दिनेश यादव एक बहुभाषिक साहित्यकार, लेखक, समालोचक आ भाषिक अनुसन्धानकर्ता छी। पेशासँ पत्रकारितामे आबद्ध ओ नेपाली, मैथिली, हिन्दी, मगही, ठेठीअङ्ग्रेजी सहितक भाषामे समानान्तर रुपसँ अपन कलम चलबैत अछि। मैथिलीमे बहुत पहिनेसँ सक्रिय रहैत आबि रहल यादव पिछला एक दशकसँ मैथिली साहित्यमे खास करि अनुसन्धान आ कविता रचनामे सक्रिय रुपसँ देखल गेल अछि।[१][१][२]

दिनेश यादव
Dinesh Yadav
जन्म (१९६९-१०-०६) अक्टुबर ६, १९६९ (उमर ५४)
राष्ट्रियतानेपाली
व्यवसायसाहित्यकार, लेखक, समालोचक आ भाषिक अनुशन्धानकर्ता
उल्लेखनीय कार्यसभ
नेता सभ भेल मालामाल, जनताके भेटल ठन–ठन गोपाल (२०११)
अभिभावक(सभ)रामेश्वर प्रसाद यादव (पिता)
हजारीदेवी यादव (माता)

जीवनी सम्पादन करी

दिनेश यादवक जन्म सप्तरी जिलाक राजगढमे सन् १९६९ अक्टुबर ०६ केँ दिन रामेश्वर प्रसाद यादव आ हजारीदेवी यादवक घरमे भेल छल। ओ बिएससी (अनर्स), एमएससी, एमपिए, बिएड, पिटिपिजे (प्रोफेसनल जर्नलिज्म)क शिक्षा प्राप्त केनए अछि।

मैथिली भाषा आ साहित्यमे योगदान सम्पादन करी

पेशासँ पत्रकारितामे आबद्ध यादव नेपाली, मैथिली, हिन्दी, मगही, ठेठीअङ्ग्रेजी सहितक भाषामे समानान्तर रुपसँ अपन कलम चलबैत अछि। मैथिलीमे बहुत पहिनेसँ सक्रिय रहैत आबि रहल यादव पिछला एक दशकसँ मैथिली साहित्यमे खास करि अनुसन्धान आ कविता रचनामे सक्रिय रुपसँ देखल गेल अछि।

साहित्यिक उपलब्धि सम्पादन करी

रचना सम्पादन करी

यादवक मैथिलीमे प्रकाशित पहिल रचना नेता सभ भेल मालामाल, जनताके भेटल ठन–ठन गोपाल वि.सं. २०६८ तदनुसार २०११ मे प्रकाशित भेल छल।

आलेख, अनुसन्धान आ पोथीसभ सम्पादन करी

यादवद्वारा लिखित नेपालसँ प्रकाशित अप्पन मिथिला मासिकमे समसामयिक विषय पर एक दर्जन विश्लेषणात्मक आलेख आ टिप्पणी प्रकाशित भेल अछि। रेडियोकर्मी आ सक्रिय मैथिली अभियानीक रुपमे चर्चित ह्रदयकान्त झा 'मधुकर' प्रकाशक/संपादक रहल पत्रिका अप्पन मिथिला पत्रिकामे (एखन बन्द) यादवकेँ चर्चित आलेख सभमे 'की आबो संविधान बनत?', 'तीन दलीय लोकतन्त्र हावी', 'कहियाधरि मौन रहत मधेशक भविष्य?', 'नेता आगा मधेस पाछा', 'संविधान सभा भंग किएक?', 'सहमतिक सुगा रटान', आ 'विवश जनता बेइमान नेता' शीर्षकमे आलेख प्रकाशित भेल अछि। डा. जगमान गुरुङ, प्रधान सम्पादक आ त्रिभुवन विश्वविद्यालयक नेपाली विषयक उप–प्राध्यापक आ साहित्यकार चतुर्भुज केवरत कार्यकारी सम्पादक रहल पत्रिका सयपत्री कऽ वर्ष २०७५ अङ्कमे सेहो दिनेश यादवक अनुसन्धानमुलक आलेख मैथिलीमे प्रकाशित भेल छल।

तहिना डा.योेगेन्द्रप्रसाद यादव प्रधान सम्पादक आ धमेन्द्र झा कार्यकारी संपादक रहल पत्रिका ‘आङन’ के अङ्क ८ में सेहो हिनक अनुशन्धानमुलक कृति प्रकाशित छनि । नेपालके सरकारी अनुदानसं संचालित ‘नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान’ काठमाण्डूसं प्रकाशित अर्धवार्षिक बहुभाषिक पत्रिका ‘सयपत्री’ मे ‘मैथिली भाषा आ साहित्य : समस्या आ समाधान’ शीर्षकमे अनुसन्धानमूलक आलेख प्रकाशित । नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानसं प्रकाशित मैथिली वार्षिक पत्रिका ‘आङ्गन’ मे ‘भाषिक पत्रकारिता:चुनौति आ समाधान’, विराटनगरसं प्रकाशित ‘मिथिला टाइम्स’ मे ‘ब्राह्मणेत्तर मैथिली : विश्लेषण आ संश्लेषण’, जनकपुरसं प्रकाशित होमेवाला ‘आंजूर’ में ‘मैथिली भाषाके सरलीकरण’ आ ‘मैथिली साहित्यमे ऋतु’,आ ‘मधेसीनेपाली डट ब्लगस्पट’ मे‘पाग कक्कर ?’ शीर्षकमे अनुशन्धानमुलक आलेख प्रकाशित ।

