गाईघाट
गाईघाट त्रियुगा नगरपालिका के भीतर एकटा प्रशासनिक केन्द्र छी आ नेपाल केर प्रदेश नम्बर १ मे स्थित उदयपुर जिलाक मुख्यालय छी। गाईघाट के २ टा वार्डसभमे विभाजित कएल गेल अछि जेकरा गाईघाट बजार आ पुरान गाईघाट कहल जाईत अछि। गाईघाट (गाईघाट बजार) त्रियुगा नगरपालिका केर वार्ड नम्बर ११ मे आ पुरान गाईघाट वार्ड नम्बर १२ मे स्थित अछि। दुईटा वार्डसभ के कुल क्षेत्रफल १६.११ वर्ग किलोमिटर (६.२२ वर्ग माईल) अछि आ २८३२ घरसभ केर साथ कुल जनसंख्या १४,२४३ अछि।
गाईघाट
Gaighat गाईघाट | |
---|---|
लुआ त्रुटि मोड्युल:Location_map में पंक्ति 479 पर: Unable to find the specified location map definition. Neither "Module:Location map/data/Koshi" nor "Template:Location map Koshi" exists। | |
निर्देशाङ्क: २६°४७′२६″उ॰ ८६°४२′०७″पू॰ / २६.७९०५६°N ८६.७०१९४°Eनिर्देशाङ्क: २६°४७′२६″उ॰ ८६°४२′०७″पू॰ / २६.७९०५६°N ८६.७०१९४°E | |
Country | नेपाल |
प्रदेश | प्रदेश नं. १ |
जिला | उदयपुर |
नगरपालिका | त्रियुगा |
Ward | ११ आ १२ |
Incorporated with city | १९९७ |
सरकार | |
• Ward Chairperson (ward 11) | विश्वराज भट्टराई |
• Ward Chairperson (ward 12) | जय विक्रम राई |
क्षेत्रफल | |
• कुल | १६.११ किमी२ (६.२२ वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• कुल | १४,२४३ |
• घनत्व | ८८०/वर्ग किमी (२३००/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (एनएसटी) |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०३५ |
वार्ड नं. | व्यवस्थापक केन्द्र | क्षेत्रफल (कि.मि.२) | जनसंख्या (२०११) | घरधुरी |
---|---|---|---|---|
११ | गाईघाट बजार | १२.३ | ७९३२ | १५४७ |
१२ | पूरान गाईघाट | ३.८१ | ६३११ | १२८५ |
पृष्ठभूमि
सम्पादन करीउदयपुर जिला केर सदरमुकाम सन् १९७२ सँ पहिने पञ्चवटी गामसभमे उदयपुरगढी केर पहाडी पर स्थित छल। सरकार १९७२ मे सदरमुकाम केर गाईघाट के मैदानमे स्थानान्तरित करबाक निर्णय लेने छल आ १९७२ मे एकरा गाईघाटमे स्थानान्तरित करि देल गेल। ई १९९७ धरि एकटा ग्राम विकास समिति छल। एकरा २६ मार्च १९९७ केर देउरी आ भुमरशुवा के साथ त्रियुगा नगरपालिकामे शामिल कएल गेल।
१९९१ केर नेपाल जनगणना के समयमे एकर जनसंख्या २३१९ व्यक्तिगत घरसभमे बसोबास करबला कुल १२,१३२ लोकसभ छल।
परिवहन
सम्पादन करीनेपालमे ठाडी आ भारतमे लौकहा केर माध्यमसँ भारतीय सीमासँ जुडल ई शहर गाईघाट बजारसँ ५१ कि.मि. दक्षिणमे स्थित अछि, जे भारत आ नेपालक बीच आपसी व्यापार करबाक लेल सहमत मार्गसभमे सँ एकटा के हिस्सा छी। नेपाल सरकार भन्सारमे एकटा समर्पित कार्यालय जे सीमा शुल्क असुली करत से स्थापित केलक। आ भारत सरकार एकटा सुपरिडेन्ट स्तर के अधिकारी के साथमे एकटा मालपोत कार्यालय स्थापित केलक। तँ सरल शब्दसभमे कहल जाओ त ई स्थान पर आयात आ निर्यातक अनुमति अछि। लौकहामे लौकहा बाजार रेलवे स्टेशन अछि जो एकटा बडका लाइन छी आ शेष भाग भारतसँ जुडैत अछि।
प्रशासन
सम्पादन करीवार्ड नं. | सदस्यसभ | नाम | पार्टी |
---|---|---|---|
११ | अध्यक्ष | सुमन्ता कोईराला | नेपाली काङ्ग्रेस |
सदस्य १ | भीमचन्द्र राई | नेपाली काङ्ग्रेस | |
सदस्य २ | विष्णु कुमार श्रेष्ठ | ने.क.पा. (एमाले) | |
महिला सदस्य | बिमला राई | नेपाली काङ्ग्रेस | |
दलित महिला सदस्य | निला कार्की ढोली | नेपाली काङ्ग्रेस | |
१२ | अध्यक्ष | चुडाराज काफ्ले | नेपाली काङ्ग्रेस |
सदस्य १ | लक्ष्मी नारायण चौधरी | नेपाली काङ्ग्रेस | |
सदस्य २ | दिलशेर अली मियाँ | नेपाली काङ्ग्रेस | |
महिला सदस्य | अनिता थापा | नेपाली काङ्ग्रेस | |
दलित महिला सदस्य | रामकली वि.क. | नेपाली काङ्ग्रेस |
सन्दर्भ सामग्रीसभ
सम्पादन करी