°२३' सँ ८९°१०' पुर्व देशान्तरणमे अवस्थित अछि । नउगाँ जिला बङ्गलादेशक कुल क्षेत्रफल मध्ये ३४३५.६७ वर्ग किलोमिटर अोगटेने अछि। ई जिलाके भरातक पश्चिम बङ्गाल राज्य उत्तरसँ घेरने अछि तहिना ई जिला दक्षिणमा राजशाही आ नटोर जिला रहल अछि । ई जिलाक पुर्वमे जयपुरहट, बोगडा आ नटोर जिला रहल अछि, पश्चिममे नबाबगञ्ज जिला रहल अछि । ई जिला अटराइ, पुनरबहाब, जमुना, शिव, नगर अादि नदिसभ रहल अछि ।

जनशाङ्खिकि सम्पादन करी

सन् २०११ कऽ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई जिला कुल जनसङ्ख्या २३,९१३,५५ रहल अछि जे मध्ये पुरुषक जनसङ्ख्या १२,२८२,५३ आ महिलाक जनसङ्ख्या ११,६३१,०२ रहल अछि। ई जिलाक जनधनत्व ७५६ प्रति वर्ग किलोमिटर रहल अछि । धर्मक अाधारमे ई जिलामे इस्लाम धर्मक लोगसब जनसङख्या २०,६२६,१६ रहल अछि तहिना हिन्दु धर्मक जनसङ्ख्या २,५६५,९६ अछि । बुद्ध धर्मक जनसङ्ख्या १४,३१३, इसाई धर्मक ३३६ आ अन्य धर्मक लोगसबक जनसङ्ख्या ५७,४९४ रहल अछि । ई जिलामे सन्तल, मुन्डा,अोरान अादि जनजातिसब रहल अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. "नउगाँ जिल्लाको जानकारी"। बङ्गलापिडिया।

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

एहो सभ देखी सम्पादन करी