जातीय संसद भवन
जातीय संसद भवन वा राष्ट्रिय संसद भवन, (बङ्गाली: জাতীয় সংসদ ভবন जातियो सोंसद भोवोन) बंगलादेशक संसदक नाम छी । ई भवन राजधानी ढाकाक शेर-ए-बाङ्ग्ला नगरमे अवस्थित अछि । एकर डिजाइन लुइस कान केनए अछि आ ई भवन २०० एकड़मे फैलल अछि आ संसारक सबसँ बड़का विधायक भवनसभमे सँ एक छी ।[१]
जातीय संसद भवन Jatiyo Sangshad Bhaban | |
---|---|
![]() | |
![]() | |
सामान्य विवरण | |
प्रकार | राष्ट्रिय संसद भवन |
वास्तुकलाक ढाँचा | आधुनिक |
स्थान | ढाका, बंगलादेश |
निर्माणकार्यक आरम्भ | १९६१ |
सम्पन्न | १९८२ |
लागत | अमेरिकी $३२ मिलियन[१] |
प्राविधिक विवरण | |
बनावट | कङ्क्रिट, इँटा |
योजना तथा निर्माण | |
वास्तुकार | लुइस कान मुझारुल इसलाम (सह-वास्तुकार) |
ई भवन सन् २००३ मे निर्माण भेल माई आर्किटेक्ट नामक चलचित्रमे स्थायी रूपसँ दर्शाएल गेल छल । ई चलचित्रमे वास्तुकार लुइस कानके पारिवारिक स्थिति आ करियरक बारेमे देखाएल गेल छल । लुइस आइ कान क लेखक रोबर्ट म्याककार्टर, बंगलादेशक जातीय संसद भवनके २०अम शताब्दीके मुख्य भवनमे सँ एक कहने छल ।[२]
इतिहास
सम्पादन करीबंगलादेशी संसद स्थायी रूपसँ जातीय संसद भवनमे बैठैत अछि । ई भवन, विधायकसभक दुनियामे एक शानदार संसदीय निर्माणक नमूना छी । ई भवन २१५ एकड़क भूमिमे राजधानी ढाकाक शेर-ए-बाङ्ग्ला क्षेत्रमे अवस्थित अछि । एकर परिसरमे, मुख्य भवन अतिरिक्त, खुलल हरियर रिक्त स्थान, जल निकास आ सांसदसभक भव्य कार्यालय सेहो अवस्थित अछि । ई भवनक निर्माण सन् १९६१ मे शुरू भेल छल । अनेक उतार चढ़ावक बाद अत्यन्तः ८ जनवरी १९७२ के ई भवनके उद्घाटन कएल गेल छल । ई शानदार भवनक रचना प्रसिद्ध अमेरिकी वास्तुकार लुइस आई कान तैयार केनए छल । संसद भवन क्षेत्रक मुख्य भवन, दक्षिण प्लाजा आ राष्ट्रपति प्लाजा, करि तीन भागमे बांटल गेल अछि ।[३][४]
भवन
सम्पादन करीचित्र दीर्घा
सम्पादन करीसन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी- ↑ १.० १.१ "Jatiya Sangsad Bhaban", banglapedia.org।
- ↑ McCarter, Robert (2005). Louis I. Kahn. London: Phaidon Press. प॰ 258,270. आइएसबिएन 0-7148-4045-9.
- ↑ "Jatiyo Sangsad Bhaban (National Parliament House), Bangladesh", londoni.co, २०१४, मूलसँ ४ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ दिसम्बर २०१५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ James-Chakraborty, Kathleen (२०१४), "Reinforced concrete in Louis Kahn’s National Assembly, Dhaka: Modernity and modernism in Bangladeshi architecture", Frontiers of Architectural Research 3: 81–88, डिओआई:10.1016/j.foar.2014.01.003।
बाह्य जडीसभ
सम्पादन करीविकिमिडिया कमन्समे जातीय संसद भवनसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
- जानकारी सङ्ग्रहित २००५-०१-२३ वेब्याक मेसिन