दीपिका पल्लीकल (जन्म: २१ सितम्बर १९९१) एक भारतीय महिला स्क्व्याश खेलाड़ी छी । अन्डर १९ कऽ श्रेणीमे दीपिकाकें क्रम १ महिला स्क्व्याश खेलाड़ी कऽ दर्जा देल गेल छल । अखन ओ विश्व क्रमाङ्कमे बिशम स्थान पर अछि, हुनकर आई धरिक सर्वश्रेष्ठ क्रमाङ्क दश अछि ।[] ओ विश्व स्क्व्याश सङ्घक खेलाड़ी क्रमाङ्क अन्तर्गत शीर्ष १० मे पहुँचै वाली पहिल भारतीय महिला छी हुनकर बाद जोशना चिनप्पा‎ छी ।[]ओ सन् २०१२ (स्क्व्याश) च्याम्पियनसिप प्रतियोगितामे उप विजेता रहल छल । संगे २०१२ महिला अस्ट्रेलियन ओपन स्क्व्याश कऽ सेमी फाइनल धरि पहुँचैमे सफल रहल । ओ फरबरी २०१३ मे मिडोवुड फार्मेसी ओपन जीत छठम् डब्लुएसए शीर्षक जीतलक ।[]

दीपिका पल्लीकल
Dipika Pallikal Karthik
म्याचक समय दीपिका
देश भारत
जन्म(१९९१-०९-२१)सितम्बर २१, १९९१
चेन्नई, भारत
व्यावसायिक खेलाडी२००६
प्रशिक्षकसारा फिजगेराल्ड
र्‍याकेटटेक्निफाइबर
महिला एकल
उच्चतम क्रमसङ्ख्या: १० (दिसम्बर, २०१२)
वर्तमान क्रमसङ्ख्या: २० (मार्च, २०१८)
उपाधिसभ११
टुर फाइनल
विश्व ओपनक्यु एफ (२०११ महिला विश्व ओपन स्क्व्याश च्याम्पियनसिप)
मार्च, २०१८कऽ अद्यावधिक ।

प्रारम्भिक जीवनी

सम्पादन करी

दीपिकाक जन्म २१ सितम्बर १९९१ कें चेन्नईमे भेल छल । हुनकर पुरा नाम दीपिका रेबेका पल्लीकल छी । हुनकर पिता संजीव पल्लीकल एक उद्योगपति छी आ माता सुसान पल्लीकल एक क्रिकेट खेलाड़ी रहि चुकल अछि, अखन ओ एक परिवहन एजेन्सीक सञ्चालन करैत अछि । दीपिका अपन प्राथमिक आ निम्न माध्यमिक शिक्षा गुड शेफर्ड स्कुल सँ केनए अछि । एकर बादमे लेडी एन्डेल स्कुल चलि गेल कियाकी ओतय खेलक लेल पर्याप्त सुविधा छल । ओ चेन्नई अवस्थित इतिराज कौलेज सँ अपन आगाक पढ़ाई पुरा केलक ।[]

करियरक उपलब्धि

सम्पादन करी

दीपिकाक व्यावसायिक करियर अन्तर्गत डब्लुआइएसपिए भ्रमणक मुख्य आकर्षण निम्नलिखित अछि:

प्रतियोगिता वर्ष परिणाम
  मकाउ स्क्वाश ओपन २०१३ विजेता[]
  मिड्वुड फार्मेसी ओपन २०१३ विजेता
 अस्ट्रेलिया ओपन २०१२ सेमीफाइनल
  संयुक्त राज्य अमेरिका च्याम्पियन्स प्रतियोगिता २०१२ रनर अप
  क्रोकोडाइल च्यालेन्ज कप २०११ विजेता
  विश्व ओपन २०११ क्वार्टर फाइनल
  ड्रिड स्पोर्ट्स सिरिज २०११
  ओरेन्ज काउन्टी ओपन २०११ विजेता

पुरस्कार-सम्मान

सम्पादन करी
पुरस्कार वर्ष
अर्जुन पुरस्कार[] २०१२
पद्म श्री[] २०१४

सन्दर्भ सामग्रीसभ

सम्पादन करी
  1. Info, Squash। "Women's PSA World Squash Rankings (March 2018)" (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2018-03-13{{cite web}}: CS1 maint: unrecognized language (link)
  2. "Dipika Pallikal is first Indian to break into top 10"। द इंडियन एक्सप्रेस। 2012-01-01।
  3. "दीपिका पल्लिकल ने मकाउ ओपन का खिताब जीता"लाइव हिंदुस्तान। 21 अक्टूबर 2013। मूलसँ 2021-05-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 5 दिसम्बर 2013 {{cite news}}: Check date values in: |date= (help)
  4. कुमार, स्वप्ना। "दीपिका पल्लीकल : ग्लैम डॉल ऑफ स्क्वैश"वेब दुनिया हिन्दी। अन्तिम पहुँच 5 दिसम्बर 2013
  5. "Dipika triumphs"। द हिन्दू। 2013-10-21। अन्तिम पहुँच 2013-12-5 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  6. "Arjuna Awardees for 2012"। Times of India। 2012-08-29।
  7. "पद्म पुरस्कारों की घोषणा, डॉ॰ माशेलकर को पद्म विभूषण"। नवभारत टाईम्स। 25 जनवरी 2013। मूलसँ 2014-02-02 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 27 जनवरी 2014 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ

सम्पादन करी