शिवालिक पर्वत

(चुरेसँ पुनर्निर्देशित)

हिमालय क्षेत्रक दक्षिण तराईसँ उत्तर दिस रहल तराई कऽ समथर मैदानक बाद देखल जाइवाला उठल पहिल उभार तथा महाभारतसँ दक्षिणदिस उतरैत समय समथर तराई आबै सँ पहिनिए अन्तिम पर्वतीय क्षेत्रकें शिवालिक पर्वत, चुरिया वा चुरे कहल जाइत अछि । ई फुकल पत्रेदार चट्टान आ कोमल माटि सँ बनल भूभाग नेपालक पूर्व-पश्चिम धरि फैलल अछि । पाकिस्तानक सिन्धु नदीसँ नेपाल होइत भारतक ब्रह्मपुत्र नदीधरि फैलल शिवालिक पर्वत नेपालक कूल क्षेत्रफलक १२.७८ प्रतिशत भूभाग ओकटने अछि । नेपाल भितर शिवालिक क्षेत्र पूर्वक इलामसँ सुदूरपश्चिमक कञ्चनपुरधरि ३३ जिलाक किछ न किछ भूभागकें ओकटने अछि । भूगोलविद्सभक अध्ययन अनुसार करिब चार करोड़ वर्ष पहिने हिमालय उत्पत्तिक क्रममे ग्रेगर आ थेगर जम्मा भए शिवालिक क्षेत्रक निर्माण भेल छल ।[१]

चुरे क्षेत्रसँ नेपालक गैंडाकोटनारायणगढ शहरसभ।
चुरे क्षेत्रमे रहल भारतक कालेबुङ शहर।

शहरसभ सम्पादन करी

सन्दर्भ सामाग्रीसभ सम्पादन करी

  1. गौतम, सुबोध, चुरे संरक्षणबारे वनमन्त्री (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच 2018-01-30

एहो सभ देखी सम्पादन करी