देविका वैद्य
देविका पुर्णेदु वैद्य (जन्म; १३ अगस्त १९९७, पुणे, महाराष्ट्र) एक भारतीय महिला क्रिकेट टिमक खेलाडी छी।[१] देविका महाराष्ट्रक लेल भारतीय महिलाक घरेलू क्रिकेट प्रतियोगिता खेलैत अछि।[२] ओ बामा हाथ सँ बल्लेबाजी आ लेग ब्रेक गुगली गेन्दबाजी करैत अछि आ एक हरफनमौला खेलाडी छी।[३]
व्यक्तिगत जानकारी | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
पुरा नाम | देविका पुर्णेदु वैद्य | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
जन्म | पुणे, महाराष्ट्र | १३ अगस्त १९९७||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
बल्लेबाजी शैली | बामा हाथ सँ | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
गेन्दबाजी शैली | लेगब्रेक गूगली | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
काज | अल-राउण्डर | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
अन्तर्राष्ट्रिय जानकारी | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
राष्ट्रिय पक्ष | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
ओडिआई पदार्पण | १६ नवम्बर २०१६ v वेस्टइन्डिज महिला | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
अन्तिम ओडिआई | ९ अप्रिल २०१८ v इङ्ल्यान्ड महिला | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
Only T20I | ३० नवम्बर २०१४ v दक्षिण अफ्रिका महिला | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
गृह टिम जानकारी | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
वर्ष | टिम | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
२०१०–वर्तमान | महाराष्ट्र | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
खेल जीवनी तथ्याङ्क | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
| |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
स्रोत: क्रिकइन्फो, ०८ मार्च २०१९ |
व्यक्तिगत जीवन
सम्पादन करीदेविका वैद्यक जन्म १३ अगस्त सन् १९९७ कऽ भारतक महाराष्ट्र राज्यक पुणे जिलामे भेल छल। देविकाकें मात्र ७ सालक छोट उमर सँ क्रिकेटक शौक आबि गेल छल आ सन् २०१४ मे भारतीय टिम मे ओ अपन जगह बनाए लेने छल।[४]
करियर
सम्पादन करीहिनका सन् २०१४ मे भारतक दक्षिण अफ्रिका दौराक लेल देविका वैद्यक मौका देल गेल छल आ ३० नवम्बर २०१४ कें बेङ्गलोरमे महिला ट्वान्टी- ट्वान्टी अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट खेलमे पहिल बेर मुकाबला खेलऽकें अवसर भेटल आ ओ अपन अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट करियरक आरम्भ केलक।[५] हुनका सर्वश्रेष्ठ महिला जुनियर क्रिकेटर कऽ लेल सन् २०१४-१५ मे एमए चिदम्बरम ट्रफी सँ सेहो सम्मानित कएल गेल छल।[६]
अपन ट्वान्टी-२० अन्तर्राष्ट्रिय म्याचमे देविकाक बल्लेबाजी करवाक ता धरि मौका नई भेटल मुदा गेन्दबाजीमे बहुत भारी साबित होएत ३ ओभरमे ३० रन देनए छल आ कोनो सफलता सेहो हाथ नै लागल छल। ई म्याचमे भारत दक्षिण अफ्रिका महिला क्रिकेट टिमकें मात्र १६ रन सँ हरेने छल।[७]
देविका वैद्य महिला वनडे क्रिकेट कऽ शुरुवात आइसिसी महिला च्याम्पियनसिपक समयमे वेस्टइन्डिज कऽ विरुद्ध विजयवाडामे केनए छल। ओहि म्याचमे ओ ४५ गेन्द पर नाबाद ३२ रनक उपयोगी पारी खेलने छल। जबकि गेन्दबाजीमे ४ ओभरमे २० रन देलक आ एक महत्वपूर्ण विकेट लेनए छल।[८]
अपन दोसरे वनडे क्रिकेट म्याचमे देविका श्रीलंका टिम कऽ विरुद्ध शानदार बल्लेबाजी करैत ८९ रनक उत्कृष्ट पारी खेलने छल। ई मुकाबला आइसिसी महिला क्रिकेट विश्वकप क्वालिफायरक दौरान कोलम्बोमे खेलल गेल छल।[९][१०]
सन् २०१८ मे देविका वैद्यक घरेलू क्रिकेटमे २०१८-१९ सिनियर महिला टी-२० च्यालेन्जर ट्रफीमे भारतीय ग्रीन टिममे सम्भावित खेलाडीसभक सूचीमे मौका देल गेल छल। जबकि ई ट्रफीमे इन्डिया ब्लू टिम अपन उत्कृष्ट प्रदर्शन करैत खिताब अपन नाम केनए छल।[११]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ "Devika Vaidya"। ईएसपीएन क्रिकइन्फो। अन्तिम पहुँच 9 March 2016।
- ↑ "Devika Vaidya replaces injured Pooja Vastrakar" (अंगरेजीमे)। आईसीसी क्रिकेट। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
- ↑ "Devika Vaidya's Journey From Pretending To Be A Boy To Playing For The Indian Team Is Inspiring" (अंगरेजीमे)। इंडिया टाइम्स। 30 जून 2017। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
{{cite web}}
: Check date values in:|date=
(help) - ↑ "Harmanpreet Kaur's father and coach recalls how she was snubbed by the Punjab police in 2011" (अंगरेजीमे)। स्पोर्ट्सकीड़ा। 23 जुलाई 2017। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
- ↑ "Full Scorecard of India Women vs South Africa Women Only T20I 2014 - Score Report | ESPNcricinfo.com" (अंगरेजीमे)। ईएसपीएन क्रिकइन्फो। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
- ↑ "BCCI's top award for Kohli"। द हिन्दू। 31 December 2015। अन्तिम पहुँच 19 May 2018।
- ↑ Staff, CricketCountry (17 नवम्बर 2018)। "टी20 विश्व कप से बाहर हुई पूजा वस्तराकर, देविका वैद्य को मिला मौका"। क्रिकेट कंट्री। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
- ↑ "Full Scorecard of India Women vs West Indies Women, ICC Women's Championship, 3rd ODI - Score Report | ESPNcricinfo.com" (अंगरेजीमे)। क्रिकइन्फो। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
- ↑ Pradhan, Snehal। "With a half-century in just her second ODI, Devika Vaidya is shaking up Indian women's cricket"।
- ↑ "Women's WC Qualifiers: India beats Sri Lanka by 114 runs" (अंगरेजीमे)। द हिन्दू। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
- ↑ "The Board Of Control For Cricket In India"। बीसीसीआई। मूलसँ 2019-03-27 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2019।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)