नेपाली साहित्यकेर विशाल वेब भण्डार, जाहिमे ४ हजार ३४ टा लेखक एक हजार ४ सौ ५२ स्रोत, ९४ विद्या आ एक दर्जनसं बेसी भाषामे साहित्य रचना सभ समेटल गेल ‘मझेरी डट कम (Majheri.com)’ वेब पोर्टलमें दिनेशक मैथिली आ नेपाली भाषामें कविता, लघुकथा प्रकाशित छनि । मैथिलीमे लिखल गेल हुनकर साहित्यिक रचना सभमे – ‘बाल्यकाल’, ‘आइगक तरसमें हमर चुल्हा’, ‘चलू आजू धनकेर बात करी’, ‘लुङ्गी आ धोती’ शीर्षकमे चर्चित कविता छनि । तहिना ‘मातृभाषा कि मातृशक्ति’‘मैथिली संस्कृतिमे ऋतु’ सेहो प्रकाशित अछि ।

नेपालीय मैथिली भाषी क्षेत्रक चर्चित साहित्यकार रामभरोस कापडि ‘भ्रमर’ के मैथिली कथा ‘अन्न धन लक्ष्मी’ के नेपाली अनुवाद ‘कान्तिपुर दैनिक’मे आ मैथिली भाषा क्षेत्रके ‘आइकन’ डा. रामदयाल राकेसके मैथिली हैकूके समिक्षा नेपाल सरकारक मुखपत्र ‘गोरखापत्र’ मे प्रकाशित अछि । मैथिलीमे लघु कथा, कविता आ अनुसन्धानमुलक आलेखक संग्रह प्रकाशन उन्मुख । नेपाल सरकारक शिक्षक एवं मैथिली साहित्यकार सभाक प्रेसिडेन्ट प्रेम विदेहके संयोजनमे मैथिली मातृभाषाक पाठ्य पुस्तक निर्माण तयारीमे सेहो दिनेश यादवक महत्वपूर्ण योगदान छनि । खास ककें नेपाल सरकार पाठ्यक्रम विकास केन्द्र सानोठीमि भक्तपुर नेपाल के द्वारा मैथिली मातृभाषाक वर्ग ६ आ ७ मे क्रमशः एकगोटा वैज्ञानिकके प्रोफाइल आ सामाजिक संजाल पर विशेष पाठ्य सामग्री लिखने छथि । नेपाल सरकारद्वारा अगामी वर्षसँ ई पुस्तक सब इस्कुलमे लागू कयल जाएत ।

मैथिली सेवा लेल प्राप्त सम्मान सम्पादन करी

सन्दर्भ सामग्रीसभ सम्पादन करी

  1. १.० १.१ यादव, दिनेश (2075),आङन, ‘भाषिक पत्रकारिताः चुनौति आ समाधान’, नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू, पृ.40 ।
  2. यादव, दिनेश (२०७५), सयपत्री (बहुभाषिक अर्धवार्षिक पत्रिका),‘मैथिली भाषा आ साहित्य :समस्य आ समाधान’, नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू, पृष्ठ –76)

बाह्य जडीसभ सम्पादन करी

  1. https://www.onlinekhabar.com/2019/11/810065
  2. https://nepalacademy.org.np/?page_id=110&lang=ne सङ्ग्रहित २०२०-०३-१८ वेब्याक मेसिन
  3. http://radionepal.gov.np/oldsite/ सङ्ग्रहित २०२०-०६-१९ वेब्याक मेसिन
  4. https://ekantipur.com/author/author-9043
  5. https://gorkhapatraonline.com/
  6. https://www.facebook.com/drjagmangurung/posts/1783450525069038/
  7. http://annapurnapost.com/news/115397
  8. http://annapurnapost.com/news/133758
  9. http://www.doe.gov.np/assets/uploads/files/3c84b8889255a2a4de79f313b0278982.pdf
  10. https://www.facebook.com/profile.php?id=100013680369793&lst=835977500%3A100013680369793%3A1592483055&sk=about
  11. https://moecdc.gov.np/
  12. https://www.facebook.com/appan.mithila
  13. https://www.mithimedia.in/2017/11/nepal-vidyapati-maithili-puraskar-2017.html
  14. http://annapurnapost.com/news/bhaugolik-vikhnnddnle-deshko-astitv-rhndain-102529
  15. http://maithili.onlinesiraha.com/2017/07/223.html
  16. https://deshsanchar.com/2019/11/10/271068/
  17. http://annapurnapost.com/news/140388
  18. https://www.newskarobar.com/province/province-2/131088.html
  19. https://www.spacekhabar.com/art/18741
  20. https://shilapatra.com/detail/14324
  21. https://www.thetimesofnepal.com/2019/11/10/71311/
  22. http://www.majheri.com/
  23. http://www.majheri.com/node/22335
  24. http://www.majheri.com/node/22188
  25. http://www.majheri.com/node/22185
  26. http://www.majheri.com/node/22207
  27. http://www.majheri.com/taxonomy_vtn/term/5597